Wednesday, April 10, 2013

कांचीनाथ किरणक मैथिली साहित्यमे अवदान अतुलनीय

दरभंगा : मैथिली साहित्य केँ समृद्ध करनिहार लब्ध प्रतिष्ठित साहित्यकार कांचीनाथ किरण केर पुण्यतिथि बीतल मंगल केँ मनीगाछीक उजान मध्य विद्यालयमे मनाओल गेल। साहित्य अकादमीमे मैथिलीक प्रतिनिधि डा॰ वीणा ठाकुरक अध्यक्षतामे स्मृति समारोहक उद्घाटन मैथिली अकादमी पटनाक अध्यक्ष कमलाकांत झा केलनि।

मौका पर प्रो॰ भीमनाथ झा स्व. किरणक साहित्य साधना केँ रेखांकित करैत कहलनि जे नव पीढ़ीक लेखक केँ हिनकासँ प्रेरित हेबाक चाही। मौका पर रामजी ठाकुर, डा॰ विभूति आनंद, डा॰ खुशीलाल झा, उदयचन्द्र झा विनोद आदि अप्पन विचार रखलनि। समारोहमे मैथिली भाषा-साहित्यक संवर्द्धनमे लागल डा॰ वीणा ठाकुर, डा॰ महेँद्र नारायण राम, आचार्य नाजिम रिजवी, डा॰ श्यामानंद ठाकुर आ बाबा पासवान केँ सम्मानित कएल गेल। संचालन रति रमण झा आ धन्यवाद ज्ञापन श्रीकांत मंडल केलनि। उद्घाटन सत्रक बाद कवि सम्मेलन शुरु भेल जाहिमे प्रो. शिवाकांत पाठक केँ अध्यक्षतामे स्थापित रचनाकार लोकनि ज्वलंत मुद्दा पर अप्पन रचना प्रस्तुत केलनि।

0 comments:

Post a Comment