Showing posts with label खेल-कूद. Show all posts
Showing posts with label खेल-कूद. Show all posts

Thursday, November 28, 2013

T-20 क्रिकेट वर्ल्ड कप 2014 मे पहुंचल नेपाल

काठमांडू : नेपाल क्रिकेट टीम बुध दिन हांगकांग केँ पछाड़ि केँ पहिल बेर ICC T-20 विश्वकप 2014 लेल चुनल गेल। अबु धाबीक शेख जायद स्टेडियममे बुधदिन भेल क्वालीफाइंग मैचमे नेपाल, हांगकांग केँ 5 विकेटसं हरा केँ मैच जीतल। एहिसं पहिले हांगकांग निर्धारित 20 ओवरमे आठ विकेट पर 143 रन बनेलक। एहि जीतक संग नेपाल क्वालीफाइंग टूर्नामेंटक सेमीफाइनलमे सेहो पहुंचि गेल, जतय ओकर मुकाबला अफगानिस्तानसं होएत। नेपालक लेल पारस खड़का 46 आ ज्ञानेंद्र मल्ल 30 रन बनेलनि, जबकि जितेंद्र मुखिया तीन विकेट लेलनि मुदा हैट्रिकसं वंचित रहला।

Saturday, November 10, 2012

झंझारपुर अओताह सौरभ गांगुली

कोलकाता/मधुबनी : आगामी 24 जनवरी 2012 से शुरु होमय वला ललित कर्पूरी T-20 ग्रामीण इनामी प्रतियोगिताक आनंद लै लेल भारतीय क्रिकेट टीमक पूर्व कप्तान झंझारपुर ऐता।आयोजन समितिक संरक्षक सह बिहारक ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्राक आमंत्रण पर सौरभ गांगुली अपन सहमति प्रदान केलैथ।बीतल काल्हि श्री मिश्रा कोलकाता स्थित गांगुली केर आवास पर भेँट केलैथ आ एहि प्रतियोगिताक छठम चरण मेँ बतौर मुख्य अतिथि आबय लेल आग्रह केलैथ।इ आयोजन 2013 मेँ होएत।श्री मिश्रा गांगुली के वर्ष 2008 से झंझारपुर मेँ शुरु ललित कर्पूरी T-20 ग्रामीण आयोजन आ एहि संबंधित गतिविधि से अवगत करेलैथ।एहि प्रतियोगिता के जीतय बला टीम के पुरस्कार स्वरुप एक लाख रुपया देल जाइत अछि।एहि प्रतियोगिताक मकसदि ग्रामीण प्रतिभा के मंच दऽ क्रिकेटक दुनिया मेँ एकटा नव मंच देनाइ अछि।बता दी एखन धरि एहि आयोजन मेँ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार,उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी,फिल्म निर्माता प्रकाश झा,अंर्तराष्ट्रीय क्रिकेटर सबा करीम,कीर्ति झा आजाद पधारि गेल छैथ।श्री नीतीश मिश्रा सौरभ गांगुली के मिथिला चित्रकला प्रदान केलैथ जाहि पर गांगुली मिथिलाक कला,सभ्यता आ संस्कृतिक प्रशंसा केलैथ!

Wednesday, July 4, 2012

राष्ट्रीय जूनियर बैडमिँटन टूर्नामेँट 16 से मधुबनी मेँ

मधुबनी : भारतीय बैडमिँटन संघ आल इंडिया जूनियर रैँकिंग बैडमिँटन टूर्नामेँटक आयोजनक जिम्मेवारी मधुबनी केँ देलक अछि जे 16 जुलाई सऽ 20 जुलाई धरि होएत। मेजबानी भेटला पर जिला बैडमिँटन संघ सहित बहुतो खेल संगठन खुशी व्यक्त केलक अछि। मधुबनीमे राष्ट्रीय स्तरक इ चारिम आयोजन होएत। आयोजन के सफल बनयबा हेतु बहुतो उपसमिति के गठन भेल अछि।बता दी जे एहि टूर्नामेँटमे भारतीय बैडमिँटन संघक संम्बद्दता पाप्त सब राज्यक पुरुष आ महिला खिलाड़ी के पहुँचबाक संभावना अछि।