पूर्णिया : सहरसा, सुपौल, पूर्णिया, मधेपुरा मे आइ बाढ़िक चेतौनीक बीच कोसीक पूब आ पश्चिमी भाग केँ खाली करेबाक काज जारी अछि। कोसीक जलस्तरमे रवि केँ तेजी देखल गेल। नेपाल सं भोर 6 बजे 1.12 लाख क्यूसेक पानि आ फेर भोर 8 बेज 1.17 लाख क्यूसेक पानि पहुंचलाक बाद आशंका अछि जे सांझ धरि कोसीक जलस्तर आओर बढ़ि सकैत अछि।
एहि बीच केँद्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिँह बिहारक मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी केँ फोन कऽ बाढ़िक खतरा केँ देखैत जनतब लेलनि आ कहलनि जे प्रभावित लोकक बचाव आ राहत काज लेल केँद्र सं हरसंभव मददि क आश्वासन मुख्यमंत्री केँ देलनि।
बताबी जे नेपाल मे भेल भारी बरखाक बाद भेल भूस्खलनक बाद एहन आशंका बनल अछि जे नेपाल बाटे कोसी नदीक जलस्तर बिहार मे रविक राति धरि खतराक निशानक पार कऽ सकैत अछि। संभावित आपदा केँ दैखैत मिथिलाक आठ टा जिला सुपौल, सहरसा, मधेपुरा, अररिया, पूर्णिया, भागलपुर, खगड़िया, मधुबनीक डेढ़-दू लाखक आबादी प्रभावित हेबाक आशंका अछि।

0 comments:
Post a Comment