पटना : चेतना समिति, पटनाक तत्वावधान मे 61म विद्यापति स्मृति पर्व समारोह बीतल काल्हि विद्यापति भवन पटना मे शुरू भेल जे 6 नवंबर धरि चलत। स्मृति पर्वक उद्घाटन करैत राज्यक पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे मिथिलाक कला आ संस्कृति बिहारक पहिचान छैक आ आब एकरा देशक पहिचान बनेबाक बेर आबि गेल अछि।
मिथिलाक कला-साहित्य-संस्कृति बड्ड समृद्ध छैक। ओ कहलनि जे आहाँ सभक आशीर्वाद भेटल त दू भाग मे बँटल मिथिला कें एक करबा मे सफलता भेटल।राज्यक मुख्यमंत्री रहैत हम इ निर्णय लेने छलौं जे विदेश सं जे भी अतिथि बिहार एता हुनका मिथिला पेंटिंग द सम्मानित करब, आब त इ रिवाज़ बनि गेल। ओ कहलनि जे विद्यापति अप्पन समय मे जे रचना केलनि ओ आइयो जीवंत अछि।
समृति पर्वक पहिल दिन मिथिला मैथिली लेल उत्कृष्ट काज केनिहार लगभग डेढ़ दर्जन लोक कें चेतना समिति सम्मानित केलक। समिति स्मारिका लगाइत बहुतो पोथी क विमोचन केलक। कार्यक्रम मे पटना मे रहनिहार मिथिलावासीक निक उपस्थिति छल।
आइ मैथिली भाषा साहित्य प्रबंधन विषय पर विचार गोष्ठीक आयोजन अछि जाहि मे दर्जनों साहित्यकार उपस्थित रहता। एकरा संगे दू दिन तक चलनिहार मैथिली पोथी प्रदर्शनीक आयोजन कयल जाएत।

0 comments:
Post a Comment