मिथिला राज्य अछि नितांत जरुरी
देवघर : अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक तत्वावधानमे आयोजित दू दिवसीय मैथिली सम्मेलन रविकेँ मिथिला राज्यक मांग संग संपन्न भऽ गेल। एहि मौका पर सांगठनिक मजबूती पर जोर देल गेल, संगे सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो आयोजित भेल। देशक विभिन्न भाग आ नेपालसं आएल प्रतिनिधि अप्पन विचार रखलनि।
परिषदक अध्यक्ष नगीना प्रसाद झा कहलन्हि जे मिथिला राज्य जरूरी नेपाल आ भारतमे जरुरी अछि। मिथिला बाल परिषदक संयोजक नारायण यादव, युवा मिथिलाक संयोजक किसलय कृष्ण, मिथिला कला मंचक कुमुद झा दीवान, मिथिला अक्षर प्रसारित सभाक संयोजक कल्प कवि उमेश कर्ण, मिथिला विद्यार्थी परिषदक संयोजक प्रो. केपी झा केँ बनाएल गेल।
आयोजित गोष्ठीमे परिषदक अध्यक्ष कमलकांत झा कहलनि जे मैथिली शालीनताक भाषा अछि। एहि अवसर पर सेवानिवृत्त IG कपिलदेव सिंह, सुरेश प्रसाद सिंह श्वेताभ सेहो अप्पन विचार रखलनि। गोष्ठीक अध्यक्षता देवेंद्र झा केलनि।
सम्मेलनक समापन सांस्कृतिक कार्यक्रमक संग भेल।
0 comments:
Post a Comment