मिथिला राज्य लेने बिना चैन नहि : बैजू
दरभंगा/हायाघाट : पृथक मिथिला राज्यक मांग लऽ बीतल शनि केँ हायाघाटक बसहा मिर्जापुर गाममे मिथिला राज्य संयुक्त संघर्ष समितिक तत्वावधानमे सभाक आयोजन कएल गेल। दिनेश चौधरीक अध्यक्षतामे आयोजित एकटा सभा केँ संबंधित करैत समितिक राष्ट्रीय अध्यक्ष डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे मिथिला राज्यक बिना हम सभ चैनसं नहि बैसब। ओ कहलनि जे एकरा लेल हमरा जे भी कुर्बानी देबय पड़त ओ हम देब। जाबत धरि मिथिला राज्यक गठन नहि होइछ ताबे मिथिलाक विकास नहि भऽ सकैत अछि। आर्थिक, शैक्षणिक, राजनीतिक आजादीक संग-संग मिथिला राज्य समयक मांग अछि। संयोजक उमाशंकर मिश्र कहलनि जे पानिक प्रबंधन, बाढ़ि, सुखाड़क निदान, पनबिजली निर्माण, बंद चीनी मिल, अशोक पेपर मिल, सूत मिलक संग नव मिलक चालू होएबक बादे मिथिलाक आर्थिक विकास होएत। मौका पर संयोजक उदयशंकर मिश्र, चंद्रशेखर झा, देवेन्द्र चौधरी संगे सैकड़ो लोक उपस्थित छलथि!
Unlike E-SAMAAD, ... Mithila Prime has been able to feel the nerves of the people of Mithila. The Team of Mithila Prime has been continuously covering all the moves and meetings of-n-for Mithila State. I am a regular reader (but occasional commenter) of Mithila Prime.... Thanks to all the Team Members. Doing Well . Keep it up
ReplyDelete