Monday, November 19, 2012

हिंदू-मुस्लिम सौहार्दक प्रतीक अछि- महापबनि छठि


सूर्य उपासनाक महाबनि छठि न केवल लोक आस्थाक पबनि अछि, मुदा ई हिंदू-मुस्लिमक सौहार्दक मिसाल सेहो कायम करैत अछि। बिहारमें छठि पबनि लेल जेहिं चूल्हा पर पबनओतनि नैबेद बनाबै छथिं, उ चुल्ही मुस्लिम परिवार द्वारा बनाओल जाइत अछि।

एतबे नञिं, जोलाहा-बहुल क्षेत्र मिथिलामें बहुतो ठाम मुस्लिम महिला लोकनि मोनभर आस्थाक सँ छठि पबनि करै छथिं ।

वैशाली जिलाक विदुपुर प्रखंडक बहुतटा गाममें मुस्लिम परिवार छठ में सिरकत करै छथिं आ महिला लोकनिं नियमपूर्वक पबनि सेहो करै छथिं। हुनक कहनाम छनि की छठि पबनिक महिमा अपरंपार अछि, आ भगवान कोनो एक पंत-धरम केर नञिं होइत छथिं।

0 comments:

Post a Comment