जतय सन् 2000मे किसान लोकनिक बागवानीमे एक वा दू टा तड़िपाताक गाछ रहैत छल, ओतहि आब किसान लोकनि हजारक संख्यामे तड़िपातक खेती करबा मे जुटि गेलाह अछि। एखन धरि जिला मे 2000 सं बेसी तड़िपातक गाछ लगाओल जा चुकल अछि।
तड़िपात बेसी क’ फ्रांस, बेल्जिअम, इटली, रूस, मध्य आ उत्तरी अमेरिकाक संगे-संग भारतक मेघालय, अरूणाचल प्रदेश आ नागालैण्डमे उपजाओल जाइत अछि।
जाहि हिसाब सं किसान लोकनि तड़िपातक खेतीमे रूची लऽ रहल छथि, जौँ प्रशासन प्रोत्साहन आ मदति देइक, त’ ओ दिन दूर नहि अछि, जहिया किशनगंज जिला तड़िपातक सभसं पैघ निर्यातक होएत।
0 comments:
Post a Comment