Thursday, November 28, 2013

T-20 क्रिकेट वर्ल्ड कप 2014 मे पहुंचल नेपाल

काठमांडू : नेपाल क्रिकेट टीम बुध दिन हांगकांग केँ पछाड़ि केँ पहिल बेर ICC T-20 विश्वकप 2014 लेल चुनल गेल। अबु धाबीक शेख जायद स्टेडियममे बुधदिन भेल क्वालीफाइंग मैचमे नेपाल, हांगकांग केँ 5 विकेटसं हरा केँ मैच जीतल। एहिसं पहिले हांगकांग निर्धारित 20 ओवरमे आठ विकेट पर 143 रन बनेलक। एहि जीतक संग नेपाल क्वालीफाइंग टूर्नामेंटक सेमीफाइनलमे सेहो पहुंचि गेल, जतय ओकर मुकाबला अफगानिस्तानसं होएत। नेपालक लेल पारस खड़का 46 आ ज्ञानेंद्र मल्ल 30 रन बनेलनि, जबकि जितेंद्र मुखिया तीन विकेट लेलनि मुदा हैट्रिकसं वंचित रहला।

0 comments:

Post a Comment