मुजफ्फरपुर/पटना : मिथिला आ राजधानी पटना कें जोरनिहार लाइफलाइन महात्मा गांधी सेतु क हालत ल राजनीति कोनो तरहे उचित नहि। महात्मा गांधी सेतुक विकल्प तैयार करब त दूर, एकरा ठीक-ठाक करबा पर सेहो गंभीरता सं धियान नहि देल जा रहल अछि। नेतागण कें पुल के पुल रहे देबाक चाही नहि की ओकरा राजनीतिक पुल बना दी। पिछला किछु बरख सं गांधी सेतुक लगातार इलाज भ रहल अछि मुदा ओकर हालत आओर ख़राब भेल जा रहल अछि। पैघ वाहन क परिचालन त प्रतिबंधित अछिये, सेतुक दुनू लेनक स्थिति इ अछि जे भविष्यमे में कहियौ पूर्ण आवागमन शुरू भ सकत, कहब मुश्किल अछि। पुल पर लगातार जाम लागल रहैत अछि।
महात्मा गांधी सेतु युवावस्थामे बूढ़ा भ गेल। अगिला बरख राज्यमे विधानसभा चुनाव हेबाक अछि आ तैं राजनीतिक दल एहि पुल पर अप्पन रोटी सेंकब शुरू क देलक अछि। नेता सभ कें इ चिंता अखने सं खेने जा रहल अछि जे जौं कही पुल पर आवागमन बंद भेल त जनता हुनका केमहुरको नहि छोड़त मुदा जनता अखन धरि चुप्प अछि. सेतु कें राजनीतिक आईनामे राखी देखी त राज्यक पथ निर्माण मंत्री किछु दिन पहिले कहने छलथि जे सेतु वेंटिलेटर पर अछि आ एकरा लेल केंद्रीय भूतल परिवहन मंत्री नितिन गडकरी जिम्मेवार छथि, किएक त ओ अप्पन मंत्रालयक 100 दिनक काज पर वीडियो कांफ्रेंसिंगमे कहने छलथि जे एकर पुनर्निर्माण होएत। एम्हर भूतल परिवहन मंत्रलय आ राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरणक अधिकारी कहैत छथि जे इ सही अछि जे एकर रखरखावक जिम्मा एनएचएआइ लग अछि। मेंटेनेंस लेल पाइ ओ दैत अछि आ राज्य सरकार अप्पन एजेंसी सं काज कराबैत अछि। 2001 सं अखन धरि एनएचएआइ पुल कें ठीक-ठाक करबाक लेल 208.38 करोड़ स्वीकृत भेल जाहिमे 127.79 करोड़ रुपये खर्च कायल जा चुकल अछि। 2012मे संप्रग सरकारमे केंद्रीय भूतल परिवहन मंत्री रहल सीपी जोशी आ तत्कालीन मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक बीच भेल बैसारमे इ एलान भेल जे गांधी सेतुक समानांतर कच्ची दरगाह लग सं नव पुल बनेबाक लेल केंद्र सं एनओसी मंगल जाएत। गांधी सेतु कें छह बरख धरि समानांतर पुलक बंबा धरि मरम्मत क चालू राखल जाएत मुदा कच्ची दरगाह पर बने वला पुल शिलान्यास सं आगू नहि बढ़ी सकल। ओना नीक इ होएत जे केंद्र आ राज्यमे सत्तासीन लोक पल कें राजनीति सं अलग राखी आ संयुक्त रुपे ठोस रणनीति बनाबथि जाहि सं आम लोक कें दिक्कत नहि होइ।
आदित्य
संपादक, मिथिला प्राइम

0 comments:
Post a Comment