पटना : मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी बीतल मंगलदिन बिहार विधानसभामे घोषणा केलनि जे विधानमंडलक चलैत सत्रमे कोसी त्रासदी कऽ लऽ गठित जस्टिस वालिया जांच आयोगक रिपोर्ट सदनक पटल पर राखल जाएत। एकरा एक्शन टेकेन रिपोर्ट क संगे राखल जाएत। बताबी जे
18 अगस्त 2008 केँ कोसीक कुसहा बान्ह टुटला सं 40 लाख सं बेसी लोक प्रभावित भेल छलथि आ 2 लाख 50 हजार सं बेसी घर बर्बाद भऽ गेल छल। जस्टिस वालिया क रिपोर्ट आएल चार मास सं बेसी भऽ गेल अछि। एहि लेल भाजपाक विधायक लोकनिक हो-हल्लाक जवाब दैत मुख्यमंत्री मांझी कहलनि जे सरकार आयोगक रिपोर्ट चालू सत्रमे सदनमे राखत जाहिसं प्रभावित लोकक पुनर्वासक लऽ काज तेजी सं भऽ सकय।

0 comments:
Post a Comment