Monday, May 11, 2020

दरभंगा एयरपोर्ट के भेटल नबका तारीख, अक्टूबर 2020



केंद्रीय मंत्री हरदीप सिंह पुरी 11 मई क' ट्वीट क' जनतब देलनि जे अक्टूबर 2020 धरि दरभंगा एयरपोर्ट सं जुड़ल सभटा काज निपटा लेल जाएत. ओ ट्वीट क' लिखलनि-

"कोरोना वायरस सं हमरा सभक लड़ाई क' मादे लॉकडाउन में दरभंगा एयरपोर्ट क' काज अस्थायी रूप सं रोकि देल गेल छल. एहि सं पहिले जोर-शोर सं काज चलि रहल छल. भारतीय वायु सेना सं फेर सं काज शुरू करबाक अनुमति लेल अनुरोध कयल गेल अछि. एक बेर जखन काज शुरू भ' जाइत अछि त' अक्टूबर 2020 धरि  सभटा काज खत्म भ' जेबाक चाही."
कतेक काज बाकी अछि अखन?

केंद्रीय नागर विमानन मंत्री हरदीप सिंह बतेलनि जे एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ़ इंडिया सिविल एनक्लेव बना रहल अछि. एकरा ल' भारतीय वायुसेना सं जमीन लीज़ पर लेल गेल अछि. एकटा 150 लोक क' क्षमता बला टर्मिनल बनाओल जा रहल छैक. एकर 95 फीसद काज पूरा भ' गेल अछि.
10 मई के ट्विटर पर मचल छल अनघोल

10 मई क' दरभंगा एयरपोर्ट सं हवाई सेवा क' शुरुआत मे भ' रहल देरी क' ल' लाखों ट्वीट कयल गेल छल. केंद्र आ राज्य सरकार सं पूछल गेल छल जे दरभंगा सं एयर सर्विस मे एतेक देरी कथी लेल भ' रहल अछि. #DarbhangaAirport सं करीब सवा लाख ट्वीट कयल गेल छल. आ भारत में ई हैशटैग दुपहरिया सं सांझ धरि ट्रेंड करैत रहल छल.

0 comments:

Post a Comment