भागलपुर: भागलपुरक लोक कें आब पासपोर्ट बनेबा लेल आब पटना जेबाक जरुरत नहि रही जाएत। आब भागलपर मे पासपोर्ट तैयार भ जाएत।
भागलपुरमे जल्दिये पासपोर्ट सेवा केंद्र खोलबाक आदेश केंद्रीय विदेश मंत्री सुषमा स्वराज देलन्हि। एकर पहल भाजपाक राष्ट्रीय प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन केने छलथि। पिछला मास भागलपुरक व्यवसायीक एकटा प्रतिनिधिमंडल शाहनवाज हुसैन सं भेंट केने छल आ पासपोर्ट सेवा केंद्र खोलबाक मांग केने छल। हिनक सभक कहब छल जे भागलपुरमे केंद्र खुलला सं लगक जिलाक लोक कें सेहो फायदा होएत, अखन एहि काज लेल पटना जाइ पड़ैत अछि। भागलपुरक पूर्व सांसद हुसैन कहलनि जे स्थानीय व्यापारीक हित कें देखैत, विदेश मंत्री सं एकर स्थापनाक मांग केने छलौं।

0 comments:
Post a Comment