Monday, December 17, 2018

11 बरख बाद फेर सं शुरू भेल मुजफ्फरपुर-दरभंगा रेलखंडक सर्वे

11 बरख क' बाद फेर सं मुजफ्फरपुर-दरभंगा नव रेल खंड क' निर्माण लेल सर्वे काज शुरू भ' गेल. 2012 क' बाद वित्तीय वर्ष 2018-19 क' बजट में स्वीकृति भेटलाक बाद पूर्व मध्य रेलवे प्राथमिकता आधार पर मुजफ्फरपुर-दरभंगा रेलखंड क' सर्वेक काज पूरा करबा मे लागि गेल अछि. सर्वेक काज जल्दी पूरा भेला सं बजट मे रेलवे बोर्ड सं वर्क सैंक्शन करा एहि परियोजना कें शुरू कएल जा सकैत अछि.

समय सं काज शुरू नहीं हेबाक कारणे योजना क' लागत करीब चौगुना भ' गेल अछि. योजना क' स्वीकृत लागत 282 करोड़ रुपया छल जे बरख 2007-08 में भेल सर्वेक्षण मे 495 करोड़ रुपया भेल छल आ 2012 मे रेलवे बोर्ड क' नव पॉलिसी एलाक बाद काज रोकि देल गेल छल. 282 करोड़ सं स्वीकृत योजना क' लागत बढ़ि क' आब 1050 करोड़ भ' गेल अछि.

किएक चाही मुजफ्फरपुर-दरभंगा रेल खंड?

मुजफ्फरपुर सं दरभंगा दू तरहें पहुंचल जा सकैत अछि, समस्तीपुर आ सीतामढ़ी बाटे. समस्तीपुर होइत दरभंगा क' दूरी 90 किलोमीटर अछि आ एहि मे कम सं कम 2 घंटा लगैत अछि. सीतामढ़ी बाटे दरभंगा क' दूरी 133 किलोमीटर अछि आ एहि मे कम से कम 2 घंटा 15 मिनट लगैत अछि. दरभंगा सं मुजफ्फरपुर क' दूरी 66 किलोमीटर हछैक एहि रेलखंड क' बनला सं 1 घंटा मे मुजफ्फरपुर सं दरभंगा पहुंचल जा सकैत अछि.

0 comments:

Post a Comment