पटना : मिथिलाक स्वादिष्ट आ पौष्टिक मखान आब देशहि टा नहि विश्वक बाजारमे ई-कामर्स सं अप्पन धाख जमाएत आ लगभगि 100 सं फाजिल देशमे कियौ भी मात्र सप्ताह भरिक अंदर अप्पन इच्छानुसार ब्रांडेड मखान मंगवा सकत।
शक्ति सुधा नाम सं मखान ब्रांडिंग मे पहिचान बनौनिहार उद्यमी सत्यजीत सिंह शनि केँ एहिमे नव अध्याय केँ जोड़ैत मखान केँ ई-कामर्स सं विश्वक बाजार मे पहुंचेबाक सेवाक शुभारंभ केन्द्रीय कृषि मंत्री राधा मोहन सिंह केलनि।
केन्द्रीय कृषि मंत्री मौका पर कहलनि जे मखान मिथिला मे लोकप्रिय छल मुदा सिंह ई-कामर्स सं एकरा भारतक कोन कोन आ विश्वक बाजारमे पहुंचेता।
ओ कहलनि जे इ खुशीक गप्प अछि जे बिहारक संग विशिष्ट संबंध रखनिहार इ उत्पाद आब दुनियाक लगभग 100 देश मे एक सप्ताहक अंदर मंगायल जा सकैत अछि।

0 comments:
Post a Comment