Thursday, June 12, 2014

रिलीज भेल फिल्म हाफ मर्डर क ट्रेलर

दरभंगा : साईँ चरण इंटरटेनमेँट क बैनरक तर बनल मैथिली फिल्म हाफ मर्डर जल्दिये मिथिलाक सिनेमाघर सभ मे रिलीज होएत, एहि फिल्म ट्रेलर जारी कऽ देल गेल अछि। एहि फिल्मक संगीत सुनील पवन आ नृत्य ऋतु राज देने छथि। फिल्मक निर्देशक रमा नाथ झा, कार्यकारी निर्माता आदित्य नाथ मिश्र, तकनीकी निर्देशक अरमान हैदर काजमी आ लेखक अनिल झा छथि। फिल्मक अभिनेता आ अभिनेत्री नवतुरिया छथि।

इ फिल्म मधुबनी कांड (अरेर कांड) प्रशांत-प्रीति घटनाक्रम केँ आधार बना बनाएल गेल अछि जाहिमे अपरिपक्व उम्रक प्यार के देखाएल गेल अछि। फिल्मक गीत आ डायलग दर्शकगण पर छाप छोड़त, ट्रेलर देखबाक बाद एहन लगैत अछि। एहि फिल्मक गीत 'स्वार्थे आन्हर छय लोक जतय सभ अपने टा लेल जीबय अय' लोक सभ केँ नीक लागि रहल अछि।
फ़िल्मक वीडियो देखबाक लेल क्लिक करू !

1 comment: