पूर्वी चम्पारण के लखौरा थाना क्षेत्रक नौरंगिया गाम सऽ बीतल काल्हि गुप्त सूचनाधार पर तस्करी के लेल,लऽ जा रहल 23 टा बैलक संगे 9 टा तस्कर के पुलिस गिरफ्तार कयलक हँ।लखौरा थानाध्य्क्ष ललितेश्वर पांडेय बतेलैथ जे इ नवो आरोपी पश्चिमी चम्पारण जिलाक सिकटा थाना अंर्तगत सुरुजपुर के रहल बला अय।बता दी जे इ आरोपी लोकनि सिरसिया बाजार आ झुमका बाजार सऽ मवेशी खरीद कऽ छौड़ादाने थाना के महसी निवासी शेख बच्चा मियां ओतय लऽ रहल छल,जेकरा रात मेँ ट्रक पर लोड कय बांग्लादेश भेजल जयतै।इ गैँग चम्पारण क्षेत्र मेँ बहुत दिन सऽ सक्रिय छल तैँ पुलिस एकरा एकटा नम्हर कामयाबी मानि रहल अय।
0 comments:
Post a Comment