Saturday, July 26, 2014

KBC 8 क अंतिम ठेकान दरभंगा

दरभंगा : गेम शो 'कौन बनेगा करोड़पति' क शूटिंग शुरू भऽ गेल अछि। एहि बेर KBC क ‘हॉट सीट' देशक कोन-कोन मे जाएत। KBC तीन मास धरि देशक 100 शहरक दौरा करत।

 जेकर शुरूआत बाराबंकी, ग्वालियर, शाहजहांबाद सं होइतर वाराणसी, इलाहाबाद, झांसी, मथुरा, रांची, जमशेदपुर सं होइत अंतमे मिथिलाक अघोषित राजधानी दरभंगामे जा संपन्न होएत। दरभंगा लगाइत सभ शहरमे KBC टीम 2 दिन रुकत।
समारोहक समाप्ति पर शहरक किछु भाग्यशाली प्रतिभागियों केँ ‘हॉट सीट‘ पर बैसबाक मौका भेटत।
अमिताभ बच्चन, कहैत छथि KBC 8 क्रार्यक्रमक थीम सामुदायिक जुड़ाव आ सम्मान अछि। एकर प्रोमो सं शांति, सौहार्द, धार्मिक सहिष्णुताक संदेश देल जा रहल अछि आ कार्यक्रमक टैगलाइन अछि ‘यहां सिर्फ पैसा नहीं, दिल भी जीते जाते हैं’। अमिताभ बच्चन कहलन्हि जे प्रतिभागीक खिस्सा हमर दिल केँ छू जाइत अछि।

0 comments:

Post a Comment