कीर्ति आजाद केँ हीथ्रो हवाई अड्डा पर दू घंटा धरि रोकल गेल
नई दिल्ली : बरख 1983 केर क्रिक्रेट विश्वकप विजेता टीमक सदस्य आ दरभंगाक सांसद केँ बीतल शनिकेँ लंदनक हीथ्रो हवाई अड्डा पर दू घंटा लेल रोकल गेल, फेर हुनका दिल्ली आबि रहल विमानमे बैसबाक स्वीकृति देल गेल। आजादक कार्यालय सहायक केर कहब छल जे हवाई अड्डाक सुरक्षा अधिकारीगण सांसद केँ रोकलनि कियैक तऽ सुरक्षा अधिकारी केँ सांसद उपनाम संदिग्ध लगलनि।
0 comments:
Post a Comment