Thursday, May 30, 2013

मिथिला राज्यक लेल युवा आगू आबथि : नीतीश कुमार

मधेपुरा : आब समय आबि गेल अछि जे पृथक मिथिला राज्यक निर्माण लेल युवा आगू आबथि आ सभ दलक नेताक घेराव कऽ हुनका लग अप्पन मांग रखथि। कियैक तऽ लोकसभा चुनावक घोषणा कखनो भऽ सकैत अछि। एहि बारेमे सभ युवा केँ चिंतन करबाक चाही। इ गप्प मिथिलांचल मुक्ति मोर्चाक संस्थापक सह अध्यक्ष नीतीश कुमार उर्फ बंटी यादव विज्ञप्ति जारी कऽ कहलनि। ओ कहलनि जे जखन बिहारक मुख्यमंत्री विशेष राज्यक मांग राखि केंद्र सरकार केँ झुका देलनि तखन हम सभ मिथिला राज्यक मुद्दा पर अप्पन मांग केंद्रसं कियैक नहि मंगवा सकैत छी मुदा एकरा लेल युवा केँ आगू आबय पड़त।

0 comments:

Post a Comment