Saturday, November 8, 2014

विद्यापतिनगर बनत पर्यटन स्थल

समस्तीपुर : कवि कोकिल विद्यापति क महाप्रयाण स्थल समस्तीपुर जिलाक विद्यापतिनगर कें पर्यटन स्थल क रुपे विकसित कयल जाएत।
राज्यक जल संसाधन मंत्री विजय कुमार चौधरी एकर घोषणा केलनि।
मंत्री कहलनि जे लोकक सहभागिता सं भक्त आ भगवान क एहि पावन भूमि क महता आबय वला समय मे नव लकीर खींचत। महाकवि अप्पन भक्ति, विरह श्रृगार भावरस क रचनाक माध्यमे जन-जन क बीच अप्पन अद्वितीय छाप छोड़लनि। राष्ट्रीय कवि क रूप मे पहिचानल जाय वला कवि कोकिल क भजन सुनबा लेल स्वयं भगवान शिव अपना आप कें बाबा विद्यापतिक चाकर बना लेला । एहन अद्वितीय घटना  विश्व पटल मात्र मिथिला मे भेल अछि।

0 comments:

Post a Comment