Showing posts with label दरभंगा. Show all posts
Showing posts with label दरभंगा. Show all posts

Monday, December 17, 2018

11 बरख बाद फेर सं शुरू भेल मुजफ्फरपुर-दरभंगा रेलखंडक सर्वे

11 बरख क' बाद फेर सं मुजफ्फरपुर-दरभंगा नव रेल खंड क' निर्माण लेल सर्वे काज शुरू भ' गेल. 2012 क' बाद वित्तीय वर्ष 2018-19 क' बजट में स्वीकृति भेटलाक बाद पूर्व मध्य रेलवे प्राथमिकता आधार पर मुजफ्फरपुर-दरभंगा रेलखंड क' सर्वेक काज पूरा करबा मे लागि गेल अछि. सर्वेक काज जल्दी पूरा भेला सं बजट मे रेलवे बोर्ड सं वर्क सैंक्शन करा एहि परियोजना कें शुरू कएल जा सकैत अछि.

समय सं काज शुरू नहीं हेबाक कारणे योजना क' लागत करीब चौगुना भ' गेल अछि. योजना क' स्वीकृत लागत 282 करोड़ रुपया छल जे बरख 2007-08 में भेल सर्वेक्षण मे 495 करोड़ रुपया भेल छल आ 2012 मे रेलवे बोर्ड क' नव पॉलिसी एलाक बाद काज रोकि देल गेल छल. 282 करोड़ सं स्वीकृत योजना क' लागत बढ़ि क' आब 1050 करोड़ भ' गेल अछि.

किएक चाही मुजफ्फरपुर-दरभंगा रेल खंड?

मुजफ्फरपुर सं दरभंगा दू तरहें पहुंचल जा सकैत अछि, समस्तीपुर आ सीतामढ़ी बाटे. समस्तीपुर होइत दरभंगा क' दूरी 90 किलोमीटर अछि आ एहि मे कम सं कम 2 घंटा लगैत अछि. सीतामढ़ी बाटे दरभंगा क' दूरी 133 किलोमीटर अछि आ एहि मे कम से कम 2 घंटा 15 मिनट लगैत अछि. दरभंगा सं मुजफ्फरपुर क' दूरी 66 किलोमीटर हछैक एहि रेलखंड क' बनला सं 1 घंटा मे मुजफ्फरपुर सं दरभंगा पहुंचल जा सकैत अछि.

Friday, August 3, 2018

Video: मिथिला राजक मांग ल' कीर्ति आजाद संसद मे उठेलनि आवाज


लोकसभा मे बीतल बृहस्पति दिन दरभंगा क' भाजपा सांसद कीर्ति आजाद उत्तर बिहार क' मिथिला क्षेत्र कें अलग राज बनेबाक मांग उठेलनि.

शून्यकाल में भाजपा सदस्य कीर्ति आजाद कहलनि जे उत्तर बिहार क' मिथिला क्षेत्र कृषि, शिक्षा मे मजगूत रहल अछि मुदा एखुनका समय मे मिथिला मे कतेको उद्योग बंद होएबाक बाद हालात खराब छैक. बाढ़ि, सुखाड़ सन प्राकृतिक विपदा कें कारणे क्षेत्र क' लोक के बड्ड दिक्कत भ' रहल छैक.

वीडियो देखू.
आज़ाद कहलनि जे सांस्कृतिक आओर भाषाई आधार पर मिथिला के अलग राज बनेबाक मांग संवैधानिक रूपे उचित अछि आ केंद्र सरकार के एहि दिस ध्यान देबाक चाही.

Saturday, July 21, 2018

मिथिला पेंटिंग सं सजत पटना राजधानी आओर बिहार संपर्क क्रांति एक्सप्रेस


फोटो: अजित चौधरी

मिथिलाक विरासत मिथिला पेंटिंग आब ट्रेन पर सेहो देखल जाएत. बिहार क' बहुतो रेलवे टीसन क' दीवार के सजेलाक बाद मिथिला पेंटिंग सं आब बिहार संपर्क क्रांति आ पटना राजधानी सन ट्रेन के सजाओल जा रहल अछि. मिथिलाक एहि पारंपरिक कला कें बढ़ावा देबा लेल एकर शुरुआत कयल गेल अछि. शुरुआत मे पटना राजधानी क' 22 टा कोच क' अंदर आओर बाहर मिथिला पेटिंग क' अद्भुत नजारा देखबाक लेल भेटत.

प्रभात खबर सं गप्प करैत दानापुर डिवीजनल रेलवे मैनेजर (डीआरएम) रंजन ठाकुर कहलनि, "मिथिला पेंटिंग सं 100 टा कोच के सजाओल जाएत. एहि मे राजधानी एक्सप्रेस क' संग संपर्क क्रांति एक्सप्रेस आ जनसाधारण एक्सप्रेस मे पारंपरिक मिथिला चित्रकारी कयल जाएत. एहि कलाकृति क' संग पटना राजधानी एक्सप्रेस क' एकटा विशिष्ट पहिचान बनि जओत, जे राजेंद्र नगर स्टेशन सं नई दिल्ली धरि चलैत अछि. स्थानीय कलाकार सभकें अप्पन प्रतिभाक प्रदर्शन करबाक मौका सेहो भेटत."

एहि स्पेशल प्रोजेक्ट पर भारतीय रेलवे करीब 1 लाख रुपये प्रति कोच पर खर्च करबाक नियार केने अछि. अधिकारी बतौलनि जे दरभंगा जंक्शन पर वेटिंग हॉल सहित आओर ठाम सभकें मिथिला पेंटिंग सं सजाओल जा रहा छैक. एकरा अतिरिक्त, मिथिला पेंटिंग क' ल' रेलवे एकटा आओर डेग उठेलक अछि. रेलवे आब दरभंगा सं चलनिहार सभटा ट्रेन क' नाम मे मिथिला पेंटिंग के जोड़बाक प्लान बनेलक अछि आ एकरा लेल ट्रायल सेहो शुरू भ' गेल अछि.

अहां के बताबी जे दरभंगा जंक्शन क' यार्ड मे बिहार संपर्क क्रांति एक्सप्रेस क' एक टा बोगी कें मिथिला पेंटिंग सं सजोओल गेल अछि जे देखबा मे बड्ड सुन्नर लागि रहल छैक. दरभंगा से नई दिल्ली धरि चलय बाली वाली बिहार संपर्क क्रांति सुपरफास्ट पहिल ट्रेन होएत जेकर कोच पूर्ण रूपे मिथिला पेंटिंग सं सजल होएत.

Saturday, May 20, 2017

नव बनि रहल शक्ति आ शिव पर्यटन सर्किट मे मिथिलाक बहुतो पावन धाम कें जगह

प्रदेश मे तीन टा धार्मिक पर्यटन सर्किट विकसित कयल जाएत. शक्ति, शिव आ सिख सर्किट. पर्यटन विभाग एकरा विकसित करबाक लेल विस्तृत रिपोर्ट बना केंद्र सरकार के पठेलक. केंद्रीय पर्यटन विभाग सं एकरा लेल फंड सेहो मानल जाएत. 

बिहार पर्यटन दृष्टिये बड्ड महत्वपूर्ण क्षेत्र छैक मुदा राज सरकार पर बेर-बेर इ आरोप लगैत रहैत छैक जे पर्यटन के बढ़ावा देबा लेल प्रदेश सरकार गंभीर नहि. राज्य मे अखन हिन्दू सर्किट, जैन सर्किट, गांधी सर्किट, रामायण सर्किट, बुद्ध सर्किट आ सूफी सर्किट छैक जेकर स्थिति सेहो नीक नहि कहल जा सकैछ. आब शक्ति, शिव आ सिख सर्किट क' विकास लेल योजना बनाओल गेल अछि. 
शक्ति सर्किट : शक्ति सर्किट मे पटना क' कालीमंदिर, बड़की-छोटकी पटन देवी आ शीतला माता मंदिर, सारण क' आमी, गोपालगंज क' थावे, कैमूर क' मुंदेश्वरी, सहरसा क' उग्रतारा स्थान, मधुबनी क' उच्चैठ आ रोहतास मे मां तारा चंडी स्थान के विकसित कयल जाएत.

शिव सर्किट : मुजफ्फरपुर मे बाबा गरीब नाथ, मोतिहारी मे सोमेश्वर नाथ महादेव, सीतामढ़ी मे बाबा नागेश्वर नाथ, शिवहर मे देकुली भुवनेश्वर नाथ धाम, भागलपुर मे सुल्तानगंज क' बाबा अजगेबीनाथ, मधेपुरा क' सिंहेश्वर स्थान, दरभंगा मे कुशेश्वर स्थान आ कटिहार मे गोरखनाथ मंदिर के शिव सर्किट के रूपे विकसित कयल जाएत. 



सिख सर्किट : पंजाब क' बाद सिख धर्मावलंबी क' सभसं पैघ तीर्थस्थल बिहार अछि. राज्य क कतेको गाम मे एहन गुरुद्वारे अछि जतय हस्तलिखित गुरु ग्रंथ साहिब छैक. पटना साहिब गुरुगोविंद सिंह क' जन्मस्थली अछि. ओतहि, तेगबहादुर सेहो बहुतो ठाम बिहार मे घूमलनि. एहन-एहन ऐतिहासिक स्थल कें चुनि कें सिख सर्किट मे जोड़ल जाएत.

Wednesday, January 27, 2016

110 बरखक बादो नहि बनल दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेलखंड

मुजफ्फरपुर/दरभंगा : आजादी सं पहिले अंग्रेजक शासनकाल मे दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेलखंड निर्माण क निर्णय लेल गेल छल आ बरख 1905क वार्षिक बजट मे एहि परियोजना केँ जगह भेटल छल. एकरा बाद 103 बरख बाद माने 2008मे एहि परियोजनाक शिलान्यास तखुनका रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव केलनि.

शिलान्यास समारोह काल मे जखन सिँहवाड़ा मे लोक जुटल तखन सभ केँ जनतब भेल जे एम्हर दऽ तऽ दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेलखंड जेबे नहि करत. उपस्थित क्रोधित भीड़ केँ देखैत लालू यादव मंचहि सं एकटा नव रेलखंडक घोषणा कऽ देलनि. ओ कहलनि जे जनकपुर रोड सं एकटा रेलखंड बिछत जे सिँहवाड़ा होइत दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेलखंड सं जुड़त. भेल गलती पर सुधार करैत तखुनका दरभंगा सांसद एमएए फातमी डीलाही स्टेशन पर दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेलखंडक शिलान्यास केलनि मुदा रेलवे क अभियंत्रण विभाग अधिकारी ओ शिलापट्ट उठा लऽ गेलनि. हुनक कहब छल जे अखन धरि सर्वेक काज पूरा नहि भेल अछि आ एकरा बाद इ रेलखंड रेलवे क कागज मे हेरायल अछि.

बीतल 6 बरख सं मुजफ्फरपुर आ दरभंगा कतेको संगठन एहि रेलखंड लेल आवाज उठौलनि मुदा ओ आवाज भारतीय रेलवे धरि नहि पहुंचल। की एहि बेर बदलत 110 बरखक इतिहास ?

Monday, December 21, 2015

मिथिलाक विकासक मांग ल' दरभंगामे MSUक' जनचेतना रैली

दरभंगा : मिथिला क्षेत्रक विकासक मांग ल' मिथिला स्टूडेंट यूनियनक दरभंगा इकाई रवि दिन नेहरू स्टेडियम, लहेरियासराय सं ललित नारायण विश्वविद्यालय परिसर धरि जनचेतना रैली निकाली आन्दोलनक शंखनाद केलक अछि. रैली मे लगातार 'सब मैथिल के एक विचार-मिथिला लेत अपन अधिकार' नारा लागि रहल छल.



 एहि यात्रा मे ग्यारह सूत्री मांग कयल गेल जाहिमे प्राथमिक शिक्षा मे मैथिलीक अनिवार्यता, दरभंगा मे केंद्रीय शिक्षण संस्थानक स्थापना, डीडी मैथिली क' शुरुआत, पटना हाइकोर्टक बेंचक स्थापना दरभंगा मे, दरभंगा सं विमान सेवाक शुरुआत, आकाशवाणी दरभंगा सं सम्पूर्ण प्रसारण मैथिली मे, दरभंगा मे फ़ूड पार्क-तारामंडल क' स्थापना, बन्न पड़ल मिल फेर सं चालू करेबाक मांग सभ छल. जनचेतना यात्रा मे युवाक भागीदारी साफ़ देखा रहल छल. एहि जनचेतना रैली सैकड़ों आंदोलनी संग छलथि. 

Tuesday, November 17, 2015

समस्तीपुर रेलमंडल मे डीएमयू ट्रेन 15 सं

समस्तीपुर : जौं सभ ठीक-ठाक रहल त' समस्तीपुर रेलमंडलमे 15 दिसंबर सं डीएमयू (डीजल इलेक्ट्रिक मल्टीपल यूनिट) ट्रेनक परिचालन शुरू भ' जाएत।

पहिल चरण मे सात जोड़ी ट्रेन चलत। मंडल रेल प्रबंधक सुधांशु शर्मा सोमदिन बतेलनि जे डीएमयू ट्रेनक सुविधा समस्तीपुर-दरभंगा, दरभंगा-जयनगर, दरभंगा-रक्सौल लगाएत अन्य रेलखंड पर देल जाएत।  डीएमयू ट्रेन लेल कतेको बेर आंदोलन भेल। आब कम समय मे रेलयात्री गंतव्य धरि पहुंच सकता.

Wednesday, June 3, 2015

दरभंगा के स्मार्ट सिटी मे चयन लेल गंभीरता सं विचार करब : वैकैया नायडू

दरभंगा : आइ दरभंगा नगर विधायक संजय सरावगी, भारत सरकारक शहरी विकास मंत्री श्री एम . वैकैया नायडू जीक हुनक दिल्ली स्थित कार्यालय मे भेंट क दरभंगा शहर के स्मार्ट सिटी बनेबाक लेल चयनित करबाक आग्रह केलनि आ लिखित मे ज्ञापन सेहो देलनि. बता दी जे एहि सं पहिलहु दरभंगा सांसद, कीर्ति आज़ाद प्रधानमंत्री आ वैकैया नायडू के आग्रह क चुकल छथि।


छात्र संगठन, मिथिला स्टूडेंट यूनियन सेहो दिल्ली मे वैकैया नायडू सं भेंट क दरभंगा-सहरसा-पूर्णिया के स्मार्ट सिटीक लिस्ट मे जोड़बाक जोरदार मांग केने छल. छात्र संगठन बीतल 28 मई सं 2 जून धरि दरभंगा मे सेहो दरभंगा के स्मार्ट सिटी के जोड़बाक मांग केने छल.

वैकैया नायडू, संजय सरावगी सं गप्प करैत कहलनि जे 10 दिनक अन्दर प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एकटा समारोह मे स्मार्ट सिटीक चयनक नीति आ मापदंडक घोषणा करता तखन स्मार्ट सिटी चुनबाक प्रकिया प्रारंभ होएत. दरभंगा क चयनक संबंधमे गंभीरता सं विचार करब.

Monday, May 11, 2015

नहि खाइत छी घास-हमरो चाही सिटी स्मार्ट, जंतर मंतर पर भेल मार्च

नयी दिल्ली : दरभंगा, सहरसा आओर पूर्णिया के स्मार्ट सिटीमे शामिल करबाक उद्देश्य सं बीतल काल्हि जंतर- मंतर, नयी दिल्ली प्रदर्शन आ मार्च क आयोजन मिथिला स्टूडेंट्स यूनियन क तत्वावधान में कयल गेल. मार्च क रहल लोक सभ सं आशंकित भ पार्लियामेंट पुलिस स्टेशन मार्च क रहल लोक म सं बेसी क गिरफ्तार क लेलक जिनका सांझ 5 बजे छोड़ि देल गेल.


 प्रदर्शनकारीकारी सभ सरकारक विरुद्ध जोर-जोर सं नारा लगा रहल छलथि. प्रदर्शनकारीकारी सभ सं दिल्ली पुलिस द्वारा गलत व्यवहार कयल गेल, सूचल भेटल अछि मुदा जंतर-मंतर पर धरना दैत वैंकैया नायडूक आवास पर प्रदर्शनक संग ज्ञापन सौंपल गेल. एहि प्रदर्शन दिल्ली-एनसीआर सं सैकड़ों मैथिल पहुंचल छलथि.

Wednesday, April 29, 2015

भूकंप सं चनकल जानकी मंदिरक दीवार आओर दरभंगा किला

भूकंप सं चनकल जानकी मंदिरक दीवार आओर दरभंगा किला

जनकपुर/दरभंगा : बीतल शनि के आयल भूकम्पक बाद जनकपुरधाम धाम स्थित ऐतिहासिक जानकी मंदिरक पश्चिमी दीवार चनकि गेल, संगे एकटा गुंबद टूटबाक जनतब सेहो अछि. मन्दिरक पुजारी राम प्रकाश महंथ बतौलनि जे लगातार आबि रहल रहल भूकम्पक सं श्रद्धालुक सुरक्षा लेल मंदिर प्रवेश पर किछु देर लेल रोक लगा देल छल.

फोटो साभार : अमित

फोटो साभार : अमित

एम्हर दरभंगाक किला जे पहिलहीसं जर्जर अवस्था मे अछि, भूकंप एकर हालत आओर खराब क देलक अछि. किलाक निचा सं सड़क द हज़ारों लोक प्रतिदिन जाइत छथि जेकर सुरक्षा लेल जिला प्रशासन आओर राज्य सरकार सुतल अछि जावत कोनो पैघ घटना घटित नहि भ जाय.



भूकंप पीड़ितक संग भेल मजाक, माथ पर चिपका देलक 'भूकंप'

दरभंगा : बीतल शनि के आएल भूकंप मे भेल घायलक पहिचान लेल DMCH मे पीड़ितक माथ पर 'भूकंप' लिखा स्टीकर चिपका देल गेल बाद मे मीडिया मे समाद एला पर एकरा हटा लेल.
दरभंगाक जिलाधिकारी कुमार रवि भूकंप मे भेल घायलक माथ पर 'भूकंप' लिखल, स्टीकर चिपकेबा के गलत बताबैत कहलनि जे ओकरा तुरंत हेटबाक निर्देश द देल गेल. एहि संबंध मे जांच क आदेश द देल गेल अछि.

बता दी जे बीतल शनि के आयल भूकंप मे बिहार मे अखन धरि 58 गोटेक मृत्यु लगायत भारत मे 75 आओर नेपाल मे करीब 5097 गोटेक मारबाक सूचना अछि.

Tuesday, April 21, 2015

धूमधाम सं मनत जानकी नवमी : बैजू

दरभंगा : विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे सीयाक पूजा सं संसारक कल्याण संभव अछि। मिथिलाक लोक कें जानकीक प्रति आस्था राखब आ पूजा करब दायित्व अछि। सार्वजनिक ठाम पर मूर्ति पूजामे वृद्धि उत्साहवर्धक अछि।

मिथिला प्राइम सं गप्प करैत बैजू कहलनि जे संस्थान दिस सं 27 अप्रैल के जानकी नवमीक संग मैथिली दिवस पर समारोहक आयोजन कयल जाएत। एहि क्रममे भोर 9 बजे जानकी पूजनोत्सव आ 11 बजे सं विचार गोष्ठी आओर सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन होएत। डॉ. बैजू कहलनि जे इ दिन मिथिलावासी लेल संकल्प दिवस अछि।

Friday, April 10, 2015

10 सं 16 मई धरि दरभंगामे विशाल मिथिला राज सम्मेलनक आयोजन

दरभंगा : आगामी 10 सं 16 मई धरि दरभंगामे विशाल मिथिला राज सम्मेलनक आयोजन होएत। सम्मेलनमे मिथिला क्षेत्रक प्रमंडलक प्रतिनिधि अओताह। सम्मेलनक बाद मिथिला राजक आंदोलन कें धरना, प्रदर्शन आओर अनशनक माध्यम सं धारदार बनाओल जाएत। इ गप्प मैथिली मंचक महासचिव प्रो. उदय शंकर मिश्र प्रेस वार्ता मे कहलनि।

प्रो. मिश्र कहलनि जे क्षेत्रक विकासक लेल मिथिला राजक स्थापना आवश्यक अछि। ओ कहलनि जे मिथिला क्षेत्रमे आईआईटी, आईएमआईबीएम, ट्रिपल आईआईटी, एम्स लगाइत राष्ट्रीय आ अंतर्राष्ट्रीय स्तरक संस्थान खुलब अति आवश्यक अछि। ओ मैथिलीमे प्राथमिक सं ल माध्यमिक धरि पढ़ाई लेल जनजागरण आ सरकारी प्रयास पर जोड़ देलनि। संगहि कहलनि जे केन्द्रीय विद्यालय, सीबीएससी कोर्स मे मैथिलीक पढ़ाई लेल भारत सरकार कें ज्ञापन देबाक निर्णय लेल गेल।

Sunday, February 1, 2015

DMCH मे 579 करोड़ ₹ सं सुपर स्पेशियलिटी अस्पताल बनत

दरभंगा : DMCH मे उत्तर बिहारक सभ सं पैघ अस्पताल बनेबाक मंज़ूरी भेट गेल अछि। एतहि 960 बेड क एकटा अलग सुपर स्पेशियलिटी अस्पताल बनत, जाहिमे इमरजेंसी लगाइत सभ तरहक सर्जरीक सुविधा रहत। डीएमसीएच परिसरमे बनय वला एहि अत्याधुनिक सुपर स्पेशियलिटी सर्जरी अस्पतालक निर्माण लेल स्वास्थ्य विभाग 579 करोड़ ₹ योजनाक स्वीकृति द देलक अछि। निर्माणमे पर्यावरणीय मानक क पूरा ध्यान रखबा लेल एकरा ‘ग्रीन बिल्डिंग प्रोजेक्ट’ नाम देल गेल अछि।

एहि अस्पतालक खासियत इ अछि जे एतहि ट्रॉमा आ अति गंभीर बीमार मरीज लेल 24 घंटे सुविधा रहत। प्रस्तावित सात मंजिल भवनमे कैजुएल्टी वला मरीजक तीमारदारी लेल विशेष प्रबंध कयल जाएत। एहि सुपर स्पेशियलिटी सर्जरी अस्पतालक 960 आ डीएमसीएचक अखुनका 980 बेड पर भर्ती सभ मरीजक देखभाल लेल एकटा अलग प्रशासनिक भवन बनायल जाएत। डॉक्टर आ कर्मचारी लेल अलग-अलग पांच-पांच मंजिल क दू टा भवन बनत।

Sunday, January 11, 2015

समस्तीपुर-दरभंगा रेलखंडक होएत दोहरीकरण : मनोज सिन्हा

दरभंगा : रेल राज्यमंत्री मनोज सिन्हा आइ दरभंगा जंक्शन पर कहलनि जे रेलवे उत्तर बिहारक जरूरत ल गंभीर अछि। राज्य सरकार सं समन्वय स्थापित क नव रेल परियोजना पर अमलीजामा पहिराइल जाएत। एकरा ल रेल मंत्री सुरेश प्रभुक राज्यक मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी सं वार्ता चलि रहल अछि। ओ समस्तीपुर सं सीतामढ़ी वाया दरभंगा डीएमयू सेवा शुरू करबाक घोषणा केलनि संगे समस्तीपुर-दरभंगा रेलखंडक दोहरीकरणक आश्वासन देलनि।
दरभंगा जंक्शनक निरीक्षणक बाद संवाददाता कें संबोधित करैत कहलनि जे 20 हजार किमी नव रेल लाइन आ 10 हजार किमी आमान परिवर्तनक काज कयल जाएत। मौका पर सांसद कीर्ति आजाद दरभंगा जंक्शन पर यात्री सुविधा मे बढ़ोतरीक मांग केलनि। मौका पर हाजीपुर जोनक जीएम एके मित्तल, समस्तीपुर रेलमंडल क प्रबंधक अरुण मल्लिक, विधायक संजय सरावगी, गोपालजी ठाकुर आदि उपस्थित छलथि।

Saturday, November 8, 2014

दरभंगा आ भागलपुर मे खुजत सॉफ्टवेयर टेक्नोलॉजी पार्क : रविशंकर प्रसाद

पटना : पटना मे साफ्टवेयर टेक्नोलाजी पाक्र्स आफ इंडिया (एसटीपीआई) क इन्क्यूबेशन सेंटर क शिलान्यास करैत केंद्रीय कानून आ दूरसंचार मंत्री रविशंकर प्रसाद घोषणा केलनि जे दरभंगा आ भागलपुर मे साफ्टवेयर टेक्नोलाजी पाक्र्स आफ इंडिया स्थापित होएत, ताहि लेल मुख्यमंत्री जीतन राम मांक्षी सं आग्रह जे एकरा लेल जल्दी सं जल्दी जमीन उपलब्ध कराबी।
 ओ मुजफ्फरपुर आ बक्सर जिला मे नेशनल इंस्टीटयूट आफ इलेक्ट्रोनिक्स आ इंफारमेशन टेक्नोलाजी (एनआइईएलआईटी) क केंद्र सेहो खोलबाक की घोषणा केलनि।

मौका पर उपस्थित मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी सं प्रसाद कहलनि जे हुनक सपना अछि जे बिहार मे कम सं कम 8 -10  बीपीओ खुलबाक चाही आ ओकरा लेल पर्याप्त बिजली आ दूरसंचार कनेक्‍टिविटी क आवश्यक्ता अछि।

Wednesday, November 5, 2014

मिथिला मे पर्यटनक विकास लेल संसद मे उठायब आवाज़ : पप्पू यादव

दरभंगा : विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधान मे दरभंगाक एमएलएसएम कॉलेज परिसर मे बीतल काल्हि त्रिदिवसीय मिथिला विभूति पर्वक शुभारम्भ भेल जे 6 नवंबर धरि चलत। बताबी जे चारि दशक सं फाजिल सं लगातार चलि रहल पर्व मे एहि बेर पहिल मौका अछि जे संस्थापक बैद्यनाथ चौधरी बैजू क बिना पर्व शुरू भेल। पहिल दिन प्रातः 11 बजे संस्थान द्वारा जागरण चेतना रैली निकालल गेल जाहि मे भारी संख्या मे लोक उपस्थित छलथि, रैलीक समापन स्वच्छता अभियान सं भेल।
 

एकरा बबाद साँझ मे कार्यक्रम क उद्घाटन करैत सांसद पप्पू यादव कहलनि जे बाबा विद्यापति क साहित्य मे मानवताक सन्देश भेटैत अछि, अखुनका समय मे हुनक चिंतन के आत्मसात करबाक जरुरत अछि। सांसद कहलनि जे मिथिला मे पर्यटनक बहुत संभावना छैक आ ताहि लेल हम संसद मे मिथिला मे पर्यटनक विकास लेल आवाज़ उठायब। सांसद पप्पू यादव, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति डॉ साकेत कुशवाहा, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति डॉ देवनारायण झा, मैथिली अकादमी, पटनाक पूर्व अध्यक्ष आदि समरोह शुरू होयबा सं पूर्व महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा पर माल्यार्पण केलनि।

मिथिला विभूति पर्वक दोसर दिन संगोष्ठी कवि सम्मेलनक आयोजन कायल जाएत। सेमिनारक उद्घाटन इलाहाबाद कोर्टक न्यायाधीश धरणीधर झा करता आ रति मे नाटक क प्रस्तुति होएत।

Wednesday, October 15, 2014

दरभंगा मे बनत राज्यक दोसर तारामंडल

दरभंगा : दरभंगामे बनय वला तारामंडल पर योजना आ विकास विभागक हरियर झंडी भेट गेल। विज्ञान आ प्रावैधिकी विभाग एकर प्रस्ताव पठौने छल।


 विभाग सेहो एहि पर कैबिनेट स्वीकृति द देलक अछि। जल्दिये एकर निर्माण प्रक्रिया शुरू भ जाएत। पटनाक बाद दरभंगा मे राज्यक दोसर तारामंडल होएत। एहिमे 150 लोक कें बैसबाक क्षमता रहत। 164 करोड़ आ 31 लाख रूपया सं इ तारामंडल बनत । दरभंगा पॉलिटेक्निक कॉलेज परिसर मे 3 एकड़ मे एकर निर्माण होएत। तारामंडल क संगे एतय साइंस सेंटर आ ऑडिटोरियम सेहो बनत।

Thursday, September 4, 2014

बैजूक रिहाई लेल सरकार आगू आबय!

मधुबनी : अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक सचिव डा. इन्द्र मोहन झा बिहार सरकार सं मांग केलनि हं जे विधि विभाग सं परामर्श क' अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक महासचिव संग विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डा. वैद्यनाथ चौधरी बैजू कें जेल सं रिहा करबाक दिशामे सार्थक पहल करय। डा. झा ने कहलनि अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन के महासचिव सह विद्यापति सेवा संस्थान के महासचिव डा. जे बैद्यनाथ चौधरी बैजू पर जे भी मुकदमा लंबित अछि ओ सभटा राजनीति सं जुड़ल मुकदमा अछि। राज्य सरकार कें चाही जे ओ विधि विभाग सं परामर्श क' डा. बैजू कें जेल सं बाहर करबा मे निर्णायक पहल करय। ओ कहलनि जे डा. बैजूक मिथिला आ मैथिलीक क्षेत्रमे महान योगदान रहा अछि। डा. बैजूक रिहाई नहि भेला सं मैथिल समाजक लोक मर्माहत छथि। तैँ सरकार कें चाहीजे हुनक रिहाई लेल यथाशीघ्र निर्णायक पहल करय।

Sunday, August 31, 2014

100 देश मे ऑनलाइन बिकत मिथिलाक मखान

पटना : मिथिलाक स्वादिष्ट आ पौष्टिक मखान आब देशहि टा नहि विश्वक बाजारमे ई-कामर्स सं अप्पन धाख जमाएत आ लगभगि 100 सं फाजिल देशमे कियौ भी मात्र सप्ताह भरिक अंदर अप्पन इच्छानुसार ब्रांडेड मखान मंगवा सकत।

शक्ति सुधा नाम सं मखान ब्रांडिंग मे पहिचान बनौनिहार उद्यमी सत्यजीत सिंह शनि केँ एहिमे नव अध्याय केँ जोड़ैत मखान केँ ई-कामर्स सं विश्वक बाजार मे पहुंचेबाक सेवाक शुभारंभ केन्द्रीय कृषि मंत्री राधा मोहन सिंह केलनि।
केन्द्रीय कृषि मंत्री मौका पर कहलनि जे मखान मिथिला मे लोकप्रिय छल मुदा सिंह ई-कामर्स सं एकरा भारतक कोन कोन आ विश्वक बाजारमे पहुंचेता।
ओ कहलनि जे इ खुशीक गप्प अछि जे बिहारक संग विशिष्ट संबंध रखनिहार इ उत्पाद आब दुनियाक लगभग 100 देश मे एक सप्ताहक अंदर मंगायल जा सकैत अछि।