पटना : पटना मे साफ्टवेयर टेक्नोलाजी पाक्र्स आफ इंडिया (एसटीपीआई) क इन्क्यूबेशन सेंटर क शिलान्यास करैत केंद्रीय कानून आ दूरसंचार मंत्री रविशंकर प्रसाद घोषणा केलनि जे दरभंगा आ भागलपुर मे साफ्टवेयर टेक्नोलाजी पाक्र्स आफ इंडिया स्थापित होएत, ताहि लेल मुख्यमंत्री जीतन राम मांक्षी सं आग्रह जे एकरा लेल जल्दी सं जल्दी जमीन उपलब्ध कराबी।
ओ मुजफ्फरपुर आ बक्सर जिला मे नेशनल इंस्टीटयूट आफ इलेक्ट्रोनिक्स आ इंफारमेशन टेक्नोलाजी (एनआइईएलआईटी) क केंद्र सेहो खोलबाक की घोषणा केलनि।
मौका पर उपस्थित मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी सं प्रसाद कहलनि जे हुनक सपना अछि जे बिहार मे कम सं कम 8 -10 बीपीओ खुलबाक चाही आ ओकरा लेल पर्याप्त बिजली आ दूरसंचार कनेक्टिविटी क आवश्यक्ता अछि।

0 comments:
Post a Comment