मधुबनी : भारतीय बैडमिँटन संघ आल इंडिया जूनियर रैँकिंग बैडमिँटन टूर्नामेँटक आयोजनक जिम्मेवारी मधुबनी केँ देलक अछि जे 16 जुलाई सऽ 20 जुलाई धरि होएत। मेजबानी भेटला पर जिला बैडमिँटन संघ सहित बहुतो खेल संगठन खुशी व्यक्त केलक अछि। मधुबनीमे राष्ट्रीय स्तरक इ चारिम आयोजन होएत। आयोजन के सफल बनयबा हेतु बहुतो उपसमिति के गठन भेल अछि।बता दी जे एहि टूर्नामेँटमे भारतीय बैडमिँटन संघक संम्बद्दता पाप्त सब राज्यक पुरुष आ महिला खिलाड़ी के पहुँचबाक संभावना अछि।
0 comments:
Post a Comment