मधुबनी : अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक सचिव डा. इन्द्र मोहन झा बिहार सरकार सं मांग केलनि हं जे विधि विभाग सं परामर्श क' अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक महासचिव संग विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डा. वैद्यनाथ चौधरी बैजू कें जेल सं रिहा करबाक दिशामे सार्थक पहल करय। डा. झा ने कहलनि अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन के महासचिव सह विद्यापति सेवा संस्थान के महासचिव डा. जे बैद्यनाथ चौधरी बैजू पर जे भी मुकदमा लंबित अछि ओ सभटा राजनीति सं जुड़ल मुकदमा अछि। राज्य सरकार कें चाही जे ओ विधि विभाग सं परामर्श क' डा. बैजू कें जेल सं बाहर करबा मे निर्णायक पहल करय। ओ कहलनि जे डा. बैजूक मिथिला आ मैथिलीक क्षेत्रमे महान योगदान रहा अछि। डा. बैजूक रिहाई नहि भेला सं मैथिल समाजक लोक मर्माहत छथि। तैँ सरकार कें चाहीजे हुनक रिहाई लेल यथाशीघ्र निर्णायक पहल करय।
0 comments:
Post a Comment