Sunday, February 23, 2014

जुड़ि गेल जानकीक जन्मभूमि आ बापूक कर्मभूमि, चलय लागल लिच्छवी एक्सप्रेस

सीतामढ़ी : पैघ इंतजारक बाद मां जानकीक जन्मस्थली सीतामढ़ी आ बापूक कर्मस्थली चंपारण के जोड़निहार सीतामढ़ी - रक्सौल रेलमार्ग पर ट्रेनक परिचालन शुरू भऽ गेल। एकरा संग क्षेत्र मे रेल विकासक नव उमीद जागल। निर्धारित कार्यक्रम अनुसार रेल राज्य मंत्री अधीर रंजन चौधरी सहरसा सं वीडियो कान्फ्रेंसिंगक माध्यमे एकर उद्घाटन केलनि। शनि केँ भोर 55547 अप सवारी गाड़ी 12.45 बजे सीतामढ़ी सं रक्सौलक लेल बिदा भेल।

संगे सीतामढ़ी सं आनंद विहार तक चलनिहार लिच्छवी एक्सप्रेसक परिचालन शनि सं शुरू भऽ गेल। बताबी जे लिच्छवी एक्सप्रेस 29 दिसंबर सं कुहेसक कारणे परिचालन रद्द कऽ देल गेल छल।

0 comments:

Post a Comment