मधुबनी : जिलाक राजनगर थाना क्षेत्रक मंगरौनी गाम स्थित प्रसिद्ध बूढ़ी माई भगवती मंदिर से बीतल शनिक राति अज्ञात चोर लाखोँ रुपयाक आभूषणक संगे आन बहुतो सामान चोरी कऽ लेलक।मंदिरक पुजारी सुभाष चन्द्र झा बतौलैथ जे चोर मंदिर से चानीक छतरी,चाल,छह टा मुकुट,मटरमाला,हार,सोनाक दू टा बिँदी आ नगद रुपया संगे बहुतो कीमती सामान चोरा लेलक,जेकर अनुमानित राशि दू लाख आंकल जा रहल अछि।एहि संबंध मेँ मंदिर केर पुजारीक कहब पर राजनगर थाना मेँ एफआईआर दर्ज कऽ लेल गेल हँ।
घटनाक संबंध मेँ अपर निरीक्षक प्रवीण कुमार बतौलैथ जे मंदिर केर मुख्य दरवाजा पर लागल ताला के तोड़ि के चोर मंदिर मेँ प्रवेश कयलक।मंदिर परिसर के शांत देखि सभ कीमती सामानक चोरी कयलक।ओ कहलैथ जे मामलाक भंडाफोड़ करय लेल सघन छापेमारी जारी अछि।

0 comments:
Post a Comment