Sunday, August 10, 2014

मिथिला राज्यक मांग लऽ जंतर मंतर पर भेल धरना

नई दिल्ली : मिथिला राज्य निर्माण सेना, दिल्लीक तत्वावधानमे आइ दिल्लीक जंतर मंतर पर मिथिला राज्यक स्थापना लेल धरना प्रदर्शन कएल गेल। कार्यक्रमक संयोजक नीरज पाठक केलनि आ सभाक संचालन कमलेश मिश्र आ आशुतोष झा संयुक्त रुपे केलन्हि। एहि धरना मे मिथिला क्षेत्रक प्रवासी मैथिल सभ लगातार होइत रहल बरखाक बादो बढ़ि चढ़ि क' भाग लेलनि। वक्तागण मिथिला क्षेत्रक सर्वांगीण आ चहुंमुखी विकासक लेल शीघ्र मिथिला राज्यक स्थापना हेतु केन्द्र आ राज्य सरकार पर दबाव बनेबाक लेल आन्दोलन केँ तेज करबाक योजना पर सामुहिक रुपे जोर देलनि। मौका पर अनूप कुमार, रौशन चौधरी, नीतीश कर्ण, साबिर अली, विभूति मिश्र, संजय झा नागदह, शरत झा आदि अप्पन विचार रखलनि। मौका पर विभय कुमार झा, सागर मिश्रा, मदन ठाकुर, आदित्य लगाइत सैकड़ो लोक उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment