Monday, August 4, 2014

नरेँद्र मोदी कें जनकपुर नहि एबाक पाछू की कारण ?

जनकपुर सं सुजीत कुमार झाक समाद
जनकपुर : भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक अत्यधिक इच्छाक बादो एहि बेर ओ जानकी दर्शन नहि कऽ सकलथि । ओ संसदमे एहि प्रसङ्गके चर्चा करैत कहलन्हि नोभेम्वरमे सार्क बैसारक क्रममे जनकपुर पहुँच जानकी मन्दिरमे अवश्य पूजा करब ।
नरेन्द्र मोदी काठमाण्डूसँ बाहर नहि जाइथ एहिके लेल नेपाल सरकार आ भारतीय दुतावास संयुक्त रुपमे षडयन्त्र कएने बताओल जा रहल अछि । किछु नेतासभक भेट कार्यक्रम प्रभावित भऽ जाएत एहिके लेल जनकपुर आ लुम्बिनी भ्रमण अन्तिम समयमे काटल गेल अछि ।
जनकपुरक लोक एहि बातके लऽ कऽ निराश देखल गेल अछि । एहि बातके लऽ कऽ नेपाल सरकार प्रति जनकपुरमे गम्भीर आक्रोस अछि । जनकपुरमे एहु बातक चर्चा अछि विकासक दृष्टिसँ जनकपुर सँग नेपाल सरकारद्वारा कतेक भेदभाव भेल अछि एकर पोल नरेन्द्र मोदी लग खुलि जाइत एहिके डरसँ मोदीके जनकपुरमे नहि आनए देवएके षडयन्त्र भेल अछि । भारतीय दुतावासक योजनासभ सेहो जनकपुरमे प्रभावकारी रुपसँ काज नहि कएने अछि । एक तऽ जनकपुर भारतीय दुतावासक प्राथमिकतामे नहि पडल अछि आ दोसर जे योजना अएलो अछि ओ कि तऽ विवादित अछि कि तऽ कहिआ काज शुरु हएत एकर ठेकान नहि लगैत अछि ।
नेपाल भारतक सम्बन्ध काठमाण्डू आ दिल्ली पर मात्र नहि जनता जनता बीच सेहो टिकल अछि ई सत्यके बुझि कऽ मोदी जनकपुर आवएके इच्छा व्यक्त कएने छलथि ।
नेपाल भारतक सम्बन्धके जनतेपर टिकल अछि । ई सत्यके सभके बुझए पडत ।

0 comments:

Post a Comment