दरभंगा : विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधान मे दरभंगाक एमएलएसएम कॉलेज परिसर मे बीतल काल्हि त्रिदिवसीय मिथिला विभूति पर्वक शुभारम्भ भेल जे 6 नवंबर धरि चलत। बताबी जे चारि दशक सं फाजिल सं लगातार चलि रहल पर्व मे एहि बेर पहिल मौका अछि जे संस्थापक बैद्यनाथ चौधरी बैजू क बिना पर्व शुरू भेल। पहिल दिन प्रातः 11 बजे संस्थान द्वारा जागरण चेतना रैली निकालल गेल जाहि मे भारी संख्या मे लोक उपस्थित छलथि, रैलीक समापन स्वच्छता अभियान सं भेल।
एकरा बबाद साँझ मे कार्यक्रम क उद्घाटन करैत सांसद पप्पू यादव कहलनि जे बाबा विद्यापति क साहित्य मे मानवताक सन्देश भेटैत अछि, अखुनका समय मे हुनक चिंतन के आत्मसात करबाक जरुरत अछि। सांसद कहलनि जे मिथिला मे पर्यटनक बहुत संभावना छैक आ ताहि लेल हम संसद मे मिथिला मे पर्यटनक विकास लेल आवाज़ उठायब। सांसद पप्पू यादव, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति डॉ साकेत कुशवाहा, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति डॉ देवनारायण झा, मैथिली अकादमी, पटनाक पूर्व अध्यक्ष आदि समरोह शुरू होयबा सं पूर्व महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा पर माल्यार्पण केलनि।
मिथिला विभूति पर्वक दोसर दिन संगोष्ठी कवि सम्मेलनक आयोजन कायल जाएत। सेमिनारक उद्घाटन इलाहाबाद कोर्टक न्यायाधीश धरणीधर झा करता आ रति मे नाटक क प्रस्तुति होएत।

0 comments:
Post a Comment