Monday, July 28, 2014

मिथिला विभूति पर्व 4 नवंबर सं

दरभंगा : विद्यापति सेवा संस्थानक बैसार बीतल रवि केँ संस्थानक कार्यालय मे भेल जाहि मे इ निर्णय लेल गेल जे तीन दिवसीय मिथिला विभूति पर्व समारोहक आयोजन 4 सं 6 नवंबर धरि होएत। बैसार मे सर्वसम्मति सं लनामिवि क कुलपति साकेत कुशवाहा, प्रतिकुलपति एस मुमताजुद्दीन केँ मुख्य संरक्षक बनायल गेल, संगे स्वागत समितिक अध्यक्ष कामेश्वर सिँह संस्कृत विश्वाद्यालयक कुलपति देवनारायण झा, कार्यकारी अध्यक्ष एमआर महिला कालेजक प्राचार्य विद्यानाथ झा, महासचिव जीवकांत मिश्र, सचिव गणेवकांत झा आ मीडिया प्रभारी चंद्रशेखर झा केँ बनायल गेल। विभिन्न तरहक प्रभारी चुनल गेला जाहि मे स्मारिका क प्रधान संपादक चंद्रेश, कवि सम्मेलनक संयोजक चंद्रमोहन झा पड़वा, सांस्कृतिक कार्यक्रमक संयोजक कमलाकांत झा आ टुनटुन झा सम्मानक संयोजक फूलचंद्र झा प्रवीण केँ बनायल गेल।

कार्यक्रमक अध्यक्षता बुचरु पासवान केलनि।

0 comments:

Post a Comment