Thursday, November 28, 2013

आमान परिवर्तनक बादो नहि चलल ट्रेन

मधेपुरा/मुरलीगंज : मुरलीगंज-मधेपुरा रेलखंडक बीच आमान परिवर्तनक काज पूर्ण होएबाक बादो ट्रेनक परिचालन शुरू नहि होएबासं आक्रोशित लोक बृहस्पति केँ स्थानीय रेलवे स्टेशन पर रेल संघर्ष समितिक तत्वावधानमे धरना पर बैसला। मुख्य संरक्षा आयुक्त रेल आरपी यादव आ समस्तीपुरक DRM अरुण कुमार मल्लिक आमान परिवर्तन कार्यो का निरीक्षण करबक बाद 3 सप्ताहक भीतर मुरलीगंज-मधेपुराक बीच रेलवे ट्रैक पर ट्रेन चलेबाक आश्वासन देने छलथि मुदा 3 सप्ताहसं बेसी समय बीतलाक बादो ट्रेनक परिचालन शुरू नहि कएल जेबासं स्थानीय लोक संगे विभिन्न राजनीतिक एवं गैर राजनीतिक संगठनसं जुड़ल लोक आक्रोशित छथि। बृहस्पति केँ आक्रोशित लोक धरना कार्यक्रम केँ संबोधित करैत कहलनि जे आगामी 4 दिसंबर धरि जौँ रेल परिचालन शुरू नहि कएल गेल तऽ 5 दिसंबर केँ उग्र आंदोलन होएत। धरना कार्यक्रममे नगर पंचायतक उपाध्यक्ष सुनील मंडल, नगर पार्षद क्रमश: पुष्पा मिश्र, अंजना देवी, ललिता देवी, पूनम देवी, प्रो.नागेन्द्र प्रसाद यादव, प्रभात कुमार, उपेन्द्र आनंद, कांग्रेसक उमेशचन्द्र यादव, संघर्ष समितिक संयोजक नगर पार्षद विजय कुमार यादव, आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment