मधुबनी जिलाक ननौर गाममें रवि के ‘टू स्टेप’ संस्थाक तत्वावधानमें स्वतंत्र मिथिला राज्यक गठन पर एकटा संगोष्ठीक आयोजन कएल गेल। जेहिंमें वक्ता लोकनिं पृथक मिथिला राज्यक गठन कएने बिना मिथिलाक विकास संभव नञिं हेबाक गप्प कहलाह।
एहिं अवसर पर प्रसिद्ध समाजसेवी परमानंद झा बाजलाह की मैथिलीके संविधानक आठम अनुसूचीमें स्थान तऽ भेटल, मुदा राजकाजमें एकरा लागू नञिं कएल गेल। जेकी दु:खद अछि। अलग राज्य बनलाक बाद एतए विकासमें तेजी आओत। जेकरा सँ एहिंठामक लोगक जीनगीक स्तर उपर उठ सकत।
ओ जनओलाह की मिथिला मैथिली लेल आंदोलन कऽ रहल सभटा संगठनके एकटा मंच सँ अलग मिथिला राज्यक गठन लेल आगू आबए पड़तनि, तखने लख्य हासिल कएल जा सकत।
0 comments:
Post a Comment