Showing posts with label मुद्दा. Show all posts
Showing posts with label मुद्दा. Show all posts

Tuesday, November 19, 2019

संसद मे उठल 'DD मैथिली' क' मांग

संसद क' शीतकालीन सत्रक पहिल दिन दरभंगा लोकसभा सीट सं भाजपा सांसद लोकसभा गोपाल ठाकुर मैथिली मे बिजलनि. मैथिली भाषा मे डीडी मैथिली क' मांग करैत ठाकुर कहलनि जे,

मैथिली भाषा कें पूर्व पीएम अटल बिहारी वाजपेयी अष्टम अनुसूची मे जगह देलखिन. करोड़ों लोक मैथिली बजैत छथि मुदा आई धरि डीडी मैथिली नहि शुरू भ' सकल अछि. एहि कारणे मिथिलावासी अपना कें उपेक्षित महसूस क' रहल छथि. हम अहांक (ओम बिरला, लोकसभा स्पीकर) सं मांग करय चाहब जे भारत सरकार आओर पीएम मोदी मैथिली भाषाक संरक्षण आ सांस्कृतिक विकास लेल डीडी सं 24 घण्टाक मैथिली टीवी शुरू कयल जाए. एहि लेल मिथिलावासी अहांक आभारी रहत'.

सांसद क' ट्वीट देखी.

Thursday, August 2, 2018

संपादकीय: अप्पन धिया-पुता कें आधुनिक शिक्षा देब मुदा दोसरा कें मैथिली-मैथिली चिचिया उकसाएब?

नेपाल प्रदेश 2 के मैथिली विद्वान सभक नाम एकटा चिट्टी

श्रीमान महान मैथिल विद्वानगण!

अहां सभमे सं कियौ बताएब जे अहां सभ हमरा सभ सन आम आदमी कें कोन रंगक मैथिली सिखायब? 600 बरख पहिलुका संभ्रांत बिद्यापति ठाकुर कालीन तिरहुतिया/पुरोहितिया मैथिली अहां सभ सिखाएब की दरभंगा राज बला राजकीय मैथिली सिखाएब? आखिर मैथिली क' परिभाषा की अछि अहांक नजरि मे? आओर मैथिली क' टेक्स्ट बुक सभ दरभंगा प्रकाशन सं छपाएब? गणित, विज्ञान सभटा मैथिलीए मे पढ़ेबे की? ओना हम बुझि रहल छी जे कथित मैथिल विद्वान बनि अहां सभ अप्पन रोजी-रोटी चमकाबय मे कोन तरहें लागल छी.

अहां के बता दी जे हम साधारण स्थानीय ठेठी बोली बुझैत छी जेकरा अहां सभ अशुद्ध बुझैत छी आ अपवित्र सेहो बुझैत होएब, एहि लेल मैथिली-मैथिली चिचिया के अहां स्थानीय भाषा क' अनादर आ ओकरा सम्पन्न करबा मे लागल छी. खैर, अहां सभ कें राजा-महाराजा राज क' राजकीय भाषा मुबारक. एतहि पहाड़ क' लोक 1950क' संधि अनुसार भारतीय सरकारी सेवा क' लाभ सेहो उठा रहल छथि मुदा प्रदेश 2 क' दू जिल्ला क' पुरबिहा संभ्रांत लोक कें बस क्षणिक तुष्टि मे मजा आबि रहल छन.

अहां सभकें सामान्य जनताक जन-जीविका सं सरोकार रखनिहार भविष्य क' मादे सोचबा सं पाप लागत. अहां सब सिर्फ अपनहि अगिलका लोक सभ के आगू बढ़ाबैत रही, यैह त' अहां सभ चाहैत छी. सरकारी सेवाक मे पद त' होएत मुदा ओ मात्रे टा स्पेशल लोक सभ लेल आरक्षित रहत किएक त' पारिवारिक भाषा मे कामकाजी भाषा होई त' आओर की चाही?

देखा रहल अछि जे भारत क' मिथिला राज बला सभ ओम्हर फेल भ' गेलथि त' एम्हर आगि लगा रहल छथि. अपने भारत के धर्म निरपेक्ष रखता आओर नेपाल के कट्टर हिंदू देश बनौताह. कखन धरि हम सभ हुनक झांसा मे आबैत रहब? कहिया वर्तमान मे जीएब शुरू करब?

जौं नेपाल क' शासक सभ मध्यकालीन समय क' भानुभक्त कालीन या मोतीराम भट्ट कालीन खस-भाषा के लागू केने रहितथि त' आई हम सभ कोन तरहक खस भाषा स्कूल मे पढ़ि रहल होइतहुं अहां अंदाजा लगा सकैत छी. की अहुं सभ मैथिली कहि वैह मध्यकालीन कें दोहरायब?

अहां सभ जाहि तरहें मैथिली बोली आ लिखावट क' ओकालत क' रहल छी ओ यथार्थ धरातल सं दूर अछि, लेख्य भाषा आ कथ्य भाषा मे कोनो तारतम्य नहि छैक तैयो अहां सभ अप्पन महाकवि बिद्यापति आओर ललका पाग कें पूरा मध्य-मधेश मे लादय चाहैत छी. अप्पन घर क' धिया-पुता कें आधुनिक शिक्षा इंग्लिश, नेपाली, हिंदी मे पढ़ाएब मुदा दोसरा कें मैथिली-मैथिली चिचिया उकसाएब?

“ओना ब्यक्तिगत रुपस कैह दी जे हमरा अपन गाम घर में बोलइवाला हमर मातृभाषा-बोली के हम बिरोधी नै छिए मुदा बात रैह गेलै बर्तमानमे कामकाजी भाषाके रूपमे एकर उपयोगिता आ सांदर्भिकता के बारे मे. आई-काइल्ह जई तरिका स मैथिली कैहके जोन बोली आ लेखावट के बिकास करके प्रयास हो’रहल है से भाषा बिज्ञान के हिसाब से सेहो बहुते त्रुटिपूर्ण छै.”

एकटा बात मोन राखू, मधेश आंदोलन मात्रे प्रदेश 2 कें मिथिला राज बनेबाक लेल नहि भेल छल, पूरा मधेश कें “एक मधेश-एक प्रदेश” क' नारा द' उपेंद्र यादव जी राजनीति क' शिखर पर पहुंचल छलथि. आब ओ दोसर बाट ध' लेलथि त' की जनता के सेहो हुनका पाछू चलि जेबाक चाही?

हम सभ मधेसी टूटि क' नहि जुड़ि क' राजसत्ता सं संघर्ष करब तखनहि सफल भ' सकब. बस खंड-खंड मे बांटि एकल भाषा आओर एकल जातीय आधार पर राजनीति करब त' अहां केंद्रीय सत्ता के खुश करबाक काज करब, हुनकर काज आसान करब. ओ त' यैह चाहैत छथि.

ई जे हमर हिंदी प्रस्फुटन अछि, कोनो औपचारिक अध्यन बिना अछि, जौं औपचारिक अध्यन हिन्दी मे होएत त' शायद नीक प्रयास होएत. आजुक समयमे हिंदी क' उपयोगिता जेना तरकारी मे मस्सलाक होइत अछि तेनाही हमर दैनिक बोली-व्यवहार मे अछि, एकरा स्वीकार करबा मे हिचकिचेबाक कोनो जरुरत नहि. सभ मित्र सं निवेदन अछि जे हम सभी क्षणिक स्वार्थ त्यागि, विविधता मे एकता युक्त मधेश क' मादे संकल्प करी. पूब-पश्चिम मधेश के एक करबाक सोची.

ई लेख हिमालिनी डॉट कॉम लेल बिनोद पासवान लिखने छथि. एतहि अहां ओहि लेख क' मैथिली अनुवाद पढ़ि रहल छलौं.

Sunday, July 22, 2018

बिहार के विशेष राजक दर्जा नहि मिथिला के भेटय स्पेशल पैकेज: सांसद पप्पू यादव

जन अधिकार पार्टी क' संरक्षक आ सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा लोकसभा मे विशेष राजक मांग के नकारि देलाक बाद ई मुद्दा देश मे खत्म भ' गेल. बिहार क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सेहो विशेष राजक मांग छोड़ि बिहार क' अलग-अलग क्षेत्र मगध, मिथिला-कोसी लेल विशेष पैकेज क' मांग करबाक चाही.

लोकसभा मे शुक्र दिन अविश्वास प्रस्ताव पर मतदान सं पहिले वॉकआउट करनिहार सांसद पप्पू यादव कहलनि जे सदन मे अविश्वास प्रस्ताव बहस क' बीच नहिए सत्तापक्ष आ नहिए विपक्ष बिहार क' कोनो मुद्दा पर चर्चा केलक. यादव कहलनि जे बिहार मे आयल बाढ़ि पर चर्चा कयल गेल आ नहिए और नहिए रौदी पर. नहिए बेरोजगारी पर गप्प कयल गेल आ नहिए बिहार के देल गेल कथित विशेष पैकेज पर. एना मे सदन मे रहबाक कोनो औचित्य नहि छल.

यादव कहलनि जे आब बिहार क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लग कोनो मुद्दा नहि बचल अछि. नीतीश कुमार कें आब बिहार क' अलग-अलग क्षेत्र लेल विशेष पैकेज क' मांग करबाक चाही.

Tuesday, March 7, 2017

नहि डंफाक थाप आ नहिये पारंपरिक गीत : बिलाइत फगुआ

डेस्क : ओना त' जीवन मे उत्साह बढ़ेबाक लेल उत्सव क' आयोजन होइत अछि मुदा फगुआ आन पावनि सं कनिक फाजिले उत्साह क' संचार करैत अछि. इ मात्रे टा एहन पावनि अछि जाहि मे नहिये टा वर्गक विभेद मिटैत अछि संगे उमेरक दायरा सेहो सिमटा जाइत अछि. एहि पावनिक सभसं महत्वपूर्ण कड़ी गायन अछि. मिथिला मे एकर बड्ड पुरान परंपरा रहल अछि. एकर महत्व के ऐना बुझल जा सकैत अछि जे वसंत पंचमी क' दिन सं फाग गायब शुरू भ' जाइत अछि. मां सरस्वती कें अबीर अर्पित क' अबीर उड़य लगैत अछि.


आधुनिकताक बयार आ रोजगारक अवसर नहि रहबाक कारणे सून पड़ल गाम मे आब डंफा क' थाप स्वर मद्धम पड़ैत जा रहल अछि. साल-दर-साल इ सांस्कृतिक परंपरा कमजोर भेल जा रहल अछि. अखनो एहन बहुतो गाम छै जे एहि महत्वपूर्ण सांस्कृतिक कड़ी के बचा क' रखने अछि मुदा भविष्यक कड़ी टूटैत नजर अबैत अछि. नव पीढ़ी फाग गेबाक परंपरा सं दूर होइत जा रहल अछि. फिल्मी गीत आ फगुआ एलबम क' गीत पर हिनक उत्साह झलकैत अछि. संस्कृति प्रेमी लेल इ चिंताक विषय अछि.

लगभग एक मास धरि चलय वला फगुआ गीत ग्रामीणक टोली गामक पहिले सं निर्धारित दलान पर सभ सांझ मे जुटैत अछि. घर सं भोजन क' आबि लोक सब देर रात धरि फगुआ गीतक आनंद लैत रहैत छथि. एक मास धरि चलैत रहय वला एहि परंपराक समापन फगुआ दिन गीतक संग होइत छल. एहि अवधि मे नहिये टा नव पीढ़ी के गीतक अभ्यास करायल जाइत छल, हुनका डंफा बजेबाक कला सेहो सिखायल जाइत छल. एहि सं परंपरा एक पीढ़ी सं दोसर पीढ़ी धरि सहजे चलि जाइत छल मुदा जहिया सं इ कड़ी कमजोर भेल अछि, युवाक टोली सेहो एहि सं दूर होइत गेल. स्तरीय आ जीवनक सभ रंग के सहेजनाहर फगुआ गीतक बोल आब कम्मे सुनाई दैत अछि.

अखन सुनु इ फाग सुनील मल्लिक के आवाज मे.

Monday, May 11, 2015

नहि खाइत छी घास-हमरो चाही सिटी स्मार्ट, जंतर मंतर पर भेल मार्च

नयी दिल्ली : दरभंगा, सहरसा आओर पूर्णिया के स्मार्ट सिटीमे शामिल करबाक उद्देश्य सं बीतल काल्हि जंतर- मंतर, नयी दिल्ली प्रदर्शन आ मार्च क आयोजन मिथिला स्टूडेंट्स यूनियन क तत्वावधान में कयल गेल. मार्च क रहल लोक सभ सं आशंकित भ पार्लियामेंट पुलिस स्टेशन मार्च क रहल लोक म सं बेसी क गिरफ्तार क लेलक जिनका सांझ 5 बजे छोड़ि देल गेल.


 प्रदर्शनकारीकारी सभ सरकारक विरुद्ध जोर-जोर सं नारा लगा रहल छलथि. प्रदर्शनकारीकारी सभ सं दिल्ली पुलिस द्वारा गलत व्यवहार कयल गेल, सूचल भेटल अछि मुदा जंतर-मंतर पर धरना दैत वैंकैया नायडूक आवास पर प्रदर्शनक संग ज्ञापन सौंपल गेल. एहि प्रदर्शन दिल्ली-एनसीआर सं सैकड़ों मैथिल पहुंचल छलथि.

Friday, May 1, 2015

स्मार्ट सिटीक मानचित्र सं हेरायल दरभंगा-सहरसा-पूर्णिया ?

दरभंगा/सहरसा/पूर्णिया : केंद्र  सरकार दशक 100 गोट शहर कें स्मार्ट सिटी बनेबाक तयारी अछि। एहि 100 गोट शहर में बिहार सं 5 गोट शहर चुनल जाएत आ ओहि 5 गोट संभावित शहर मे राजधानी पटनाक संगे, बिहारशरीफ, गया, भागलपुर आ मुजफ्फरपुर अछि।



की-की होएत स्मार्ट सिटी मे

सुव्यवस्थित शहर, चौर सड़क, इंफो पार्क, सुंदर पार्क, स्मार्ट पार्किंग, व्यवस्थित फुटपाथ, रोड ओवरब्रिज, फ्लाईओवर, स्ट्रीट लाइट, व्यवस्थित कॉलोनी, शहर में वाई-फाई, उन्नत कचरा प्रबंधन, अत्याधुनिक मॉल, ग्रीन बिल्डिंग, हाई टेक पब्लिक ट्रांसपोर्टेशन सिस्टम, लो फ्लोर बसक परिचालन, बिजलीक जर्जर तार सं मुक्ति, अंडर ग्राउंड पावर सप्लाई सिस्टम, 24 घंटा बिजली-पाइन, घरे-घरे पाइप से गैस आपूर्ति, गरीबों कें सरकारी मकान, व्यवस्थित सीवरेज सिस्टम, वेंडर पॉलिसी आदि.

केंद्र मे अखन बीजेपीक सरकार छैक आ राज्य मे जदयूक, ओना एहि मे राज्य सरकार बेसी किछु नहि क सकैत अछि सिर्फ सुझाव टा द सकैत अछि आ राज्य सरकार दरभंगा-सहरसा-पूर्णिया लगायत राज्य सं 20 टा शहर कें स्मार्ट सिटी बनेबाक लेल सुझाव केंद्र सरकार कें पठौने छल. स्मार्ट सिटी कोन आधार पर चुनल गेल अछि एकर जवाब अखन धरि किनको लग नहि छैक, मुदा मिथिला क्षेत्र मे मात्र मुजफ्फरपुर टा के शामिल कयल गेल आओर दरभंगा-सहरसा-पूर्णिया कें स्मार्ट सिटीक मानचित्र पर जगह नहि भेटलाक बाद मैथिलजन सभ एकरा फेर सं मिथिलाक संग भ रहल भेदभावक टटका उदहारण देलन्हि. मिथिला क्षेत्रक कोनो भी विधायक-सांसद अखन धरि एहि मुद्दा पर किछु नहि बाजि रहल छथि.


Monday, December 8, 2014

39 बरखक बाद आयल ललित बाबू पर फैसला, चारि टा दोषी

नई दिल्ली : दिल्लीक एकटा अदालत पूर्व रेलमंत्री ललित नारायण मिश्रा हत्याकांड क चारु आरोपी कें आइ 39 बरख बाद दोषी करार देलक अछि। जिला न्यायाधीश विनोद गोयल 12 सितंबर कें एहि हत्याकांड मे सीबीआई आ हत्याकांड क चारु अभियुक्तके वकील केर दलील सुनलाक बाद कार्यवाही निबटौने छल।

एहि सं पाहिले अदालत कहने छल जे एहि मामिलामे 12 नवंबर कें फैसला सुनाओल जाएत मुदा फेर 8 दिसंबर धरि लेल स्थगित क देल गेल छल किएक त निर्णय तैयार नहि भ सकल छल। बताबी जे 2 जनवरी, 1975 कें तत्कालीन रेलमंत्री ललित नारायण मिश्र कें समस्तीपुर मे एकटा समारोह दौरान ग्रेनेड फेक अधमरु क देल छल आ अगिला दिन हुनक मृत्यु भ गेल छल।

एहि हत्याकांडक मुकदमा क सुनवाई क बीच 200 सं फ़ाज़िल गवाह सं पूछाताछी भेल जाहिमे अभियोजन पक्षक 161 आओर बचाव पक्षक 40 सं फ़ाज़िल गवाह छलथि। हत्याकांडमे आरोपी वकील रंजन द्विवेदी कें 24 बरखक उमेर मे आनंद मार्ग समूहक चारि गोट सदस्यक संग आरोपी बनाओल गेल छल। द्विवेदी क संग संतोषानंद अवधूत, सुदेवानंद अवधूत आ गोपालजी अभियुक्त छथि। एहि म सं एकटा अभियुक्तक मुकदमा क सुनवाईक बीचे मृत्यु भ गेल छल। चारु आरोपी गोपालजी, रंजन द्विवेदी, संतोषानंद अवधूत आ सुदेवानंद अवधूत कें सजा पर 15 दिसंबर कें बहस होएत आ सजा भेटत।

Saturday, December 6, 2014

प्रतिव्यक्ति आय मे सभसं पाछू बिहार

पटना/पूर्णिया : पाइ कमेबाक मामिला मे बिहार अखनो देशक सभसं पिछड़ल प्रदेश अछि, आ एकरा बाद उत्तर प्रदेश। गोवा 2 लाख 514 रुपयाक संग सभसं ऊपर अछि, आ राजधानी दिल्ली दोसर नंबर पर अछि।

योजना मंत्री राव इंद्रजीत सिंह लोकसभामे एकटा लिखित प्रश्नक जवाब दैत कहलनि जे बरख 2012-13क आंकड़ा के देखी त बिहारमे प्रति व्यक्ति आय 27202 रुपया सालाना अछि। पिछड़ल राज्यमे बिहारक बाद उत्तर प्रदेशक नंबर अछि जतय प्रति व्यक्ति आय 33616 रुपये अछि। एही मामिला मे पांच सभसं पिछड़ल राज्य मे मणिपुर (36937 रुपया), झारखंड 40238 रुपया आ असम 40475 रुपया अछि।
प्रति व्यक्ति आयक गणना राष्ट्रीय/राज्य आय केन ओतुक्का कुल जनसंख्या सं विभाजित क कयल जाइत अछि। प्रति व्यक्ति आय ओहि क्षेत्रक विकासक महत्वपूर्ण पैमाना मानल जाइत अछि।

Friday, December 5, 2014

केंद्र आ राज्य सरकारक बीच पिसाइत महात्मा गांधी सेतु

मुजफ्फरपुर/पटना : मिथिला आ राजधानी पटना कें जोरनिहार लाइफलाइन महात्मा गांधी सेतु क हालत ल राजनीति कोनो तरहे उचित नहि। महात्मा गांधी सेतुक विकल्प तैयार करब त दूर, एकरा ठीक-ठाक करबा पर सेहो गंभीरता सं धियान नहि देल जा रहल अछि। नेतागण कें पुल के पुल रहे देबाक चाही नहि की ओकरा राजनीतिक पुल बना दी। पिछला किछु बरख सं गांधी सेतुक लगातार इलाज भ रहल अछि मुदा ओकर हालत आओर ख़राब भेल जा रहल अछि। पैघ वाहन क परिचालन त प्रतिबंधित अछिये, सेतुक दुनू लेनक स्थिति इ अछि जे भविष्यमे में कहियौ पूर्ण आवागमन शुरू भ सकत, कहब मुश्किल अछि। पुल पर लगातार जाम लागल रहैत अछि।

महात्मा गांधी सेतु युवावस्थामे बूढ़ा भ गेल। अगिला बरख राज्यमे विधानसभा चुनाव हेबाक अछि आ तैं राजनीतिक दल एहि पुल पर अप्पन रोटी सेंकब शुरू क देलक अछि। नेता सभ कें इ चिंता अखने सं खेने जा रहल अछि जे जौं कही पुल पर आवागमन बंद भेल त जनता हुनका केमहुरको नहि छोड़त मुदा जनता अखन धरि चुप्प अछि. सेतु कें राजनीतिक आईनामे राखी देखी त राज्यक  पथ निर्माण मंत्री किछु दिन पहिले कहने छलथि जे सेतु वेंटिलेटर पर अछि आ एकरा लेल केंद्रीय भूतल परिवहन मंत्री नितिन गडकरी जिम्मेवार छथि, किएक त ओ अप्पन मंत्रालयक 100 दिनक काज पर वीडियो कांफ्रेंसिंगमे कहने छलथि जे एकर पुनर्निर्माण  होएत। एम्हर भूतल परिवहन मंत्रलय आ राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरणक अधिकारी कहैत छथि जे इ सही अछि जे एकर रखरखावक जिम्मा एनएचएआइ लग अछि। मेंटेनेंस लेल पाइ ओ दैत अछि आ राज्य सरकार अप्पन एजेंसी सं काज कराबैत अछि। 2001 सं अखन धरि एनएचएआइ पुल कें ठीक-ठाक करबाक लेल 208.38 करोड़ स्वीकृत भेल जाहिमे 127.79 करोड़ रुपये खर्च कायल जा चुकल अछि। 2012मे संप्रग सरकारमे केंद्रीय भूतल परिवहन मंत्री रहल सीपी जोशी आ तत्कालीन मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक बीच भेल बैसारमे इ एलान भेल जे गांधी सेतुक समानांतर कच्ची दरगाह लग सं नव पुल बनेबाक लेल केंद्र सं एनओसी मंगल जाएत। गांधी सेतु कें छह बरख धरि समानांतर पुलक बंबा धरि मरम्मत क चालू राखल जाएत मुदा कच्ची दरगाह पर बने वला पुल शिलान्यास सं आगू नहि बढ़ी सकल। ओना नीक इ होएत जे केंद्र आ राज्यमे सत्तासीन लोक पल कें राजनीति सं अलग राखी आ संयुक्त रुपे ठोस रणनीति बनाबथि जाहि सं आम लोक कें दिक्कत नहि होइ।

आदित्य
संपादक, मिथिला प्राइम

Tuesday, October 14, 2014

आब के बनाओत लक्ष्मी-गणेशक मूर्ति

भागलपुर/बेगूसराय : आधुनिकताक दौड़मे जतय विभिन्न तरहक आकर्षक झालर आ बल्ब बाजारमे आबि गेल अछि मुदा बिजलीक कमी आ महंग होएबाक कारणे बिजलीक सामान अधिकतर लोकक पहुंच सऽ बाहर अछि।

 एनामे कुम्हारक व्यवसाय पर कोनो फर्क नहि पड़ल अछि आ यैह कारण अछि जे दीयाबाती अबिते देरी कुम्हार दीप, भुटकी, ऋद्धि-सिद्धि, गणेश-लक्ष्मी आदिक निर्माणमे जुटि गेल छथि। कुम्हार सभ कहैत छथि जे ओ सभ दिनराति मेहनत कऽ घैल, दीप, भुटकी संगे विभिन्न प्रकारक मूर्तिक निर्माण करैत छथि। पावनि पर तऽ मेहनत कऽ सामान बनाबय छी आ आपूर्ति सेहो भऽ जाइत अछि मुदा तखनो महंगाइक मारि झेलय पड़ि रहल अछि कियैक तऽ शहरक आबादी बढ़ि जेबासं आब तऽ मिट्टी कीनि कऽ दूरसं आनय पड़ैत अछि संगे जारन सेहो दिनानुदिन महंग होइत जा रहल अछि आ ऊपरसं मिट्टीक बर्तनक बिक्रीमे लगातार गिरावट आबि रहल अछि। हिनक सभक कहब अछि जे आर्थिक स्थिति दयनीय होयबाक बावजूद सरकार द्वारा हुनका सभ के कोनो तरहक आर्थिक सहायता नहि भेटैत अछि। लालकार्ड, बीपीएल, अन्त्योदय, अन्नपूर्णा आदि लाभ सभसं सेहो हिनका सभकेँ वंचित कऽ देल जाइत अछि।

Sunday, September 28, 2014

मैया होइयौ ने सहाय, खेलै छी हम झिझिया

सहरसा : एक टा जमाना छल जखन गुजरातक डांडिया जेकां मिथिलामे झिझियाक धूम रहैत छल। नवरात्रिक दौरान प्राय: सभ गाम सऽ झिझिया खेलाय लेल एकटा टोली निकलैत छल, बहुतो गाममे तऽ एकटासं बेसी टोली निकलैत छल। मां दुर्गाक सोँझा झिझिया नृत्य-गायनक संग गामक गलीमे सेहो टोली घूमैत छल, मुदा आधुनिकताक प्रभावक प्रतापे इ लोक परंपरा खत्म होइत जा रहल अछि। बहुत कम ठाम आब इ परंपरा जीवित अछि आ ओहोमे नव पीढ़ी केर लोक नहि देखल जाइत छथि।

एहन मान्यता रहल अछि जे दुर्गा पूजाक समय कारी जादू-टोना करनिहार अप्पन जादूसं लोकसभ केँ परेशान करैत अछि, मुदा जे आदमी झिझिया देखि लैत छैक ओकरा पर एकर कोनो असर नहि होइत छैक आ ओ सुरक्षित रहैत छथि। झिझियामे छिद्रयुक्त माटिक दू टा घैल रहैत अछि आ दुनू के बीचमे माटिक ढाकन रहैत अछि। दुनू घैलामे दीप जराओल जाइत अछि। एकरा बाद ओहि घैला के माथ पर राखि कऽ महिला घरसं निकलैत झिझिया गाबैत, नाचैत मैया लग पहुंचैत छथि आ ओतय मैया केँ प्रसन्न करबा लेल एकटा विशेष तरहक नृत्य होइत अछि। एकरा बाद महिला लोकनि गामक गलीमे घूमैत छथि। जाहि महिलाक माथ पर घैल रहैत अछि ओ बीचमे रहैत छथि आ बाद बाकी महिला लोकनि हुनका चारु कात घेरा बना लैत छथि। एहि दौरान अपन परिवारक संग गामक कल्याण लेल कामना कैल जायत अछि। एहि दौरान झिझिया सऽ जुड़ल गीत - दुर्गा मैया होइयौ ने सहाय, खेलै छी हम झिझिया, के तोरा देलकउ दुर्गा झिझियो के पतिया, दमदा के आगर देबौ, भतरा के छागर देबौ आदि लगातार गाओल जाइत अछि। पुरान पीढ़ीक कंठमे इ गीत ठहरि जाइत अछि मुदा नबका पीढ़ी के अधिकतर आदमी एकरा बेकार मानैत छथि। एहि भौतिकवादी आ इक्कीसम सदीक युगमे झिझिया खेलनिहार केँ अनपढ़ आ अंधविश्वासी मानल जाइ लागल अछि, एहि कारणवश झिझायाक टोली दिनानुदिन घटल जा रहल अछि। झिझिया तऽ खराब विचार आ दोसरक अहितक सोच से दूर रहबाक संगे सर्व कल्याण भावनाक संदेशक माध्यम अछि।

Friday, September 26, 2014

10 नवंबर कें आएत ललित बाबू पर फैसला

समस्तीपुर/नई दिल्ली : 39 बरख पहिले भेल केंद्रीय रेल मंत्री ललित नारायण मिश्र हत्याकांड मामिला मे कड़कड़डूमा कोर्ट अप्पन फैसला सुरक्षित राखि लेलक अछि। जिला जज विनोद गोयल कहलन्हि जे, दुनू पक्ष केँ जौँ किछु कहबाक अछि तऽ सप्ताह भरि मे अप्पन लिखित दलील हुनका देथि। कोर्ट 10 नवंबर केँ फैसला सुनाएत।


बता दी जे 2 जनवरी, 1975 केँ समस्तीपुर स्टेशन पर एकटा समारोह मे भेल बम ब्लास्टमे रेल मंत्री ललित नारायण मिश्र गंभीर रूपे घायल भऽ गेल छलथि आ अगिला दिन हुनक मृत्यु भऽ गेल छल। 200 सं फाजिल गवाह वला एहि मामलाक मुख्य आरोपी संतोषानंद अवधूत, सुदेवनंदा अवधूत, रंजन द्विवेदी आ गोपालजी छथि। आरोपी अप्पन बचाव मे 40 टा गवाह केँ पेश केने छल। चार्जशीट सीबीआइ पटना मे 1 नवंबर, 1977 केँ दायर केने छल। सुप्रीम कोर्ट मामला केँ 1979 मे दिल्लीक अदालत स्थानांतरित कऽ देने छल। आरोपी, अपना पर दर्ज एफआइआर केँ रद्द करेबाक मांग सुप्रीम कोर्ट सं केने छल जेकरा कोर्ट ने 17 अगस्त, 2012 केँ खारिज कऽ देलक।
बातबी जे सुप्रीम कोर्ट एहि मामलाक जल्दिये निर्णय करबाक आदेश जारी केने छल। सितंबर, 2012 मे एक्कर सुनवाई कड़कड़डूमा कोर्ट मे शुरू भेल छल।

Monday, September 22, 2014

'जान सं' फिल्म मे पाग पर प्रहार ?

दरभंगा : श्रीज्योति फिल्म एंड म्यूजिक बैनरक तर बनल मैथिली सिनेमा 'जान सं' फिल्म जल्दिये रिलीज होमय जा रहल अछि, एहि फिल्मक एकटा दृश्य मिथिलाक आन बान आ शान कें छत्ता पर घुमाबैत देखाओल गेल अछि।
मिथिलाक शान छत्ता पर
 आहाँ सभक मोन में आयल होएत जे इ आन बान आ शान की अछि ? मिथिलाक आन बान आए शान 'पाग' कें फ़िल्मक एकटा गीत पर फ़िल्मक एकटा हास्य कलाकार द्वारा छत्ता पर घुमाबैत देखाओल गेल अछि। मिथिलाक शान कें एही तरहेँ देखायब की मिथिला संस्कृति आ संस्कार पर प्रहार नै ता और की ? मिथिला प्राइम वो दृश्य कें पाठकक सोझां राखी रहल अछि।

Wednesday, July 16, 2014

भारतीय मुद्रा पर मैथिलीक प्रकाशन हो : पप्पू यादव

मधेपुरा/नई दिल्ली : सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव मैथिली भाषाक प्रकाशन रुपया (नोट) पर नहि हेबाक मामिला संसद मे उठौलनि। सांसद कहलनि जे आठम अनुसूची मे जुड़ल 15 भाषाक प्रकाशन भारतीय मुद्रा पर रिजर्व बैंक ऑफ इंडिया द्वारा कएल जाइत अछि मुदा आठम अनुसूची मे जुड़ल मैथिली भाषामे प्रकाशन नहि भऽ रहल अछि। भारत सरकार आ बिहार सरकारक कतेको एहन कार्य योजना मे मैथिली भाषा केँ सम्मानक दृष्टिये नहि देखल जाइत अछि। एकरा लेल जरूरत पड़ल तऽ आंदोलन कएल जाएत।

Thursday, June 12, 2014

मिथिला बनय अलग राज्य : विहंगम

पटना : अखिल भारतीय अनुसूचित जाति आ अनुसूचित जनजाति विकास संघक कार्यकारिणी क एकटा बैसार बीतल बुध गत्ते भेल जाहि मे सर्वसम्मति सं इ निर्णय लेल गेल जे 29म राज्य तेलांगाना जेँका बिहार सं पृथक मिथिला राज्य बनबाक चाही। बैसारक अध्यक्षता करैत डा॰ बिलट पासवान विहंगम कहलनि जे छोट राज्य बनला सं मिथिलाक संपूर्ण विकास होएत।

Monday, November 19, 2012

सुप्रसिद्ध बूढ़ी माई मंदिर मेँ भेल चोरी

मधुबनी : जिलाक राजनगर थाना क्षेत्रक मंगरौनी गाम स्थित प्रसिद्ध बूढ़ी माई भगवती मंदिर से बीतल शनिक राति अज्ञात चोर लाखोँ रुपयाक आभूषणक संगे आन बहुतो सामान चोरी कऽ लेलक।मंदिरक पुजारी सुभाष चन्द्र झा बतौलैथ जे चोर मंदिर से चानीक छतरी,चाल,छह टा मुकुट,मटरमाला,हार,सोनाक दू टा बिँदी आ नगद रुपया संगे बहुतो कीमती सामान चोरा लेलक,जेकर अनुमानित राशि दू लाख आंकल जा रहल अछि।एहि संबंध मेँ मंदिर केर पुजारीक कहब पर राजनगर थाना मेँ एफआईआर दर्ज कऽ लेल गेल हँ।

घटनाक संबंध मेँ अपर निरीक्षक प्रवीण कुमार बतौलैथ जे मंदिर केर मुख्य दरवाजा पर लागल ताला के तोड़ि के चोर मंदिर मेँ प्रवेश कयलक।मंदिर परिसर के शांत देखि सभ कीमती सामानक चोरी कयलक।ओ कहलैथ जे मामलाक भंडाफोड़ करय लेल सघन छापेमारी जारी अछि।

Wednesday, October 31, 2012

आब के बनाओत लक्ष्मी-गणेशक मूर्ति ?

गोड्डा/दुमका : आधुनिकताक दौड़ में जतय विभिन्न तरहक आकर्षक झालर आ बल्ब बाजार में आबि गेल अछि मुदा बिजलीक कमी आ महंग होयबाक कारणे बिजलीक सामान अधिकतर लोकक पहुंच सऽ बाहर अछि।एना में कुम्हारक व्यवसाय पर कोनो फर्क नहिँ पड़ल अछि आ यैह कारण अछि जे दीपावली अबिते देरी कुम्हार दीप,भुटकी,ऋद्धि-सिद्धि,गणेश-लक्ष्मी आदिक निर्माण में जुटि गेलैथ हँ।स्थानीय शिवपुरक निवासी सुरेश पंडित,भवेश पंडित आदि बताबैत छैथ जे वो सभ दिनराति मेहनत कऽ घैल,दीप,भुटकी संगे विभिन्न प्रकारक मूर्ति के निर्माण करैत छैथ।पर्व-त्योहार पर तऽ मेहनत कऽ सामान बनाबय छी आ आपूर्ति सेहो भऽ जाइत अछि मुदा तखनो महंगाईक मारि झेलय पड़ि रहल अछि कियैक तऽ शहरक आबादी बढ़ जयबा से आब तऽ मिट्टी कीनि कऽ दूर से आनय पड़ैत अछि।जलावन सेहो दिनानुदिन महंग होइत जा रहल अछि आ ऊपर से मिट्टीक बर्तनक बिक्री में लगातार गिरावट आबि रहल अछि।ओ बतैलैथ जे हुनक आर्थिक स्थिति दयनीय होयबाक बावजूद सरकार द्वारा हुनका सभ के कोनो तरहक आर्थिक सहायता नहिँ भेटैत अछि।लालकार्ड, बीपीएल,अन्त्योदय, अन्नपूर्णा आदि लाभ सभ से सेहो हमरा सभ के वंचित कऽ देल जाइत अछि।

Sunday, October 21, 2012

मिथिला राज्य पर LN मिथिला वि॰वि॰ कराओत बहस


पृथक मिथिला राज्यक गठन केर बहसमें आब दड़िभंगे - मधुबनी नञिं, अपितु बेगूसराए आ समस्तीपुरक छात्रसभ सेहो शामिल होताह।

ललित नरायण मिथिला विश्वविद्यालयक युवा महोत्सवमें एहिं विषय पर बहस कराओल जाएत। एकरा लेल महोत्सवक आयोजक समितिक अध्यक्ष (प्रधानाचार्य डा. राम कुमार मिश्र) वाद-विवाद प्रतियोगिता लेल “पृथक मिथिला राज्य के गठन का औचित्य और संभावनाएं” विषय पर मुहर लगा देलाह अछि।

मैथिल के भेटय सभ क्षेत्र मेँ प्रतिनिधित्व

दिल्ली में लाखक संख्या में रहय वला मिथिलाक लोककेँ शैक्षणिक, सामाजिक आ राजनीतिक प्रतिनिधित्व दयबाक मांग जोर पकड़य लागल हँ। अखिल भारतीय मिथिला संघक महामंत्री शंभू नाथ मिश्रा एहि संबंध में दिल्लीक मुख्यमंत्री शीला दीक्षित आ प्रदेश भाजपा अध्यक्ष विजेंद्र गुप्ता के पत्र लिखि मिथिलाक लोककेँ सभ क्षेत्र में संग लऽ चलबाक मांग कयलैथ हँ।राजनीतिक दृष्टिकोण से जाहि तरहेँ मिथिलाके लोककेँ तिरस्कृत कैल जा रहल अछि,ओ पत्र में साफ लिखलैथ हँ जे आबय वला समय में दिल्ली के एकर खामियाजा भुगतय पड़त।
मिथिलाक लोक द्वारा बोबय जाय वला मैथिली भाषा के भारतीय संविधानक अष्टम् अनुसूची में स्थान भेटल अछि मुदा दिल्लीक स्कूल सभ में मैथिली भाषाक पढ़ाई नहिँ होइत अछि।मिश्रा मुख्यमंत्री के एक विशेष पत्र लिखि दिल्लीक स्कूल सभ में मैथिली भाषाक पढ़ाई सुनिश्चित कराबय लेल गंभीरता से विचार करय लेल कहलैथ हँ!

Tuesday, August 14, 2012

ललित नारायण मिश्र के भारत रत्न दयबाक मांग

ललित नारायण मिश्र सांस्कृतिक आ सामाजिक कल्याण समितिक वार्षिक आमसभा मेँ ललित नारायण मिश्र के भारत रत्न दयबाक मांग कैल गेल।बीतल काल्हि जमशेदपुर छोटागोँविदपुर स्थित मिथिला भवन मेँ नवकांत झाक अध्य्क्षता मेँ आयोजित आमसभा के संबोधित करैत समितिक महामंत्री बसंत कुमार मिश्र ललित बाबू द्वारा मिथिला समाज,मैथिली भाषा,संस्कृति आ भाषा लेल कैल गेल काज पर अपन विचार रखलैथ।

आमसभा मेँ अशोक कुमार झा,एमसी मधुकर,सीताकांत पाठक,मनमोहन मिश्र,संजीव कुमार झा आदि उपस्थित छलैथ।