Monday, August 4, 2014

बाढ़िक होए स्थायी निदान : पप्पू यादव

पटना/सहरसा : मिथिला मे बाढ़िक समस्या पर राजद सांसद पप्पू यादव नेपाल दौरा पर गेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सं जोरदार पूरे स्थाई समाधानक मांग केलनि। पटना मे युवा शक्तिक बैसारक बाद संवाददाता सं बातचीत मे यादव कहलनि जे कोनो पीएम केँ दोसर देश मे जाएब, सामान्य गप्प अछि मुदा हमरा इ नहि बिसरबाक चाही जे वैह नेपालक कारणे आजादी सं अखन धरि बिहारमे लाखों लोगोंक मृत्यु भऽ गेल अछि।

सांसद कहलनि जे शिवभक्तक नामे नेपाल जेबाक बदले कोसी पर हाईडैम बनेबाक विचार होटे। बरख 2008 मे कुसहा बांध टूटलाक जांच रिपोर्ट आबि गेल अछि। घटनाक दोषी पर हत्याक मुकदमा चलय। मिथिलाक संग भेल भेदभावक चर्चा करैत यादव कहलनि जे सभ दलक शासनमे सबसं फाजिल विधायक मिथिला सं चुनि कऽ ऐला मुदा एकरा बादो मिथिला क्षेत्र पिछड़ल अछि। जोँ मिथिला राज्य मांग उठैत अछि तऽ पुरजोर एकर समर्थन करब।

0 comments:

Post a Comment