मधुबनी/पटना : प्लेबैक एंटरटेनमेंट एंड मीडिया क बैनर तर बनल फिल्म 'जेहेन साउस तेहने पुतौह' फ़रवरी 15 मे रिलीज़ होएत। फ़िल्मक निर्माता अनिल कुमार झा आ निर्देशक चन्दन मिश्रा छथि. फ़िल्मक संगीत विकाश विभूति आ राहुल मिश्रा देने छथि।
फिल्म मे मुस्कान त्रिपाठी, पूनम मिश्रा, मीरा झा, उषा पासवान, रीना यादव, नीलकंठ झा, माधव राय, अनिल कामत, अनिल झा, जयशंकर चौधरी, अभिषेक कर्ण आदि अप्पन अभिनय क प्रदर्शन केने छथि। फ़िल्मक कथा गंगेश झा, पटकथा चन्दन मिश्रा आ संवाद अभिषेक कर्ण क अछि। फ़िल्मक गीत 'मिथिलाक धाम मे, हम्मर मोनक गाम मे ऐना, कुहकी मारैय कोइलिया,
देबौ कंगना इनाम मे, हम्मर मोनक गाम मे' 'मौगा सभक भेलै बियाह, कुंवारे हम रहलौं, पैंच ल क पादैत रहू- पैंच ल क' अखने सं मैथिल सभ कें पसिन परि रहल अछि. जेना की फ़िल्मक नाम सं लगि रहल अछि, जी पूरा फिल्म मे साउस आ पुतौह क झगड़ा देखाई देत, सेहो झगड़ा मे सुच्चा मैथिली गाइर सुनबा मे आएत।
फिल्मक ट्रेलर देखबा लेल क्लिक करू।

0 comments:
Post a Comment