Saturday, November 10, 2012

झंझारपुर अओताह सौरभ गांगुली

कोलकाता/मधुबनी : आगामी 24 जनवरी 2012 से शुरु होमय वला ललित कर्पूरी T-20 ग्रामीण इनामी प्रतियोगिताक आनंद लै लेल भारतीय क्रिकेट टीमक पूर्व कप्तान झंझारपुर ऐता।आयोजन समितिक संरक्षक सह बिहारक ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्राक आमंत्रण पर सौरभ गांगुली अपन सहमति प्रदान केलैथ।बीतल काल्हि श्री मिश्रा कोलकाता स्थित गांगुली केर आवास पर भेँट केलैथ आ एहि प्रतियोगिताक छठम चरण मेँ बतौर मुख्य अतिथि आबय लेल आग्रह केलैथ।इ आयोजन 2013 मेँ होएत।श्री मिश्रा गांगुली के वर्ष 2008 से झंझारपुर मेँ शुरु ललित कर्पूरी T-20 ग्रामीण आयोजन आ एहि संबंधित गतिविधि से अवगत करेलैथ।एहि प्रतियोगिता के जीतय बला टीम के पुरस्कार स्वरुप एक लाख रुपया देल जाइत अछि।एहि प्रतियोगिताक मकसदि ग्रामीण प्रतिभा के मंच दऽ क्रिकेटक दुनिया मेँ एकटा नव मंच देनाइ अछि।बता दी एखन धरि एहि आयोजन मेँ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार,उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी,फिल्म निर्माता प्रकाश झा,अंर्तराष्ट्रीय क्रिकेटर सबा करीम,कीर्ति झा आजाद पधारि गेल छैथ।श्री नीतीश मिश्रा सौरभ गांगुली के मिथिला चित्रकला प्रदान केलैथ जाहि पर गांगुली मिथिलाक कला,सभ्यता आ संस्कृतिक प्रशंसा केलैथ!

0 comments:

Post a Comment