Saturday, November 8, 2014

सहरसा पूर्णिया क बीच 15 अगस्त सं चलय लगत ट्रेन : पप्पू यादव

सहरसा/पूर्णिया : सहरसा सं पूर्णिया आ फारबिसगंज सं दरभंगा धरि 15 अगस्त सं ट्रेनक परिचालन शुरू भ जाएत। रेल राज्यमंत्री आ रेलवे क महाप्रबंधक सं गप्प करबाक बाद सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव इ जनतब देलनि।
ओ कहलनि जे कुसहा त्रासदी क बाद सहरसा-पूर्णिया क बीच रेल परिचालन बहुतो ठाम बाधित भ गेल छल। अखन बनमनखी धरि परिचालन शुरू भ गेल अछि। सांसद बतौलनि जे फारबिसगंज-दरभंगा रेलखंड पर तेज़ी सं काज चलि रहल अछि। एहि रेलखंड पर सेहो 15 अगस्त सं परिचालन शुरू हेबाक संम्भावना अछि। सहरसा-राघोपुर रेलखंड क अमान परिवर्तन क मादे सेहो रेलमंत्री सं गप्प भेल। एहि काज मे गति अनबाक भरोसा देल गेल अछि। सहरसा मे रेल ओवरब्रिज क संबंध मे रेलमंत्री बतौलनि जे टेंडर क प्रक्रिया चलि रहल अछि, एहि पर जल्दिये काज शुरू भ जाएत।

1 comment: