Tuesday, August 14, 2012

पृथक मिथिलाक लेल 22 अगस्त के जंतर-मंतर पर धरना-प्रर्दशन

बिहार आ झारखण्ड सऽ अलग मिथिला राज्यक गठनक लेल अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक कार्यकर्ता आगामी 22 अगस्त के जंतर-मंतर पर एकदिवसीय धरना देतैथ।समितिक संयोजक प्रो॰ अमरेँद्र झा आ दिल्ली प्रदेशक अध्यक्ष डा॰ बीके झा अय धरना-प्रर्दशन मेँ बेसी से बेसी मिथिलावासी के आबय के अपील कयलथ हँ।

समितिक प्रवक्ता शिशिर झा कहलैथ जे मैथिली भाषा के संविधानक अष्टम् अनुसूची मेँ स्थान भेटलाक बादो मिथिलाक संग सौतेला व्यवहार जारी अय,एकर निराकरण पृथक मिथिला राज्यक गठनक बादे होयत!

0 comments:

Post a Comment