सुपौल : नेपाल मे भेल भारी बरखा आ लैंडस्लाइड सं कोसीक मुख्यधारा मे अवरोध आबि गेल अछि। अखन धरि पानि कम आबि रहाल अछि मुदा सूत्रक मानी तऽ है अवरोध हटेबा लेल नेपाल सरकार ब्लास्ट करय जा रहल अछि। बताबी जे जखने अवरोध हटत, पानिक तेज बहाव पैघ तबाही मचा सकैत अछि।
कोसी तटबान्ह लगक गाम मे 2008 सनक हालत भऽ सकैत अछि तैँ कोसी तटबन्हक लगक गाम केँ तेजी सं खाली करायल जा रहल अछि। फेर कुसहा सन त्रासदी नहि हो ताहि लेल एनडीआरएफ टीम पहुंचि गेल अछि।
सुपौल, सहरसा, मधेपुरा, अररिया, खगड़िया, कटिहार, किशनगंज आ पूर्णिया जिलामे हाई अलर्ट घोषित कऽ देर गेल अछि।
जल संसाधन विभाग केँ भेटल जनतबक मानी तऽ कोसीमे अवरोध हटितहिँ चारि लाख क्यूसेक सं फाजिल पानि डिस्चार्जक आशंका अछि। एना मे फेर फेर एक बेर भारी तबाहीक आशंका अछि।

0 comments:
Post a Comment