पटना : चेतना समिति, पटना सभ बरख मिथिला-मैथिली क क्षेत्र मे उत्कृष्ट काज केनिहार कें पुरस्कृत करैत अछि। एहि बरख मैथिली भाषा साहित्य सम्मान डॉ विद्यानाथ झा विदित केँ आ संस्कृत भाषा साहित्य सम्मान डॉ कलिका दत्त झा केँ भेटत। संगीत-नृत्य-नाटक पुरस्कार प्रशांत कांत के देल जाएत।मिथिला चित्रकला पुरस्कार उर्मिला देवी पासवान केँ आ विशिष्ट सम्मान डॉ अमरकांत झा अमर केँ भेटत। कीर्ति नारायण मिश्र साहित्य सम्मान युवा चन्दन कुमार झा केँ भेटत। यात्री चेतना पुरस्कार अशोक केँ, सुलभ समाज सेवा पुरस्कार डॉ मृदुला प्रकाश केँ, डॉ माहेश्वरी सिंह महेश ग्रन्थ पुरस्कार चन्द्रमा दत्त केँ, डॉ माहेश्वरी सिंह महेश निबंध लेखन प्रतियोगता पुरस्कार गोपाल कुमार केँ, यशोदादेवी स्मृति मिथिलाक्षर लेखन पुरस्कार मुक्ति झा आ सिद्धेश्वरी देवी मिथिला संस्कार गीत पुरस्कार श्यामा झा केँ देल जाएत।
इ सभ पुरस्कार 4 सं 6 नवंबर क बीच चेतना समिति द्वारा पटना मे मनायल जा रहल विद्यापति समारोह मे देल जाएत।
इ सभ पुरस्कार 4 सं 6 नवंबर क बीच चेतना समिति द्वारा पटना मे मनायल जा रहल विद्यापति समारोह मे देल जाएत।
0 comments:
Post a Comment