Showing posts with label मिथिला. Show all posts
Showing posts with label मिथिला. Show all posts

Thursday, June 20, 2019

की अछि ई चमकी बोखार जाहि सं अखन धरि करीब सवा सौ धिया-पुता मुइल?

जिला मुजफ्फरपुर में लगातार भ' रहल धिया-पुताक मृत्यु सं पूरा देश चिंतित अछि. मृत्युक आंकड़ा सौ पार क' गेल आओर स्थिति खराप भेल जा रहल अछि. एहि बोखारक नाम 'चमकी बोखार' राखल गेल अछि. एकरा क्यूट इंसेफेलाइटिस सिंड्रोम सेहो कहल जाइत अछि.

आऊ जनैत छी जे की छै ई 'चमकी बोखार' 

सभसं पहिले बुझई छी जे अक्यूट इंसेफेलाइटिस सिंड्रोम की होइत छैक?

अक्यूट इंसेफेलाइटिस सिंड्रोम देहक मुख्य नर्वस सिस्टम के प्रभावित करैत अछि आ सेहो खास क' छोट धिया-पुता सभ मे. एहि बेमारी क' लक्षण सब पर गप करी त'

1) पहिने-पहिने खूब तेज बोखार होइत छैक
2) फेर पूरा देह में अईंठन सन होइत छैक
3) देहक पोर-पोर में दर्द आओर पाचन क्रियाक कमजोर भ' जाएत छैक
4) रहि-रहि क' बेहोशी क' अवस्था
5) घबराहट भेनाय
6) जं समय पर इलाज नहि भेटय त' रोगीक मृत्यु भ' सकैत छैक. बेसी काल ई बीमारी जून सं अक्टूबर धरि देखल जाएत अछि.

कारण

डाकदर सभ अखन धरि ठीक-ठीक कारण नहि भजिया सकलथि. एकरा मादे अलग- ]अलग अनुमान लगाओल जाएत छैक. जेना-

गर्मी

कतेको डाकदर भीषण गर्मी के सेहो एहि बेमारी सं जूडी क' देखै छठी. मुजफ्फरपुर क' सिविल सर्जन क' कहब अछि जे एहि बरख भेल मृत्यु में बढ़ोतरी क' लेल निश्चित रूपें करगर गर्मीक पैघ भूमिका छैक. मई अंतें सं जिलाक तापमान लगातार 40 डिग्री सं फाजिल रहल. बहुतो विशेषज्ञक ई मानैत छथि जे गर्मी, उमस, गंदगी आओर कुपोषण बेमारीक सभसं पैघ कारण छैक.

लिच्ची

किछु विशेषज्ञक कहब छन जे धिया-पुताक मृत्य लीची लिच्ची खेला सं होइत अछि. लिच्ची मे प्राकृतिक रूप सं hypoglycin A आ methylenecyclopropylglycine पदार्थ होइत अछि जे देह मे फैटी ऐसिड मेटाबॉलिज़म बनाबै के रोकबाक काज करैत छैक. एहि सं ब्लड-शुगर लो लेवल पर चलि जाइत छैक आओर माथा संबंधी दिक्कत होएब शुरू भ' जाएत छैक आ एकरा बाद दौरा आबय लगैत छैक.

अखन धरि एही बेमारी सं 121 टा धिया-पुताक मृत्युक खबर अछि.

Thursday, August 2, 2018

संपादकीय: अप्पन धिया-पुता कें आधुनिक शिक्षा देब मुदा दोसरा कें मैथिली-मैथिली चिचिया उकसाएब?

नेपाल प्रदेश 2 के मैथिली विद्वान सभक नाम एकटा चिट्टी

श्रीमान महान मैथिल विद्वानगण!

अहां सभमे सं कियौ बताएब जे अहां सभ हमरा सभ सन आम आदमी कें कोन रंगक मैथिली सिखायब? 600 बरख पहिलुका संभ्रांत बिद्यापति ठाकुर कालीन तिरहुतिया/पुरोहितिया मैथिली अहां सभ सिखाएब की दरभंगा राज बला राजकीय मैथिली सिखाएब? आखिर मैथिली क' परिभाषा की अछि अहांक नजरि मे? आओर मैथिली क' टेक्स्ट बुक सभ दरभंगा प्रकाशन सं छपाएब? गणित, विज्ञान सभटा मैथिलीए मे पढ़ेबे की? ओना हम बुझि रहल छी जे कथित मैथिल विद्वान बनि अहां सभ अप्पन रोजी-रोटी चमकाबय मे कोन तरहें लागल छी.

अहां के बता दी जे हम साधारण स्थानीय ठेठी बोली बुझैत छी जेकरा अहां सभ अशुद्ध बुझैत छी आ अपवित्र सेहो बुझैत होएब, एहि लेल मैथिली-मैथिली चिचिया के अहां स्थानीय भाषा क' अनादर आ ओकरा सम्पन्न करबा मे लागल छी. खैर, अहां सभ कें राजा-महाराजा राज क' राजकीय भाषा मुबारक. एतहि पहाड़ क' लोक 1950क' संधि अनुसार भारतीय सरकारी सेवा क' लाभ सेहो उठा रहल छथि मुदा प्रदेश 2 क' दू जिल्ला क' पुरबिहा संभ्रांत लोक कें बस क्षणिक तुष्टि मे मजा आबि रहल छन.

अहां सभकें सामान्य जनताक जन-जीविका सं सरोकार रखनिहार भविष्य क' मादे सोचबा सं पाप लागत. अहां सब सिर्फ अपनहि अगिलका लोक सभ के आगू बढ़ाबैत रही, यैह त' अहां सभ चाहैत छी. सरकारी सेवाक मे पद त' होएत मुदा ओ मात्रे टा स्पेशल लोक सभ लेल आरक्षित रहत किएक त' पारिवारिक भाषा मे कामकाजी भाषा होई त' आओर की चाही?

देखा रहल अछि जे भारत क' मिथिला राज बला सभ ओम्हर फेल भ' गेलथि त' एम्हर आगि लगा रहल छथि. अपने भारत के धर्म निरपेक्ष रखता आओर नेपाल के कट्टर हिंदू देश बनौताह. कखन धरि हम सभ हुनक झांसा मे आबैत रहब? कहिया वर्तमान मे जीएब शुरू करब?

जौं नेपाल क' शासक सभ मध्यकालीन समय क' भानुभक्त कालीन या मोतीराम भट्ट कालीन खस-भाषा के लागू केने रहितथि त' आई हम सभ कोन तरहक खस भाषा स्कूल मे पढ़ि रहल होइतहुं अहां अंदाजा लगा सकैत छी. की अहुं सभ मैथिली कहि वैह मध्यकालीन कें दोहरायब?

अहां सभ जाहि तरहें मैथिली बोली आ लिखावट क' ओकालत क' रहल छी ओ यथार्थ धरातल सं दूर अछि, लेख्य भाषा आ कथ्य भाषा मे कोनो तारतम्य नहि छैक तैयो अहां सभ अप्पन महाकवि बिद्यापति आओर ललका पाग कें पूरा मध्य-मधेश मे लादय चाहैत छी. अप्पन घर क' धिया-पुता कें आधुनिक शिक्षा इंग्लिश, नेपाली, हिंदी मे पढ़ाएब मुदा दोसरा कें मैथिली-मैथिली चिचिया उकसाएब?

“ओना ब्यक्तिगत रुपस कैह दी जे हमरा अपन गाम घर में बोलइवाला हमर मातृभाषा-बोली के हम बिरोधी नै छिए मुदा बात रैह गेलै बर्तमानमे कामकाजी भाषाके रूपमे एकर उपयोगिता आ सांदर्भिकता के बारे मे. आई-काइल्ह जई तरिका स मैथिली कैहके जोन बोली आ लेखावट के बिकास करके प्रयास हो’रहल है से भाषा बिज्ञान के हिसाब से सेहो बहुते त्रुटिपूर्ण छै.”

एकटा बात मोन राखू, मधेश आंदोलन मात्रे प्रदेश 2 कें मिथिला राज बनेबाक लेल नहि भेल छल, पूरा मधेश कें “एक मधेश-एक प्रदेश” क' नारा द' उपेंद्र यादव जी राजनीति क' शिखर पर पहुंचल छलथि. आब ओ दोसर बाट ध' लेलथि त' की जनता के सेहो हुनका पाछू चलि जेबाक चाही?

हम सभ मधेसी टूटि क' नहि जुड़ि क' राजसत्ता सं संघर्ष करब तखनहि सफल भ' सकब. बस खंड-खंड मे बांटि एकल भाषा आओर एकल जातीय आधार पर राजनीति करब त' अहां केंद्रीय सत्ता के खुश करबाक काज करब, हुनकर काज आसान करब. ओ त' यैह चाहैत छथि.

ई जे हमर हिंदी प्रस्फुटन अछि, कोनो औपचारिक अध्यन बिना अछि, जौं औपचारिक अध्यन हिन्दी मे होएत त' शायद नीक प्रयास होएत. आजुक समयमे हिंदी क' उपयोगिता जेना तरकारी मे मस्सलाक होइत अछि तेनाही हमर दैनिक बोली-व्यवहार मे अछि, एकरा स्वीकार करबा मे हिचकिचेबाक कोनो जरुरत नहि. सभ मित्र सं निवेदन अछि जे हम सभी क्षणिक स्वार्थ त्यागि, विविधता मे एकता युक्त मधेश क' मादे संकल्प करी. पूब-पश्चिम मधेश के एक करबाक सोची.

ई लेख हिमालिनी डॉट कॉम लेल बिनोद पासवान लिखने छथि. एतहि अहां ओहि लेख क' मैथिली अनुवाद पढ़ि रहल छलौं.

Tuesday, July 24, 2018

मिथिला बनय अलग राज: राबड़ी देवी

बिहार क' पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी बीतल सोम दिन विधानसभा मे कहलनि जे मिथिला कें अलग राज बनायल जाए जतय सभटा काज मैथिली मे होई.

बताबी जे विधान पार्षद सुमन कुमार मैथिली भाषा कें बिहार क' राजभाषा क' सरकारी काज के लेल कानूनी मान्यता देबाक मांग केने छलथि. विधानसभा मे ओ कहलनि जे मैथिली भाषा संविधानक अष्ठम अनुसूची मे जुड़ल अछि मुदा बिहार मे एहि भाषा मे कोनो काज नहि भ' रहल अछि.

जवाब दैत प्रभारी मंत्री राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह कहलनि जे एहन कोनो प्रस्ताव विचाराधीन नहि छैक. ललन सिंह कहलनि जे राज मे मैथिली, भोजपुरी, अंगिका, मगही आदि भाषा पैघ आबादी द्वारा बाजल जाएत छैक. एकर विकास लेल सरकार आओर शिक्षा विभाग प्रयासरत छैक.

सुमन के प्रश्नक जवाब दैत ललन सिंह कहलनि जे मैथिली कें सरकारी काज क' लेल कानूनी मान्यता देबा मे दिक्कत छैक. एना केला पर राज मे एकटा अलग तरहक प्रतिस्पर्द्धा शुरू भ' जाएत.

Sunday, July 22, 2018

बिहार के विशेष राजक दर्जा नहि मिथिला के भेटय स्पेशल पैकेज: सांसद पप्पू यादव

जन अधिकार पार्टी क' संरक्षक आ सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा लोकसभा मे विशेष राजक मांग के नकारि देलाक बाद ई मुद्दा देश मे खत्म भ' गेल. बिहार क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सेहो विशेष राजक मांग छोड़ि बिहार क' अलग-अलग क्षेत्र मगध, मिथिला-कोसी लेल विशेष पैकेज क' मांग करबाक चाही.

लोकसभा मे शुक्र दिन अविश्वास प्रस्ताव पर मतदान सं पहिले वॉकआउट करनिहार सांसद पप्पू यादव कहलनि जे सदन मे अविश्वास प्रस्ताव बहस क' बीच नहिए सत्तापक्ष आ नहिए विपक्ष बिहार क' कोनो मुद्दा पर चर्चा केलक. यादव कहलनि जे बिहार मे आयल बाढ़ि पर चर्चा कयल गेल आ नहिए और नहिए रौदी पर. नहिए बेरोजगारी पर गप्प कयल गेल आ नहिए बिहार के देल गेल कथित विशेष पैकेज पर. एना मे सदन मे रहबाक कोनो औचित्य नहि छल.

यादव कहलनि जे आब बिहार क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लग कोनो मुद्दा नहि बचल अछि. नीतीश कुमार कें आब बिहार क' अलग-अलग क्षेत्र लेल विशेष पैकेज क' मांग करबाक चाही.

Thursday, December 18, 2014

मिथिला मे आएल 5.2 तीव्रताक भूकम्प, जान-मालक हानि नहि

मुजफ्फरपुर : सम्पूर्ण मिथिला मे रातिक करीब 09:02 बजे 5.2 तीव्रताक भूकम्प आएल जेकर केंद्र नेपाल रहल छल।

करीब 6 सेकंड धरि रहल भूकम्पक अनुभव दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर, पटना, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, पूर्णिया, किशनगंज, अररिया, कटिहार, खगड़िया, मुंगेर, भागलपुर आदि जिलामे कयल गेल। नेपाल सं सटल फारबिसगंज मे भूकम्पक तेज़ झटका महसूस कयल गेल। इ 6 सेकंडक भूकम्प मिथिलवासी कें तुरंत 1934 आ 1988 क भूकम्प मोन पारी देलकै।

अखन धरि एही भूकम्प सं कोनो तरहक जान-मालक हानिक खबरि कतहु सं नहि भेटल अछि, आ मिथिला प्राइम आशा करैत अछि जे नहिये भेटय।

Sunday, November 9, 2014

26 नवंबर कें पुनौराधाम एता प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी

सीतामढ़ी/जनकपुरधाम : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 26 नवंबर कें पटना एता। एतय सं सीतामढ़ी पहुचि पुनौराधाम मंदिर मे पूजा अर्चना करता। प्रधानमंत्री पटना सं सीतामढ़ी सड़क वा हवाई मार्ग सं जेता एकर जनतब अखन नहि देल गेल अछि। सीतामढ़ी सं ओ सुरसंड होइत सड़कमार्ग सं जनकपुर धाम जेता आ जानकी मंदिर मे दर्शन-पूजन करता।

एकरा बाद प्रधानमंत्री दक्षेस शिखर सम्मेलन लेल काठमांडू बिदा भ जेता। प्रधानमंत्री क आगमन ल प्रशासनिक तैयारियां शुरू क देल गेल अछि इ जनतब सीतामढ़ी नगर विधायक सुनील कुमार पिन्टू देलन्हि। सूत्रक मानी त प्रधानमंत्री अप्पन एहि यात्राक दौरान पुनौराधाम आ जनकपुरधाम क विकासक लेल विशेष पैकेजक घोषणा क सकैत छथि।

Sunday, October 26, 2014

हिंदू-मुस्लिम सौहार्दक प्रतीक अछि : महापावनि छठि

वैशाली : सूर्य उपासनाक छठि नहिये मात्र लोक आस्थाक महापावनि अछि, इ हिंदू-मुस्लिमक सौहार्दक मिसाल सेहो कायम करैत अछि। मिथिला मे छठि पावनि लेल जाहि चूल्हा पर पवनोतैंन नैवैद्य बनाबै छथि ओ चुल्ही मुस्लिम परिवार द्वारा बनाओल जाइत अछि।  

एतबे नहि, मिथिलाक जोलहा-बहुल क्षेत्र बहुतो ठाम मुस्लिम महिला लोकनि आस्थाक सं छठि पावनि करै छथि।

वैशाली जिलाक विदुपुर प्रखंडक बहुतो  गाममे मुस्लिम परिवार छठि महिला लोकनि नियमपूर्वक महापावनि करै छथि। हिनक सभक कहब अछि जे छठि पावनि क महिमा अपरंपार अछि, आ भगवान कोनो एक पंत-धर्म केर नहि होइत छथि।

Wednesday, October 15, 2014

नोबेल विजेता कैलाश सत्यार्थी क कर्मभूमि रहल अछि मिथिला

मधेपुरा : कैलाश सत्यार्थी रहनिहार भलेहि मध्य प्रदेशक होइथ मुदा हुनक कर्मभूमि मिथिला सेहो रहल अछि। जेपी आंदोलन सं ल बाल मजूरक दर्जनों मुक्ति अभियान मे हुनक योगदान एतुक्का सामाजिक कार्यकर्ता कें मोन अछि। बिहारक शायदे कोनो एहन जिला होएत जतय कैलाशजी नहि गेल होथि।
बंधुआ मुक्ति मोर्चाक घूरन महतो सं ल अजय कुमार सिंह आ मोख्तारुल हक के संगे ओ सहरसा, मधेपुरा आ सुपौल जिलाक ओहि गामक खाक छनने, जाहि ठामक बाल मजूर मिर्जापुर आ भदोही क कालीन उद्योग मे मज़दूर बनि रही जायत छल। यैह कारण अछि जे हुनका पुरस्कार भेटलाक बाद मिथिलावासी मे ख़ुशी अछि।

बचपन बचाओ आंदोलनक बिहार प्रभारी मोख्तारुल हक क कहब अछि जे बिहार कें अप्पन कर्मभूमि बनौनिहार कैलाश सत्यार्थी बचपन बचाओ आंदोलनक प्रणेता छथि।

बताबी जे सत्यार्थी 1998 म अप्पन ग्लोबल मार्च आ 2001 मे शिक्षा यात्रा मे ओ बिहारक कतेको गाम गेलथि।

मिथिला प्राइम दिस सं कैलाश सत्यार्थी कें नोबेल पुरस्कार जीतबाक लेल हार्दिक बधाई।


Monday, October 6, 2014

कोजगरा आ मखान

मुजफ्फरपुर : कहल तऽ इ जाइत अछि जे मिथिलाक पान आ मखान तऽ स्वर्ग मेँ सेहो नहिँ भेटैत छैक,ओ तऽ सिर्फ मिथिला मेँ भेटैत अछि।मिथिलाक विश्व प्रसिद्ध मखानक सर्वाधिक खर्चा कोजगरा मेँ होइत अछि।एहि लोकपर्व मेँ नवविवाहित कन्याक पक्ष से दुल्हा पक्ष केर मखान भेजल जाइत अछि आ दुल्हा पक्ष मोन भरि के मखान बांटैत छैथ।मैथिल समाज मेँ इ परंपरा बहुत पुरान अछि।मखानक उपयोग संपन्न घर सभ मेँ शाही भोज मेँ होइत अछि।मखानक कुल उत्पादनक लगभगि 60% दरभंगा आ मधुबनी मेँ और लगभग 94% भारतीय आ नेपालक मिथिला क्षेत्र मेँ होइत अछि मुदा स्थानीय स्तर पर एकर खपत लगभगि 25% से 30% मात्रे रहबाक कारणे अन्य राज्य मेँ भेजला पर व्यापारी लोकनि केनीक फायदा होइत अछि।

अखन कोजगराक कारण दरभंगा,बरौनी,मुज­फ्फरपुर के मंडी मेँ मखानक जबरदस्त बिक्री चलि रहल अछि।एहि पावनि के लऽ मुजफ्फरपुर,दरभंगा,कटिहार सऽ खेपक खेप मखान कानपुर,गोरखपुर,लखनऊ केर संगे दिल्ली,राजस्थान,महाराष्ट्र आदि राज्य धरि ट्रेन आ ट्रकक माध्यमे भेजल जा रहल अछि।

काल्हि कोजगरा अछि, मिथिला प्राइम दिस सं नव बर-कनिया कें हार्दिक शुभकामना। 

Sunday, September 21, 2014

मधुबनी मे भेटल बुद्धक मूर्ति

मधुबनी : जिलाक मोहम्मदपुरक जरहटिया पोखरि लग कोरैत काल भगवान बुद्धक गला सं उपरका भाग माने मुंह भेटल अछि।
 इ कारी पाथरक मूर्ति अछि जे भगवान बुद्धक प्रतिमा सन लगैत अछि बताबी जे एहि ठाम किछु दिन पहिले सेहो घैल मे कौरी आदि भेटल छल। इतिहासकार सब मानैत छथि जे जौं एहि क्षेत्र मे नीक सं कोरल जाइ त भगवान बुद्धक आओर अवशेष सब भेटि सकैत अछि।

Friday, August 22, 2014

प्रवीण कश्यप केँ युवा आ जीवकांत केँ बाल साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल

गुवाहाटी/मधुबनी : साहित्य अकादमी, नई दिल्ली आइ मैथिलीक युवा आ बाल पुरस्कारक घोषणा कऽ देलक। भगवानपुर कौआहा मधुबनी निवासी युवा साहित्यकार प्रवीण कश्यप केँ हुनक पहिल पोथी विषदंती वरमाल कालक राति(काव्य संग्रह) लेल देशक प्रतिष्ठित साहित्य अकादमी युवा पुरस्कार सं पुरस्कृत करबाक घोषणा कएल गेल।


ओतहि मैथिलीक मूर्धन्य साहित्यकार जीवकांत केँ मरणोपरांत हुनक पोथी 'हमर अठन्नी खसल बौन मे' लेल अकादमीक बाल साहित्य पुरस्कार देबाक निर्णय लेल गेल। स्व. जीवकांत केँ चारि बरख पहिलहुं मैथिली पोथी 'तकैत अछि चिरै' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल अछि।

साहित्य अकादमी दिल्लीक सामान्य परिषदक गुवाहाटी मे भेल बैसारमे दुनू पुरस्कारक घोषणा कएल गेल। अकादमीक मैथिलीक प्रतिनिधि डा.वीणा ठाकुर आइ इ जनतब मीडिया केँ देलनि। सम्मानित हेबा पर युवा साहित्यकार प्रवीण बतौलनि जे एहि पुरस्कारके बाद हुनक लेखनी आओर समृद्ध होएत। 2010 मे दिल्ली मे भेल कॉमनवेल्थ गेम्स मे मैथिलीमे अप्पन कविता सुना विदेशी मेहमान केँ सेहो प्रवीण कश्यप प्रभावित कऽ चुकल छथि।

Tuesday, August 19, 2014

धन्य अछि मिथिलाक आतिथ्य परंपरा : जीतन राम मांझी

मधुबनी : विधानसभा उपचुनाव लं बिहार मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी झंझारपुर होइत विधान पार्षद श्री विनोद कुमार सिंहक घर पर किछु देर रुकला जतहि श्री सिँह पुष्प गुच्छ दऽ स्वागत केलनि।

मिथिलाक आतिथ्य सत्कार परम्परा सं अभिभूत मुख्यमंत्री एहि क्षण मे जेना अप्पन सभ थकान बिसरि गेल होइथ। खेनाइ कालमे जखन मिथिलाक व्यंजन सं भरल थारी जखन हुनका सोँझा परसल गेल तो वो 'वाह' कहि उठला। मखानक खीर, माछ, मिठाइ आ आन मिथिलाक भोज्य पदार्थक हुनका लेल परसल गेल। खेनाइ फूल'क बर्तन मे परसल गेल छल। खेबाक बाद मुख्यमंत्री मिथिलाक प्रसिद्ध पानक स्वाद सेहो लेलनि। अतिथि सत्कार परम्पराक निर्वाह करैत विधान पार्षद श्री सिंह मुख्यमंत्री केँ गुलाबक माला, मखान, अंग वस्त्र, आदि सं सम्मानित केलनि। विधान पार्षद श्री सिंहक भाइ देवेंद्र सिंह हुनका मिथिला पेंटिंग आ दीपेंद्र सिंह पाग-दोपटा सं सम्मानित केलनि।

इ पूछल जेबा पर जे मिथिला आबि केहन लागल ? मुख्यमंत्री कहलनि जे अतिथि सत्कारक संबंधमे जतेक सुनल छलौँ ओहि सं फाजिल। थारीमे एतेक रंगक व्यंजन केँ देखि हतप्रभ रहि गेलौँ, हम तऽ बड्ड गरीब परिवार आ माटि खाय बला समुदाय सं अबैत छी, एतेक व्यंजन आश्चर्यचकित केलक।

Friday, July 18, 2014

मिथिला पलायन क्षेत्र नहि : धीरेँद्र झा

दरभंगा : भाकपा माले क पोलित ब्यूरो सदस्य धीरेँद्र झा कहलनि जे केँद्र सरकार मिथिला केँ पलायनक क्षेत्र बुझि रहल अछि, सरकार केँ एहि मानसिकता सं उबड़य पड़त। पार्टी एकर जमि कऽ विरोध करत। इ गप्प ओ बीतल काल्हि भेल प्रेसवार्ता मे कहलनि। ओ कहलनि जे रेलवे एहि क्षेत्र केँ पलायन जोन बुझैत अछि तैँ तऽ 4 टा जनसाधारण समस्तीपुर रेलमंडल केँ दैत अछि। एकर विरोध मेँ पार्टी 15 अगस्तक बाद जन आंदोलन करत। मौका पर जिला सचिव बैद्यानाथ यादव कहलनि जे पूरा मिथिला अखन सुखाड़ कऽ चपेट मे अछि मुदा सरकार आ प्रशासन सूतल अछि, जल्दिये जौँ सुखाड़ सं बचबा लेल डेग नहि उठायल गेल तऽ आंदोलन कएल जाएत।

Saturday, May 24, 2014

29 जून सं सौराठ सभा

मधुबनी : ऐतिहासिक सौराठ सभा एहि बरख 29 जून सं 7 जुलाई धरि होएत। एहि 9 दिनी सभा मे बेसी सं बेसी मैथिली बर-कनिया पक्ष उपस्थित रहत, ताहि लेल काज चलि रहल अछि।
 प्राचीन काल सं चलैत आबि रहल एहि पारंपरिक वार्षिक सभा मे मैथिल ब्राह्मणक बर-कनिया पक्ष अबैत छथि आ सभा स्थल पर गोत्र-मूल आदि देख बियाह संबंध तय होइत अछि। एतय पंजीकार द्वारा सिद्धांत माने दुनू पक्षक बीच वैवाहिक संबंध विधिमान्य भऽ सकत, तेकर प्रमाण पत्र देल जाइछ आ फेर नीक दिन देखि बियाह संपन्न होइत अछि। एहि परंपरागत व्यवस्थाक रुपे सभा गाछीक बड्ड अहमियत छल मुदा आधुनिकता अन्हर मे धरोहर अप्पन प्रासंगिकता मेटा रहल अछि। सौराठ सभा केँ अक्षुण्ण रखबाक लेल कतेको सामाजिक आ सांस्कृतिक संगठन लगातार आवाज उठाबैत रहल अछि।

Sunday, May 11, 2014

नहि रहला ताराकांत झा

पटना :
बिहार विधान परिषदक पूर्व सभापति आ जदयू क वरिष्ठ नेता ताराकांत झाक रवि केँ पटनाक एकटा निजी अस्पतालमे निधन भऽ गेल। ताराकांत झा 86 बरखक छलथि।

ताराकांत झा बहुत दिन सं बीमार छलथि। बिहार भाजपाक संस्थापक सदस्य म सं एक रहल झा भाजपा में उपेक्षित महसूस लगला पर पिछला 19 फरवरी केँ जदयू क सदस्यता लेने छलथि।

भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष राजनाथ सिँह तारा बाबूक मृत्यु केँ अपूरणीय क्षति बतौलनि। बिहारक ग्रामीण विकास आ समाज कल्याण मंत्री नीतीश मिश्र हुनका प्रखर राजनीतिक, मैथिली सेवी बतौबैत मिथिलाक एकटा पैघ नेताक क्षति कहलनि। पूर्व केंद्रीय मंत्री देवेंद्र प्रसाद यादव हुनक निधन केँ मिथिलाक लेल विशेष कऽ अपूरणीय क्षति कहलनि। जदयू नेता आ बिहार योजना पार्षदक सदस्य संजय झा शोक प्रकट करैत कहलनि जे मिथिलाक एकटा सशक्त नेता आइ महाकाश मे चलि गेला।

मिथिला-मैथिली आंदोलनमे सक्रिय भूमिका आ मैथिली केँ संविधानक अष्टम अनुसूचीमे स्थान भेटय, ताहि लेल आंदोलन केँ प्रखर बनेबा लेल हिनका याद कएल जाएत।

ताराकांत झाक मृत्युक बाद हिनक गाम शिवनगर, मधुबनी लगाइत पूरा मिथिला दिवंगत आत्माक शांति लेल लोक सभ प्रार्थना केलनि।

Tuesday, April 29, 2014

चुनाव सं पहिले मधुबनीमे ब्लास्ट, 3 गोटे घायल

मधुबनी : मधुबनीमे चारिम चरणक चुनाव सं एक दिन पहिले मंगल केँ जिलाक कटमा गाम मे भेल बम विस्फोट मे तीन गोटे घायल भऽ गेलथि। घायल केँ अस्पतालमे भर्ती करायल गेल अछि आ हालत खतरा सं बाहर अछि। पुलिस मामलाक जांच मे जुटल अछि।
बम केँ लावारिस वस्तु बुझि सावित्री देवी ओकरा उठौलनि आ तखने बम फटि गेल आ ओ घायल भऽ गेलथि। हिनका संग लग मे ठाढ़ हुनक पति आ पुत्र सेहो घायल भऽ गेलथि। तीनू गोटे अखन अस्पतालमे भर्ती छथि।
काल्हि अर्थात बुध केँ मिथिलाक सात संसदीय सीट पर मतदान होमय वला अछि, एहि सीट पर कुल 94 गोट उम्मीदवार छथि। मधुबनी, झंझारपुर, मधेपुरा, दरभंगा, समस्तीपुर, बेगूसराय आ खगड़िया क सात सीट पर मतदान होएत।

एहि ब्लास्टक बाद इ सातू जिला हाई एलर्ट पर अछि।

Tuesday, April 8, 2014

सिया जनम वियोगहि गेल, दुख छोड़ि सुख कहियो नहि भेल

सीतामढ़ी : जानकी जन्मभूमि सीतामढ़ी पर्यटन मानचित्र पर नहि, इ लोकसभा चुनाव मे पैघ मुद्दा अछि आ इ मुद्दा उम्मीदवारक नाव डूबा सकैत अछि। अप्पन जन्मभूमि केँ पर्यटन स्थलक दर्जा नहि भेटला सं मानी जे मां जानकी कानि रहल छथि। आजादीक बाद सं अखन धरि केंद्र आ राज्यक कोनो सरकारक एहि दिस ध्यान नहि देलक। सरकार बदलैत रहल ,वादा होइत रहल, घोषणाक बौछार भेल, मुदा माटि आइयो सूखल अछि। विधायक सं सांसद धरि, डीएम सं सीएम आदि सीतामढ़ी केँ पर्यटनक मानचित्र पर स्थापित करबा लेल कतेक झूठ वादा केलनि, से ओहो सभ बिसरि गेला। भोर सं सांझ भेल, फेर सांझ सं भोर मुदा जानकी लेल सांझ सं सांझ रहि गेल। विधायक, मंत्री, सांसद, मुख्यमंत्रीक दिन बदलल मुदा सिया जनम वियोगहि गेल, दुख छोड़ि सुख कहियो नहि भेल। कतेक भेलाक बाद पर्यटन मंत्रीक पहल पर सरकारक कुंभकर्ण निन्न फूजल आ बिहारक पर्यटक स्थलक रूपे सीतामढ़ी केँ जगह भेटल मुदा केंद्रीय पर्यटन विभाग अखन धरि एकरा देशक पर्यटक स्थलक रूपे स्थान नहि देलक। चारि बरख सं इ मामला कागज मे लटकल अछि। आन प्रदेशक एकटा ट्रस्टी द्वारा जानकी जन्म भूमि केँ विकसित करबाक प्रयास जारी अछि। पंथपाकड़ आ हलेश्वर स्थान केँ सेहो देशक मानचित्र पर पर्यटक स्थलक दर्जा भेटय, ताहि दिस कोनो पहल नहि कएल जा रहल अछि।

Thursday, April 3, 2014

मिथिलाक दू दर्जन युवक केँ ताकि रहल NIA

मुजफ्फरपुर/पूर्णिया : तहसीन अख्तर क गिरफ्तारीक बाद देशमे आतंकी हमलाक खतरा नहि टलल अछि, खुफिया एजेंसीक मानी, तऽ इंडियन मुजाहिदीनक क मिथिला मॉडय़ूल अखनो पैघ आतंकी घटना केँ अंजाम दऽ सकैत अछि। यासीन भटकल आ तहसीन अख्तर मिथिलाक संग झारखंड, पूर्वी उत्तर प्रदेश आ राजस्थान मे मजबूत नेटवर्क तैयार केने अछि।
खुफिया एजेंसी मिथिलाक दू दर्जन सं फाजिल एहन युवक केँ ताकि रहल अछि, जे यासीन आ तहसीन सं केरल मे आतंकक प्रशिक्षण लेलनि। मुजफ्फरपुर, दरभंगा आ पूर्णिया क युवक पढ़ाई लेल दक्षिण भारत गेल छलथि। अखन हिनक कोनो अता-पता नहि अछि। आइबी आ एनआइए हिनक परिजन सं लगातार संपर्क मे अछि। सूत्रक मानी तऽ इ युवक भारतक सुरक्षा लेल चुनौती बनल छथि।
सुर्क्षा एजेंसीक मानब अछि जे IM केर शीर्ष आतंकीक गिरफ्तारीक बाद इ युवक कोनो पैघ आतंकी घटना केँ अंजाम दऽ सकैत छथि।

बरख भरि मे तैयार होएत मेगा फूड पार्क

भागलपुर : जिलामे मेगा फूड पार्क स्थापित हेबाक बाट प्रशस्त भऽ गेल। बरख भरिमे मेगा फूड पार्क सं उत्पादन शुरु भऽ जाएत। फूड पार्क लेल एकचारी स्टेशन लग प्रमोटर निजी तौर पर जमीनक व्यवस्था केलन्हि। 52 एकड़ जमीनक रजिस्ट्री आ 80 एकड़ जमीनक एग्रीमेंट भऽ गेल अछि। चुनावक बाद आधारभूत संरचनाक काज शुरू होएत।
भारत सरकार शर्त रखने छल जे 50 एकड़ जमीन उपलब्ध होएबाक बादे हरियर झंडी देल जाएत। प्रमोटर लोकनि 31 मार्च केँ भारत सरकारक खाद्य प्रसंस्करण मंत्रालय केँ जमीन रजिस्ट्रीक सूचना दऽ आगूक काज लेल सहमति लऽ लेलनि।
मेगा फूड पार्कक स्थापनासं भागलपुरक दिन बदलि जाएत, किसान केँ हुनक कृषि उत्पादक सही मूल्य भेटत। जिनक जमीन लेल गेल अछि हुनका रोजगार भेटत, एहि सं क्षेत्रक औद्योगिक विकास होएत। मेगा फूड पार्कमे देशक नामी-गामी दर्जनोँ कंपनी उद्योग लगाएत।
बताबी जे तीन बरख पहिले भारत सरकार भागलपुर लगाइत देशक पांच ठाम लेल मेगा फूड पार्कक स्वीकृति देने छल।

Monday, March 17, 2014

उद्घाटित भेल तिरहुत राइस मिल

सीतामढ़ी : जिलाक औद्योगिक क्षेत्रमे बीतल शुक्र केँ ग्रीन अर्थ फर्टिलाइजर प्राइवेट लिमिटेड द्वारा तिरहुत राइस मिल उद्घाटित भेल। एहि राइस मिल क खुजलाक बाद कृषि आधारित जिलाक मध्यम आ उच्चत्तर किसान केँ सही समय पर धानक नगद बिक्री कऽ आर्थिक लाभ भेटत। पिछड़ल क्षेत्र मे प्रतिदिन सौ टन चावल उत्पादन क्षमता वला उद्योगक स्थापना मिथिला मे उद्योगक संभावना केँ जिऔने अछि। मिथिला मे बहुतो राइस मिल अछि मुदा तिरहुत राइस मिल अत्याधुनिक उपकरण सं सुसज्जित अछि। मिलक प्रबंध निदेशक सुबोध कुमारक कहब अछि जे जिला मे नगदी फसलक रूपे कुशियारक खेती केँ मानल जाइत छल। आब एतुक्का किसान नगदी फसलक रूपे धान केँ खेतीक विकल्प बना सकैत छथि। ओ जिलाक किसान सं धानक उत्तम किस्मक उत्पादन कऽ सीधे आर्थिक लाभ उपार्जन करबाक अपील केलन्हि।