Showing posts with label कोसी-बागमती. Show all posts
Showing posts with label कोसी-बागमती. Show all posts

Thursday, June 20, 2019

की अछि ई चमकी बोखार जाहि सं अखन धरि करीब सवा सौ धिया-पुता मुइल?

जिला मुजफ्फरपुर में लगातार भ' रहल धिया-पुताक मृत्यु सं पूरा देश चिंतित अछि. मृत्युक आंकड़ा सौ पार क' गेल आओर स्थिति खराप भेल जा रहल अछि. एहि बोखारक नाम 'चमकी बोखार' राखल गेल अछि. एकरा क्यूट इंसेफेलाइटिस सिंड्रोम सेहो कहल जाइत अछि.

आऊ जनैत छी जे की छै ई 'चमकी बोखार' 

सभसं पहिले बुझई छी जे अक्यूट इंसेफेलाइटिस सिंड्रोम की होइत छैक?

अक्यूट इंसेफेलाइटिस सिंड्रोम देहक मुख्य नर्वस सिस्टम के प्रभावित करैत अछि आ सेहो खास क' छोट धिया-पुता सभ मे. एहि बेमारी क' लक्षण सब पर गप करी त'

1) पहिने-पहिने खूब तेज बोखार होइत छैक
2) फेर पूरा देह में अईंठन सन होइत छैक
3) देहक पोर-पोर में दर्द आओर पाचन क्रियाक कमजोर भ' जाएत छैक
4) रहि-रहि क' बेहोशी क' अवस्था
5) घबराहट भेनाय
6) जं समय पर इलाज नहि भेटय त' रोगीक मृत्यु भ' सकैत छैक. बेसी काल ई बीमारी जून सं अक्टूबर धरि देखल जाएत अछि.

कारण

डाकदर सभ अखन धरि ठीक-ठीक कारण नहि भजिया सकलथि. एकरा मादे अलग- ]अलग अनुमान लगाओल जाएत छैक. जेना-

गर्मी

कतेको डाकदर भीषण गर्मी के सेहो एहि बेमारी सं जूडी क' देखै छठी. मुजफ्फरपुर क' सिविल सर्जन क' कहब अछि जे एहि बरख भेल मृत्यु में बढ़ोतरी क' लेल निश्चित रूपें करगर गर्मीक पैघ भूमिका छैक. मई अंतें सं जिलाक तापमान लगातार 40 डिग्री सं फाजिल रहल. बहुतो विशेषज्ञक ई मानैत छथि जे गर्मी, उमस, गंदगी आओर कुपोषण बेमारीक सभसं पैघ कारण छैक.

लिच्ची

किछु विशेषज्ञक कहब छन जे धिया-पुताक मृत्य लीची लिच्ची खेला सं होइत अछि. लिच्ची मे प्राकृतिक रूप सं hypoglycin A आ methylenecyclopropylglycine पदार्थ होइत अछि जे देह मे फैटी ऐसिड मेटाबॉलिज़म बनाबै के रोकबाक काज करैत छैक. एहि सं ब्लड-शुगर लो लेवल पर चलि जाइत छैक आओर माथा संबंधी दिक्कत होएब शुरू भ' जाएत छैक आ एकरा बाद दौरा आबय लगैत छैक.

अखन धरि एही बेमारी सं 121 टा धिया-पुताक मृत्युक खबर अछि.

Sunday, July 22, 2018

बिहार के विशेष राजक दर्जा नहि मिथिला के भेटय स्पेशल पैकेज: सांसद पप्पू यादव

जन अधिकार पार्टी क' संरक्षक आ सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा लोकसभा मे विशेष राजक मांग के नकारि देलाक बाद ई मुद्दा देश मे खत्म भ' गेल. बिहार क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सेहो विशेष राजक मांग छोड़ि बिहार क' अलग-अलग क्षेत्र मगध, मिथिला-कोसी लेल विशेष पैकेज क' मांग करबाक चाही.

लोकसभा मे शुक्र दिन अविश्वास प्रस्ताव पर मतदान सं पहिले वॉकआउट करनिहार सांसद पप्पू यादव कहलनि जे सदन मे अविश्वास प्रस्ताव बहस क' बीच नहिए सत्तापक्ष आ नहिए विपक्ष बिहार क' कोनो मुद्दा पर चर्चा केलक. यादव कहलनि जे बिहार मे आयल बाढ़ि पर चर्चा कयल गेल आ नहिए और नहिए रौदी पर. नहिए बेरोजगारी पर गप्प कयल गेल आ नहिए बिहार के देल गेल कथित विशेष पैकेज पर. एना मे सदन मे रहबाक कोनो औचित्य नहि छल.

यादव कहलनि जे आब बिहार क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लग कोनो मुद्दा नहि बचल अछि. नीतीश कुमार कें आब बिहार क' अलग-अलग क्षेत्र लेल विशेष पैकेज क' मांग करबाक चाही.

Thursday, January 28, 2016

मधेपुरा मे रेलवे इंजन बनायत फ़्रांसिसी कंपनी अलस्ताम

मधेपुरा : अग्रणी फ्रांसीसी कंपनी अलस्ताम 1,300 करोड़ रुपयाक विदेशी निवेश सं 800 इलेक्ट्रिक इंजनक विनिर्माण करत जेकर क्षमता भारत मे मौजूदा इंजन सं दुगुना हॉर्सपावर क' होएत.

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ फ्रांसीसी राष्ट्रपति फ्रांस्वा ओलांद क' बीच बातचीतक बाद रेल क्षेत्रमे सहयोग बढ़ेबाक उद्देश्य सं दू गोट समझौता पर हस्ताक्षर क़ायल गेल. अलस्ताम आ भारतीय रेलवे मधेपुरा मे 800 इलेक्ट्रिक इंजनक उत्पादन लेल एकटा ‘शेयरधारिता समझौते’ पर हस्ताक्षर केलक अछि. समझौताक मुताबिक, मधेपुरा कारखानामे अगिला 11 बरखक दौरान 12,000-12,000 हॉर्सपावर क' 800 इलेक्ट्रिक इंजनक विनिर्माण होएत.


इलेक्ट्रिक इंजनक मौजूदा क्षमता 6,000 हॉर्सपावर क' अछि, एहि परियोजना मे 1,300 करोड़ रुपयाक विदेशी निवेश शामिल अछि जेकरा रेल क्षेत्रमे एकटा पैघ निवेश मानल जा रहल अछि. अलस्ताम पर कारखाना स्थापित करबा, लोकोमोटिव क' विनिर्माण करबा आ ओकर रखरखाव करबाक जिम्मेदारी होएत.

भारतीय रेलवे मधेपुरा इलेक्ट्रिक लोकोमोटिव परियोजनाक ठेका अलस्ताम के देबाक निर्णय नवंबरमे केने छल. दोसर समझौताक तहत फ्रांस अंबाला आ लुधियाना स्टेशनक आधुनिकीकरण मे अप्पन विशेषज्ञता उपलब्ध करायत.

Wednesday, January 27, 2016

मनाओल गेल चंदा झाक जन्म दिवस

सहरसा : मैथिलीक प्रख्यात कवि, मिथिला भाषा रामायण क' रचयिता चन्दा झाक जन्म अपन नानी-गाम सहरसा जिलाक बड़गाँव मे भेल छल, 20 जनवरी क' हुनक जन्मदिवस पर‘जयन्ती दिवस’ क रुपे एहि गाम मे समारोहपूर्वक मनाओल गेल अछि.

चंदा झाक अवतरण तिथि पर गुरू दिन भेल बड़गाँव मे संगोष्ठीक आयोजन कयल गेल छल. कार्यक्रमक शुरूआत मे ग्यारह वैदिक लोकनि द्वारा स्वस्ति वाचन करैत दीप प्रज्ज्वलित कए उद्घाटन कयल गेल. संगोष्ठीक अध्यक्षता ओंकारनाथ झा केलनि. कार्यक्रम मे उपस्थित डा. तारानन्द वियोगी द्वारा कविवर चंदा झाक जन्मस्थल बड़गांव क' विशेषता पर चर्चा करैत कहल गेल जे हुनक जीवन आओर योगदान सं वर्तमान पीढी के असीम प्रेरणा भेटैत अछि. हुनका मैथिलीक आधुनिक साहित्यक प्रवर्तक मानल गेल अछि. युगपुरुषक रुपे चन्दा झा सौंसे मिथिला मे जानल जाइ छथि. सभा मे आमंत्रित वक्ता अरविन्द मिश्र ‘निरज’ द्वारा कविश्वर क' व्यक्तित्व वा कृतित्व पर प्रकाश देल गेल.
डा. महेन्द्र झा कविवरक मैथिली साहित्य मे योगदान क चर्चा करैत कहलनि जे कविवर चंदा झा सभसं पहिने मैथिली भाषा मे रामायण क रचना केलनि जेकर नाम ‘मिथिला भाषा रामायण’ पड़ल. कविवर द्वारा रचित कृति पुरूष परीक्षा, अहिल्या चरित्र आदि क रचना स मैथिली साहित्य के एकटा नव आयाम देलनि.
मौका पर डा. कुलानन्द झा, विनय चौधरी, अरूणाम सौरभ, केपी यादव, पी नंदन, हरेराम मिश्र, अविनाश खां, राज ठाकुर, भीमशंकर झा, मुकेश कुमार मानस, सचिदानन्द झा, राघवेन्द्र झा सहित दर्जनो अन्य बुद्धिजीवि लोकनि उपस्थित छलथि. नव तुरक युवा कवियित्री स्वाति शाकम्भरीक उपस्थिति ओ कविता वाचन सं कविश्वर कए भाव श्रद्धाञ्जलि अर्पण कयल गेल.
आम जनमानस मे कविश्वर चन्दा झाक स्मृतिगान सं अपन मातृभाषाक प्रति आत्मगौरवक बोध तऽ बढबे कएल, संगहि नवतुरिया युवा पीढी मे सृजनशीलताक आधार सँ पहिचानक विशिष्टताक रक्षा,प्रति जिम्मेवारीक बोध सेहो भेल. एहि तरहक आयोजन सदिखन एकटा नव उर्जा छोड़ैत अछि, साहित्यक संस्कार समाज केँ सुसभ्य बनबैत अछि, किछु एहने भावना सं सहभागी दर्शकक बीच एहि समारोहक खूब चर्चा भऽ रहल अछि.

Monday, December 8, 2014

39 बरखक बाद आयल ललित बाबू पर फैसला, चारि टा दोषी

नई दिल्ली : दिल्लीक एकटा अदालत पूर्व रेलमंत्री ललित नारायण मिश्रा हत्याकांड क चारु आरोपी कें आइ 39 बरख बाद दोषी करार देलक अछि। जिला न्यायाधीश विनोद गोयल 12 सितंबर कें एहि हत्याकांड मे सीबीआई आ हत्याकांड क चारु अभियुक्तके वकील केर दलील सुनलाक बाद कार्यवाही निबटौने छल।

एहि सं पाहिले अदालत कहने छल जे एहि मामिलामे 12 नवंबर कें फैसला सुनाओल जाएत मुदा फेर 8 दिसंबर धरि लेल स्थगित क देल गेल छल किएक त निर्णय तैयार नहि भ सकल छल। बताबी जे 2 जनवरी, 1975 कें तत्कालीन रेलमंत्री ललित नारायण मिश्र कें समस्तीपुर मे एकटा समारोह दौरान ग्रेनेड फेक अधमरु क देल छल आ अगिला दिन हुनक मृत्यु भ गेल छल।

एहि हत्याकांडक मुकदमा क सुनवाई क बीच 200 सं फ़ाज़िल गवाह सं पूछाताछी भेल जाहिमे अभियोजन पक्षक 161 आओर बचाव पक्षक 40 सं फ़ाज़िल गवाह छलथि। हत्याकांडमे आरोपी वकील रंजन द्विवेदी कें 24 बरखक उमेर मे आनंद मार्ग समूहक चारि गोट सदस्यक संग आरोपी बनाओल गेल छल। द्विवेदी क संग संतोषानंद अवधूत, सुदेवानंद अवधूत आ गोपालजी अभियुक्त छथि। एहि म सं एकटा अभियुक्तक मुकदमा क सुनवाईक बीचे मृत्यु भ गेल छल। चारु आरोपी गोपालजी, रंजन द्विवेदी, संतोषानंद अवधूत आ सुदेवानंद अवधूत कें सजा पर 15 दिसंबर कें बहस होएत आ सजा भेटत।

विधानसभा चुनाव लड़बा लेल तैयार अछि मिथिला देशम पार्टी

फारबिसगंज/अररिया : आजुक राजनीति धर्म, सम्प्रदाय आ जातिक नाम पर बँटल अछि। राजनेता समाज कें एहि मुद्दा पर बांटी क वोटक खेल खेलाइत अछि। बिहार मे मिथिला प्रदेशक संग लगातार भ रहल भेदभावक करने मिथिला देशम पार्टी बनेबाक निर्णय लेल गेल अछि। इ गप्प पार्टीक डा. अमन कुमार आइ कहलनि।
डा. कुमार कहलनि जे मिथिलामे रहनिहार सभ जाति आ धर्मक लोक मैथिली भाषी छथि। भाषाक नाम पर कोनो टा बिखराव नहि अछि आ नहिये रहत। पार्टी 50 प्रतिशत महिलाक संग प्राथमिकताक आधार पर युवा कें आगामी विधान सभामे चुनाव मे टिकट देत। डॉ. कुमार राज्यक मुख्यमंत्री सं मिथिलाक सभ विद्यालय मे प्राथमिक शिक्षा मैथिली भाषा मे देबा लेल, तत्काल मैथिली भाषामे पाठ्य पुस्तक तैयार क विद्यालय मे बँटबाक मांग केलनि। चेतौनी दैत कहलनि जे कोनो भी सरकारी वा गैर सरकारी उपक्रम जौं मिथिला क्षेत्रमे व्यवसाय करय चाहैत अछि त ओकरा अपन प्रचार-प्रसार मैथिली भाषामे करय परत आ जौं  ऐना नहि होयत त पार्टी एकरा विरुद्ध आन्दोलन करत। ओ केंद्र आ राज्य सरकार सं मिथिला क्षेत्रक सभटा  रेलवे स्टेशन पर गाड़ी आगमन-प्रस्थानक सूचना मैथिली भाषामे उदघोषणा करबाक मांग केलनि। राज्य सरकार सं सभटा अस्पताल आ पंचायती राज व्यवस्थाक अंतर्गत सभ शिलापट्ट, बोर्ड मैथिलीमे लगेबाक अनुरोध केलनि। पार्टीक गतिविधिक बारे मे बताबैत ओ कहलनि जे  पार्टीक महाधिवेशन 10 दिसम्बर 2014 कें सुपौलक ऐतिहासिक गांधी मैदान मे होएत।

Monday, November 10, 2014

ललित बाबू पर फेर फैसला टलल, विजय मिश्रा कहलनि हमरा न्यायक उमीद नहि

नई दिल्ली : दिल्ली क कक्कड़डूमा कोर्ट मे फैसला टलि जेबाक बाद पूर्व रेलमंत्री स्व ललित नारायण मिश्रक पुत्र आ पूर्व विधायक विजय मिश्रा कहलनि जे हुनक परिवार कें आब न्याय भेटबाक कोनो टा उमीद नहि अछि, आब चाहे सुप्रीम कोर्ट क निर्णय आठ दिसंबर कें आबइ वा 18 दिसंबर कें। हम्मर विश्वास आब उठि गेल अछि।

ललित नारायण मिश्र हत्याकांड मे आइ फैसला अएबाक छल मुदा कोर्ट एक बेर फेर सुनवाई टालैत आठ दिसंबर धरि पहुँचा देलक। इ सुनबा मे अनसोहात सन लागि सकैत अछि मुदा इ सत्य अछि जे एही केस के ल कोर्ट 720म तारीख देलक देलक अछि, आब देखा चाही जे 720 म फरियायत वा नहि।

स्व ललित नारायण मिश्रक हत्या 39 बरख पाहिले 2 जनवरी 1975 कें समस्तीपुर मे क देल गेल छल। ओकरा बाद 24 जनवरी 1975 कें पटना क विशेष न्यायिक दंडाधिकारी क अदालत मे आरोप पत्र दाखिल भेल। चारि बरख एतय मामलाक लगातार सुनाई भेल। फेयर ट्रायल क मांग पर 17 दिसंबर 1979 कें सर्वोच्च न्यायालय मुकदमा क सुनवाई लेल केस दिल्लीक अदालत मे स्थानांतरित कयने छल।

Friday, September 26, 2014

10 नवंबर कें आएत ललित बाबू पर फैसला

समस्तीपुर/नई दिल्ली : 39 बरख पहिले भेल केंद्रीय रेल मंत्री ललित नारायण मिश्र हत्याकांड मामिला मे कड़कड़डूमा कोर्ट अप्पन फैसला सुरक्षित राखि लेलक अछि। जिला जज विनोद गोयल कहलन्हि जे, दुनू पक्ष केँ जौँ किछु कहबाक अछि तऽ सप्ताह भरि मे अप्पन लिखित दलील हुनका देथि। कोर्ट 10 नवंबर केँ फैसला सुनाएत।


बता दी जे 2 जनवरी, 1975 केँ समस्तीपुर स्टेशन पर एकटा समारोह मे भेल बम ब्लास्टमे रेल मंत्री ललित नारायण मिश्र गंभीर रूपे घायल भऽ गेल छलथि आ अगिला दिन हुनक मृत्यु भऽ गेल छल। 200 सं फाजिल गवाह वला एहि मामलाक मुख्य आरोपी संतोषानंद अवधूत, सुदेवनंदा अवधूत, रंजन द्विवेदी आ गोपालजी छथि। आरोपी अप्पन बचाव मे 40 टा गवाह केँ पेश केने छल। चार्जशीट सीबीआइ पटना मे 1 नवंबर, 1977 केँ दायर केने छल। सुप्रीम कोर्ट मामला केँ 1979 मे दिल्लीक अदालत स्थानांतरित कऽ देने छल। आरोपी, अपना पर दर्ज एफआइआर केँ रद्द करेबाक मांग सुप्रीम कोर्ट सं केने छल जेकरा कोर्ट ने 17 अगस्त, 2012 केँ खारिज कऽ देलक।
बातबी जे सुप्रीम कोर्ट एहि मामलाक जल्दिये निर्णय करबाक आदेश जारी केने छल। सितंबर, 2012 मे एक्कर सुनवाई कड़कड़डूमा कोर्ट मे शुरू भेल छल।

Sunday, August 31, 2014

100 देश मे ऑनलाइन बिकत मिथिलाक मखान

पटना : मिथिलाक स्वादिष्ट आ पौष्टिक मखान आब देशहि टा नहि विश्वक बाजारमे ई-कामर्स सं अप्पन धाख जमाएत आ लगभगि 100 सं फाजिल देशमे कियौ भी मात्र सप्ताह भरिक अंदर अप्पन इच्छानुसार ब्रांडेड मखान मंगवा सकत।

शक्ति सुधा नाम सं मखान ब्रांडिंग मे पहिचान बनौनिहार उद्यमी सत्यजीत सिंह शनि केँ एहिमे नव अध्याय केँ जोड़ैत मखान केँ ई-कामर्स सं विश्वक बाजार मे पहुंचेबाक सेवाक शुभारंभ केन्द्रीय कृषि मंत्री राधा मोहन सिंह केलनि।
केन्द्रीय कृषि मंत्री मौका पर कहलनि जे मखान मिथिला मे लोकप्रिय छल मुदा सिंह ई-कामर्स सं एकरा भारतक कोन कोन आ विश्वक बाजारमे पहुंचेता।
ओ कहलनि जे इ खुशीक गप्प अछि जे बिहारक संग विशिष्ट संबंध रखनिहार इ उत्पाद आब दुनियाक लगभग 100 देश मे एक सप्ताहक अंदर मंगायल जा सकैत अछि।

Monday, August 4, 2014

बाढ़िक होए स्थायी निदान : पप्पू यादव

पटना/सहरसा : मिथिला मे बाढ़िक समस्या पर राजद सांसद पप्पू यादव नेपाल दौरा पर गेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सं जोरदार पूरे स्थाई समाधानक मांग केलनि। पटना मे युवा शक्तिक बैसारक बाद संवाददाता सं बातचीत मे यादव कहलनि जे कोनो पीएम केँ दोसर देश मे जाएब, सामान्य गप्प अछि मुदा हमरा इ नहि बिसरबाक चाही जे वैह नेपालक कारणे आजादी सं अखन धरि बिहारमे लाखों लोगोंक मृत्यु भऽ गेल अछि।

सांसद कहलनि जे शिवभक्तक नामे नेपाल जेबाक बदले कोसी पर हाईडैम बनेबाक विचार होटे। बरख 2008 मे कुसहा बांध टूटलाक जांच रिपोर्ट आबि गेल अछि। घटनाक दोषी पर हत्याक मुकदमा चलय। मिथिलाक संग भेल भेदभावक चर्चा करैत यादव कहलनि जे सभ दलक शासनमे सबसं फाजिल विधायक मिथिला सं चुनि कऽ ऐला मुदा एकरा बादो मिथिला क्षेत्र पिछड़ल अछि। जोँ मिथिला राज्य मांग उठैत अछि तऽ पुरजोर एकर समर्थन करब।

Sunday, August 3, 2014

नेपालक नाकामी सं मुश्किल मे मिथिला

पूर्णिया : सहरसा, सुपौल, पूर्णिया, मधेपुरा मे आइ बाढ़िक चेतौनीक बीच कोसीक पूब आ पश्चिमी भाग केँ खाली करेबाक काज जारी अछि। कोसीक जलस्तरमे रवि केँ तेजी देखल गेल। नेपाल सं भोर 6 बजे 1.12 लाख क्यूसेक पानि आ फेर भोर 8 बेज 1.17 लाख क्यूसेक पानि पहुंचलाक बाद आशंका अछि जे सांझ धरि कोसीक जलस्तर आओर बढ़ि सकैत अछि।

एहि बीच केँद्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिँह बिहारक मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी केँ फोन कऽ बाढ़िक खतरा केँ देखैत जनतब लेलनि आ कहलनि जे प्रभावित लोकक बचाव आ राहत काज लेल केँद्र सं हरसंभव मददि क आश्वासन मुख्यमंत्री केँ देलनि।

बताबी जे नेपाल मे भेल भारी बरखाक बाद भेल भूस्खलनक बाद एहन आशंका बनल अछि जे नेपाल बाटे कोसी नदीक जलस्तर बिहार मे रविक राति धरि खतराक निशानक पार कऽ सकैत अछि। संभावित आपदा केँ दैखैत मिथिलाक आठ टा जिला सुपौल, सहरसा, मधेपुरा, अररिया, पूर्णिया, भागलपुर, खगड़िया, मधुबनीक डेढ़-दू लाखक आबादी प्रभावित हेबाक आशंका अछि।

Wednesday, July 23, 2014

कोसी जांच आयोगक रिपोर्ट सदनमे राखल जाएत : जीतन राम मांझी

पटना : मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी बीतल मंगलदिन बिहार विधानसभामे घोषणा केलनि जे विधानमंडलक चलैत सत्रमे कोसी त्रासदी कऽ लऽ गठित जस्टिस वालिया जांच आयोगक रिपोर्ट सदनक पटल पर राखल जाएत। एकरा एक्शन टेकेन रिपोर्ट क संगे राखल जाएत। बताबी जे
18 अगस्त 2008 केँ कोसीक कुसहा बान्ह टुटला सं 40 लाख सं बेसी लोक प्रभावित भेल छलथि आ 2 लाख 50 हजार सं बेसी घर बर्बाद भऽ गेल छल। जस्टिस वालिया क रिपोर्ट आएल चार मास सं बेसी भऽ गेल अछि। एहि लेल भाजपाक विधायक लोकनिक हो-हल्लाक जवाब दैत मुख्यमंत्री मांझी कहलनि जे सरकार आयोगक रिपोर्ट चालू सत्रमे सदनमे राखत जाहिसं प्रभावित लोकक पुनर्वासक लऽ काज तेजी सं भऽ सकय।

Friday, May 30, 2014

कोसी क्षेत्र केँ भेटय विशेष पैकैज : राकेश सिँह

सहरसा : जल संसाधन विभाग, भारत सरकार क सलाहकार समितिक सदस्य जिलाक भरौली निवासी राकेश कुमार सिंह गृहमंत्री राजनाथ सिंह, कृषि मंत्री राधामोहन सिंह आ सूचना प्रसारण मंत्री प्रकाश यादव सं भेँट कऽ कोसी क्षेत्रक लोकक लेल विशेष पैकेज देबाक मांग केलनि।

श्री सिंह बतौलनि जे कोसी क्षेत्र बड्ड पिछड़ल अछि। कुसहा त्रासदीक बाद क्षेत्रक स्थिति आओर चिंताजनक भऽ गेल अछि। राज्य आ केँद्र सरकार कोसी केँ सजेबाक वादा केलक मुदा काज किछु नहि भेल। ओ तटबान्हक अंदर रहि रहल लोकक चर्चा करैत कहलनि जे माछ, मखान आ मक्का उत्पादन क लेल विशेष योजना बना क्षेत्र केँ खुशहाल बनाएल जा सकैत अछि। श्री सिंह कहलनि जे मोदी सरकार सं कोसी क्षेत्र केँ बड्ड उमीद अछि। ओ कहलनि जे तीनू मंत्री सं भेँट कऽ समस्या रखलौँ आ ओ विचार करबाक आश्वासन देलन्हि।

Saturday, May 24, 2014

लिच्चीक उत्पादनमे 20 प्रतिशत क कमी संभव

मुजफ्फरपुर : भीषण गर्मी आ बरखाक कमी मिथिलामे बेसी लीची उत्पादनक उमीद केँ मारि देलक। राज्य सरकारक अधिकारीक कहब अछि जे अप्रैल आ मईमे औसत सं बेसी तापमान आ मॉनसून सं पहिले कम भेल बरखा सं लिच्चीक फसल पर असर पड़ल अछि।
 एहि कारणे लिच्चीक उत्पादन सामान्य सं कम रहबाक आशंका अछि। बरखक शुरुआतमे ठंड आ तापमान धीरे-धीरे बढ़बा सं लिच्चीक फसल तैयार भेल छल। लिच्चीक फसल लेल शुरुआतमे नीक मौसम रहल छल मुद फल केँ पकबाक लेल मई मासक शुरुआती दिन मे कनिक बरखाक जरूरत होइत अछि, जे नहि भेटल। संगहि, औसत सं बेसी तापमानक कारणे कतेको इलाकमे फसल बर्बाद भऽ गेल। अखनुका हाल मे तऽ एहि बरख लिच्चीक फसलमे 20 फीसदी कमी आबि सकैत अछि। राज्यमे औसतन 2.5-3 लाख टन लिच्चीक उत्पादन होइत अछि।

Wednesday, March 26, 2014

कुसहा पर जांच आयोग सौंपलक सरकार केँ रिर्पोट

सहरसा : कोसी पर बनल कुसहा तटबंध टूटबा सं आएल प्रलंयकारी बाढ़ि लऽ सरकार द्वारा बनाएल गेल जांच आयोग 6 बरखक बाद बीतल सोम केँ रिपोर्ट सरकार केँ सौंप देलक। रिपोर्ट केँ अखन धरि सार्वजनिक नहि कएल गेल अछि।
बिहारक मुख्य सचिव अशोक कुमार सिन्हा बतौलनि जे कोसीमे आएल बाढ़ि क जांच रिपोर्ट आयोग द्वारा सौंप देल गेल अछि, एकर अध्ययन करबाक बाद दोषी पर कार्रवाई कएल जाएत। बताबी जे 6 बरख पहिले भारत-नेपाल सीमा पर कुसहा तटबंध टूटबा सं कोसी मे प्रलंयकारी बाढ़ आएल छल, जाहिमे सरकारक मानी तऽ मिथिलाक 6 जिला मे कम सं कम 250 लोकक मृत्यु भेल छल जखनकि लाखों लोक प्रभावित भेल छलथि आ साढ़े लाख सं बेसी घर बर्बाद भऽ गेल छल। एहि घटनाक बाद राज्य सरकार पटना हाईकोर्टक सेवानिवृत्त न्यायाधीश राजेश वालियाक अध्यक्षतामे जांच आयोगक गठन कएल गेल छल आ पूरा मामला क जांच कऽ 6 मासक अंदर रपट सौंपबाक निर्देश छल मुदा 10 बेर आयोगक कार्यकाल बढ़ेबा सं सोम केँ जांच रिपोर्ट सरकार केँ दऽ देल गेल अछि। सूत्रक मानी तऽ जांचक दौरान जतहि स्थानीय लोक सं पूछताछ भेल अछि, ओतहि सरकारी अधिकारी सं सेहो गप्प कएल गेल अछि। अखनो हजारों एकड़ कृषि योग्य जमीन पर नदीक बालू पड़ल अछि आ लाखोँ लोक अखनो बेघर छथि।

Tuesday, March 11, 2014

सिकलीगढ़, पूर्णिया मे जरल छली होलिका

पूर्णिया : जिलाक बनमनखी प्रखंडक सिकलीगढ़मे अखनो ओ ठाम अछि जतय होलिका, प्रहलाद केँ अप्पन कोरामे लऽ जरैत चिताक बीच बैस गेली आ भगवान नरसिंहक अवतार भेला जेकरा बाद हिरण्यकश्यपक वध भेल।

पप्पू यादव RJD मे, मधेपुरा सं लड़ता लोस चुनाव

पटना/मधेपुरा : पूर्व सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव आइ राजदमे आपसी पर पार्टी प्रमुख लालू प्रसाद हुनका मधेपुरा लोकसभा सीट सं पार्टीक उम्मीदवार ठाढ़ केलनि।

पूर्णियाक विधायक अजित सरकारक हत्या मामलामे आजीवन कारावासक सजा सुनेबाक बाद पिछला बरख पटना उच्च न्यायालय हुनका सबूतक अभाव मे छोड़ि देन छल। चारि बेर मधेपुरा आ पूर्णिया सं सांसद रहल पप्पू संभवत: जदयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष आ मधेपुरा सांसद शरद यादवक खिलाफ लड़ता। पहिले राजद छोड़ि लोजपा आ सपामे रहल पप्पू फेर सं राजद मे लौटि ऐला।

Wednesday, March 5, 2014

नमो केर रैलीसं पहिले पूर्णियामे आतंकवादी केलक रेकी, आइबी केलक पुष्टि

पूर्णिया : आतंकवादी नरेन्द्र मोदीक 10 मार्च मे होबय वला रैली मे हमला कऽ सकैत छथि। इंडियन मुजाहिद्दीन आ लश्कर-ए-तैयबा सं जुड़ल आतंकी द्वारा पूर्णिया मे रेकी करबाक सूचना अछि।

Friday, February 28, 2014

पूर्णिया मे बनत सिक्स लेन सड़क

पूर्णिया : पूर्णियामे सिक्स लेन सड़कक शिलान्यास भेल। पूर्णिया आ गुलाबबागक बीच एनएच 31 पर सिक्स लेन सड़कक निर्माण पर 62 करोड़ रुपया खर्च होएत। शहरक लाइन बाजार स्थित एनएच 31क काठपुल लग सीमांचल कंस्ट्रक्शन द्वारा सड़क निर्माणक शिलान्यास प्रसिद्ध चिकित्सक संग रेडक्रॉस सोसाइटीक प्रदेश उपाध्यक्ष डॉ डी राम नारियल फोड़ि केलनि। बताबी जे गुलाबबाग जीरो माइल आ पूर्णिया फोर्ड कंपनीक बीच करीब 7 Km सिक्स लेन सड़क निर्माणक काज गुलाबबाग जीरो माइल सं 27 फरवरी सं शुरु होएत। कंस्ट्रक्शन कंपनीक इंजीनियर नौशाद बतौलनि जे 21 मासमे निर्माण काज पूरा होएत। जानकारीक अनुसार पूर्णिया आ गुलाबबागक बीच इ सिक्सलेन सड़क बिहारक पहिल सिक्स लेन सड़त होएत, एहि शिलान्यासक संग मिथिलाक सबसं पैघ आ अंतरराष्ट्रीय स्तरक व्यावसायिक मंडीक विकासक लेल पूर्णिया डीएम मनीष कुमार वर्मा द्वारा तैयार 116 करोड़क प्रोजेक्ट लऽ कारोबारी सभ उत्साहित छथि।

Saturday, January 25, 2014

पृथक राज्यक गठनसं होएत मिथिलाक विकास : पप्पू यादव

खगड़िया : मिथिला क्षेत्रक मतदाता आजादीक बाद सं वोट खसाबय मे सही निर्णय नहि लेलनि आ यैह कारण अछि जे वर्तमान सरकार होए या एहिसं पहिलुका सरकार, मिथिलाक विकास लेल किछ नहि केलक। नेता एहि क्षेत्रक लोक केँ मात्र ठकलनि तैँ एतय विकासक किरण नहि पहुंचल मुदा आब इ क्षेत्र ठकहरबा सभक हाथ नहि जाएत। एकरा ध्यान रखैत पृथक मिथिला राज्यक मांग लऽ आंदोलनक शुरुआत कएल जा रहल अछि। इ गप्प पूर्व सांसद आ युवा शक्ति पार्टीक राष्ट्रीय संरक्षक राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव स्थानीय अतिथि गृहमे शुक्र केँ पत्रकार सभसं गप्प करैत कहलनि। एहि मौका पर युवा शक्तिक प्रदेश अध्यक्ष नागेन्द्र सिंह त्यागी आ मनोहर कुमार यादव कहलनि जे इ क्षेत्र रौदी आ दाहीक मारि झेलबा लेल विवश अछि। जखनकि सात गोट नदी बहबाक कारणे इ दुनिया केँ पानि पियेबाक आ बिजली उत्पादन कऽ देश केँ उर्जा देबाक काज कऽ सकैत अछि। एतय शिक्षा आ चिकित्साक स्थिति खराब अछि। मैथिली सन मधुर भाषा उपेक्षित अछि। जे राज्य क्षेत्रीय भाषा केँ अपनौलक ओतहि फाजिल विकास भेल। ओ पृथक मिथिला राज्यक स्थापनाक मांग लऽ जिला मुख्यालय सभमे 8 फरवरी केँ प्रदर्शन आ 17 केँ उपवास राखल जाएत। ठाम-ठाम पर सभा कऽ लोक केँ जगाएल जाएत। जा धरि राज्यक गठन नहि होइत अछि ता धरि पूर्णियामे हाई कोर्टक एकटा बेंच बैसबाक चाही ताकि केस लड़बा लेल एतुक्का लोक केँ पटनाक दौड़-धूप सं मुक्ति भेटय।