मधुबनी : विधानसभा उपचुनाव लं बिहार मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी झंझारपुर होइत विधान पार्षद श्री विनोद कुमार सिंहक घर पर किछु देर रुकला जतहि श्री सिँह पुष्प गुच्छ दऽ स्वागत केलनि।
मिथिलाक आतिथ्य सत्कार परम्परा सं अभिभूत मुख्यमंत्री एहि क्षण मे जेना अप्पन सभ थकान बिसरि गेल होइथ। खेनाइ कालमे जखन मिथिलाक व्यंजन सं भरल थारी जखन हुनका सोँझा परसल गेल तो वो 'वाह' कहि उठला। मखानक खीर, माछ, मिठाइ आ आन मिथिलाक भोज्य पदार्थक हुनका लेल परसल गेल। खेनाइ फूल'क बर्तन मे परसल गेल छल। खेबाक बाद मुख्यमंत्री मिथिलाक प्रसिद्ध पानक स्वाद सेहो लेलनि। अतिथि सत्कार परम्पराक निर्वाह करैत विधान पार्षद श्री सिंह मुख्यमंत्री केँ गुलाबक माला, मखान, अंग वस्त्र, आदि सं सम्मानित केलनि। विधान पार्षद श्री सिंहक भाइ देवेंद्र सिंह हुनका मिथिला पेंटिंग आ दीपेंद्र सिंह पाग-दोपटा सं सम्मानित केलनि।
इ पूछल जेबा पर जे मिथिला आबि केहन लागल ? मुख्यमंत्री कहलनि जे अतिथि सत्कारक संबंधमे जतेक सुनल छलौँ ओहि सं फाजिल। थारीमे एतेक रंगक व्यंजन केँ देखि हतप्रभ रहि गेलौँ, हम तऽ बड्ड गरीब परिवार आ माटि खाय बला समुदाय सं अबैत छी, एतेक व्यंजन आश्चर्यचकित केलक।

0 comments:
Post a Comment