Thursday, September 4, 2014

मैथिलीक सेमिनार मे मैथिलीक साहित्यकार केँ नहि भेटत आमंत्रण ?

सहरसा : आगामी सात सितम्बर केँ साहित्य अकादमी द्वारा संत लक्ष्मीनाथ कुटी परसरमा मे सेमिनार आ कवि गोष्ठीक आयोजनमे मैथिली क्षेत्रमे काज कऽ रहल साहित्यकार केँ आमंत्रित नहि कएल जयबा पर मिथिला संघक अध्यक्ष राजकुमार सिँह कहलनि जे कार्यक्रम मे एहन प्रतिभागी केँ बजायल गेल अछि जिनका मैथिली क्षेत्र मे कोनो सक्रिय गतिविधि नहि रहल अछि।

जखनकि सहरसा मे मैथिलीक वास्तविक कवि मे डा. महेन्द्र, ज्योतिव‌र्द्धन, अवधेश आनंद, स्वाति शाकम्भरी, विनय झा विराट, मुख्तार आलम, केदार गुप्ता, किसलय कृष्ण, मोहन यादव छथि जिनका अखन धरि कोनो जनतब देल जोग नहि बुझल गेल। श्री सिंह कहलनि जे साहित्य अकादमीक मैथिली प्रभाग सं जुड़ल लोकक गलतीक कारणे साहित्यकार केँ एकात तऽ देल गेल अछि। एहि मामिला मे साहित्य अकादमीक मैथिली संयोजिका प्रो. वीणा ठाकुर क' कहब अछि जे लिस्ट स्थानीय स्तर पर तैयार कऽ पठाएल गेल छल। हास्य कवि केदार गुप्ता सेहो तमसायत कहलनि जे मैथिलीक विकासमे सरकार पाइ दैत अछि मुदा स्थानीय साहित्यकार केँ एकात कएल गेल जे गलत अछि।

0 comments:

Post a Comment