बेगूसराय : बरौनी फर्टिलाइजर क दिन बदलबाक लेल केन्द्र सरकार 8 हजार करोड़ रुपयाक निवेशक योजना बना रहल अछि। पेट्रोलियम मंत्री धर्मेंद्र प्रधान बतौलनि जे 4 बरख बंद रहलाक बाद फर्टिलाइजर फैक्ट्री बेकार भऽ जाइत अछि। एना मे बरौनी लेल नव योजना बना कऽ काज करबाक अछि आ केन्द्र ताहि लेल तैयार अछि। हल्दिया-जगदीशपुर गैस पाइप लाइन सं बरौनी जुड़ल अछि। बिहारक आन जिला मे एकर ब्रांच जाएत।
ओतहि सेहो गैसक आपूर्ति संभव होएत। मंत्री बतौलनि जे गेल क शर्त अछि जे एहि योजनाक लेल हुनका लग दू टा पैघ उपभोक्ता हेबाक चाही, तखने पाइपलाइन योजना उपयोगी भऽ सकत। एनामे बरौनी क संग-संग सिंदरी फर्टिलाइजर केँ सेहो एहि योजना सं लाभ होएत। भविष्य मे गोरखपुर आ दुर्गापुर केँ एतहि सं गैसक आपूर्ति कएल जा सकैत अछि।
मंत्रीजी ध्यान राखब...2008 सन हाल नहि हो
बरौनी फर्टिलाइजरक निर्माण 1961 मे शुरू भेल छल, 1980 मे एतय लगभगि 2500 कर्मचारी छलथि आ 3.3 लाख मीट्रिक टन मोदी ब्रांड खाद बनैत छल।
एतय नेफ्था सं खाद बनैत छल जे महंग पड़ैत छल तैँ घाटाक कारणे एकरा जुलाई 2000 मे बंद कऽ देल गेल।
तखन अटल बिहारी वाजपेयी कहने छलथि जे देशमे जखन भी खाद कारखाना लागत तऽ ओ बरौनी मे लागत।

0 comments:
Post a Comment