Friday, June 13, 2014

पृथक राज्यक बिना मिथिलाक विकास असंभव

मधुबनी : मिथिला विकास संघक समीक्षा बैसार ननौर चौक स्थित कार्यालय भवन मे परमानंद झा अध्यक्षता मे भेल। बैसार मे एहि गप्प पर जोर देल गेल जे पंचायत स्तर पर कमेटी क गठन कएल जाए।

 क्षेत्र मे बेरोजगार लोक केँ रोजगारक अवसर भेटय आदि कतेको सामाजिक मुद्दा पर चर्चा भेल। बैसार केँ संबोधित करैत संघ क अध्यक्ष परमानंद झा कहलनि जे पृथक मिथिला राज्यक बिना मिथिलाक विकास असंभव अछि, मिथिलाक विकास तखने टा सभंव अछि जखन एकर अलग राज्यक दर्जा भेटय। करोड़ो मैथिली भाषीक विकास क लड़ाई आब करु या मरु रुपे लड़य पड़त।
बैसार मे समीर कुमार, कामेश्वर चौपाल, उगन चौधरी, शैलेँद्र झा, शिवचंद्र पासवान आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment