Friday, July 11, 2014

सिल्क सिटी मे खुजत टेक्सटाइल क्लस्टर

भागलपुर : केँद्रीय
वित्त मंत्री अरुण जेटली आम बजट 2014-15 मे कहलनि जे भागलपुर मे टेक्सटाइल क्लस्टर बनाएल जाएत। बताबी जे पूरा देश मे भागलपुर क सिल्कक कपड़ाक उत्पादन बड्ड नीक मानल जाइत अछि आ एहि लेल भागलपुर केँ सिल्क सिटी सेहो कहल जाइछ मुदा लगभग एक दशक सं एकर हालत नीक नहि। वित्त मंत्रीक एहि घोषणाक बाद टेक्सटाइल सं जुड़ल कारोबारी केँ बहुत फायदा भऽ सकैत अछि। आब एहि कारोबार सं जुड़ल लोक केँ अप्पन उत्पादित माल केँ बेचबा लेल बाजारक भरोसे नहि रहय पड़त।

0 comments:

Post a Comment