Tuesday, August 19, 2014

राप्तीगंगा एक्सप्रेस आ टेँपूक दुर्घटना मे 19 मरल

मुजफ्फरपुर/मोतिहारी : मोतिहारीक सेमरा रेलवे गुमती पर ट्रेन आ टेँपूक भयावह ठोकरमे 19 लोकक मृत्यु भऽ गेल। मुजफ्फरपुर-नरकटियागंज खंड पर इ दुर्घटना सांझक 3.45 बजे सेमरा लग रेलवे गुमती खुजल रहबाक कारणे भेल।
 मुजफ्फरपुर सं देहरादून जा रहल 15001 राप्तीगंगा एक्सप्रेस सं टेँपूक ठोकर लागि गेल, दुर्घटना एतेक भयावह छल जे टेँपू 1 किलोमीटर धरि घसिटाइत रहल। एम्हर, दुर्घटनाक बाद गेटमैन संतोष मलिक फरार भऽ गेल। घटनाक बाद मुजफ्फरपुर-नरकटियागंज खंड पर परिचालन ठप सन अछि। आरपीएफ, जीआरपी आ रेलवे इंजीनियरिंग विभागक अधिकारी राहत आ बचाव काज लेल घटनास्थल छथि ओतहि टटका खबरि अछि जे पूर्व मध्य रेलवे के महाप्रबंधक मधुरेश कुमार सेहो घटनास्थल पर पहुंचि गेलथि। समस्तीपुर मंडल के सीनियर डीसीएम एमएआई हुमायूं कहलनि जे मानवीय भूलक कारण दुर्घटना घटल। दुर्घटनाक कारणक जांच कएल जा रहल अछि। प्रत्येक मृतकक परिजन केँ 50-50 हजार रुपया रेलवे दिसं सं मुआवजा रूपे देल जाएत। ओतहि डीएम अभय कुमार सिंह बतौलनि जे बिहार सरकार मृतकक परिजन केँ डेढ़-डेढ़ लाख रुपया मुआवजा देल जाएत।

0 comments:

Post a Comment