Showing posts with label बिहार. Show all posts
Showing posts with label बिहार. Show all posts

Tuesday, July 24, 2018

मिथिला बनय अलग राज: राबड़ी देवी

बिहार क' पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी बीतल सोम दिन विधानसभा मे कहलनि जे मिथिला कें अलग राज बनायल जाए जतय सभटा काज मैथिली मे होई.

बताबी जे विधान पार्षद सुमन कुमार मैथिली भाषा कें बिहार क' राजभाषा क' सरकारी काज के लेल कानूनी मान्यता देबाक मांग केने छलथि. विधानसभा मे ओ कहलनि जे मैथिली भाषा संविधानक अष्ठम अनुसूची मे जुड़ल अछि मुदा बिहार मे एहि भाषा मे कोनो काज नहि भ' रहल अछि.

जवाब दैत प्रभारी मंत्री राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह कहलनि जे एहन कोनो प्रस्ताव विचाराधीन नहि छैक. ललन सिंह कहलनि जे राज मे मैथिली, भोजपुरी, अंगिका, मगही आदि भाषा पैघ आबादी द्वारा बाजल जाएत छैक. एकर विकास लेल सरकार आओर शिक्षा विभाग प्रयासरत छैक.

सुमन के प्रश्नक जवाब दैत ललन सिंह कहलनि जे मैथिली कें सरकारी काज क' लेल कानूनी मान्यता देबा मे दिक्कत छैक. एना केला पर राज मे एकटा अलग तरहक प्रतिस्पर्द्धा शुरू भ' जाएत.

Saturday, May 20, 2017

नव बनि रहल शक्ति आ शिव पर्यटन सर्किट मे मिथिलाक बहुतो पावन धाम कें जगह

प्रदेश मे तीन टा धार्मिक पर्यटन सर्किट विकसित कयल जाएत. शक्ति, शिव आ सिख सर्किट. पर्यटन विभाग एकरा विकसित करबाक लेल विस्तृत रिपोर्ट बना केंद्र सरकार के पठेलक. केंद्रीय पर्यटन विभाग सं एकरा लेल फंड सेहो मानल जाएत. 

बिहार पर्यटन दृष्टिये बड्ड महत्वपूर्ण क्षेत्र छैक मुदा राज सरकार पर बेर-बेर इ आरोप लगैत रहैत छैक जे पर्यटन के बढ़ावा देबा लेल प्रदेश सरकार गंभीर नहि. राज्य मे अखन हिन्दू सर्किट, जैन सर्किट, गांधी सर्किट, रामायण सर्किट, बुद्ध सर्किट आ सूफी सर्किट छैक जेकर स्थिति सेहो नीक नहि कहल जा सकैछ. आब शक्ति, शिव आ सिख सर्किट क' विकास लेल योजना बनाओल गेल अछि. 
शक्ति सर्किट : शक्ति सर्किट मे पटना क' कालीमंदिर, बड़की-छोटकी पटन देवी आ शीतला माता मंदिर, सारण क' आमी, गोपालगंज क' थावे, कैमूर क' मुंदेश्वरी, सहरसा क' उग्रतारा स्थान, मधुबनी क' उच्चैठ आ रोहतास मे मां तारा चंडी स्थान के विकसित कयल जाएत.

शिव सर्किट : मुजफ्फरपुर मे बाबा गरीब नाथ, मोतिहारी मे सोमेश्वर नाथ महादेव, सीतामढ़ी मे बाबा नागेश्वर नाथ, शिवहर मे देकुली भुवनेश्वर नाथ धाम, भागलपुर मे सुल्तानगंज क' बाबा अजगेबीनाथ, मधेपुरा क' सिंहेश्वर स्थान, दरभंगा मे कुशेश्वर स्थान आ कटिहार मे गोरखनाथ मंदिर के शिव सर्किट के रूपे विकसित कयल जाएत. 



सिख सर्किट : पंजाब क' बाद सिख धर्मावलंबी क' सभसं पैघ तीर्थस्थल बिहार अछि. राज्य क कतेको गाम मे एहन गुरुद्वारे अछि जतय हस्तलिखित गुरु ग्रंथ साहिब छैक. पटना साहिब गुरुगोविंद सिंह क' जन्मस्थली अछि. ओतहि, तेगबहादुर सेहो बहुतो ठाम बिहार मे घूमलनि. एहन-एहन ऐतिहासिक स्थल कें चुनि कें सिख सर्किट मे जोड़ल जाएत.

Tuesday, March 7, 2017

नहि डंफाक थाप आ नहिये पारंपरिक गीत : बिलाइत फगुआ

डेस्क : ओना त' जीवन मे उत्साह बढ़ेबाक लेल उत्सव क' आयोजन होइत अछि मुदा फगुआ आन पावनि सं कनिक फाजिले उत्साह क' संचार करैत अछि. इ मात्रे टा एहन पावनि अछि जाहि मे नहिये टा वर्गक विभेद मिटैत अछि संगे उमेरक दायरा सेहो सिमटा जाइत अछि. एहि पावनिक सभसं महत्वपूर्ण कड़ी गायन अछि. मिथिला मे एकर बड्ड पुरान परंपरा रहल अछि. एकर महत्व के ऐना बुझल जा सकैत अछि जे वसंत पंचमी क' दिन सं फाग गायब शुरू भ' जाइत अछि. मां सरस्वती कें अबीर अर्पित क' अबीर उड़य लगैत अछि.


आधुनिकताक बयार आ रोजगारक अवसर नहि रहबाक कारणे सून पड़ल गाम मे आब डंफा क' थाप स्वर मद्धम पड़ैत जा रहल अछि. साल-दर-साल इ सांस्कृतिक परंपरा कमजोर भेल जा रहल अछि. अखनो एहन बहुतो गाम छै जे एहि महत्वपूर्ण सांस्कृतिक कड़ी के बचा क' रखने अछि मुदा भविष्यक कड़ी टूटैत नजर अबैत अछि. नव पीढ़ी फाग गेबाक परंपरा सं दूर होइत जा रहल अछि. फिल्मी गीत आ फगुआ एलबम क' गीत पर हिनक उत्साह झलकैत अछि. संस्कृति प्रेमी लेल इ चिंताक विषय अछि.

लगभग एक मास धरि चलय वला फगुआ गीत ग्रामीणक टोली गामक पहिले सं निर्धारित दलान पर सभ सांझ मे जुटैत अछि. घर सं भोजन क' आबि लोक सब देर रात धरि फगुआ गीतक आनंद लैत रहैत छथि. एक मास धरि चलैत रहय वला एहि परंपराक समापन फगुआ दिन गीतक संग होइत छल. एहि अवधि मे नहिये टा नव पीढ़ी के गीतक अभ्यास करायल जाइत छल, हुनका डंफा बजेबाक कला सेहो सिखायल जाइत छल. एहि सं परंपरा एक पीढ़ी सं दोसर पीढ़ी धरि सहजे चलि जाइत छल मुदा जहिया सं इ कड़ी कमजोर भेल अछि, युवाक टोली सेहो एहि सं दूर होइत गेल. स्तरीय आ जीवनक सभ रंग के सहेजनाहर फगुआ गीतक बोल आब कम्मे सुनाई दैत अछि.

अखन सुनु इ फाग सुनील मल्लिक के आवाज मे.

Thursday, February 6, 2014

नीतीश मिश्र केँ भेटल समाज कल्याण विभागक अतिरिक्त प्रभार

पटना/झंझारपुर : बिहारक समाज कल्याण मंत्री पद सं परवीन अमानुल्लाह क इस्तीफा देबाक बाद ग्रामीण कार्य विभागक मंत्री नीतीश मिश्र केँ समाज कल्याण विभागक अतिरिक्त प्रभार देल गेल अछि।
केंद्रीय मंत्रीमंडल सचिवालय विभागक प्रधान सचिव ब्रजेश महरोत्रा बतौलनि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सुझाव पर राज्यपाल डी वाई पाटिल ग्रामीण कार्य विभागक मंत्री नीतीश मिश्र केँ समाज कल्याण विभागक अतिरिक्त प्रभार देल गेल अछि।


बताबी जे परवीन अमानुल्लाहक इस्तीफा मुख्यमंत्री द्वारा पठेबाक बाद राज्यपाल काल्हि सांझ स्वीकार कऽ लेला। पूर्व राजनयिक आ बाबरी मस्जिद एक्शन कमेटीक सदस्य सैयद शाहबुद्दीनक बेटी आ वरिष्ठ भारतीय प्रशासनिक सेवाक अधिकारी अफजल अमानुल्लाहक कनिया परवीन अमानुल्लाह इ कहि कऽ दू दिन पहिले समाज कल्याण मंत्री, विधायक आ जदयूक सदस्यता सं त्यागपत्र दऽ देलनि कि हुनक विभागमे जे पारदर्शिता 6 मास मे आनल जा सकैत छल, ओ अप्पन तीन बरखक कार्यकालक दौरान नहि आनि सकली।

Sunday, January 26, 2014

एहि बेर राजपथ पर निप्पता रहत बिहारक झांकी ?

पटना/मुजफ्फरपुर : 65 म गणतंत्र दिवसक अवसर पर नई दिल्लीमे राजपथ पर एहि बेर बिहारक झांकी निप्पता रहत। रवि केँ राष्ट्रपतिक सोझां विभिन्न राज्यक झांकी निकलत जाहिमे बिहार निप्पता रहत। एहन नहि अछि जे राज्य सरकार द्वारा एकरा लेल प्रस्ताव नहि देल गेल। सूचना आ जनसंपर्क विभाग एकरा लेल तीन गोट प्रस्ताव पठौने छल।
सूत्रक मानी तऽ एहिमे सं एक्को टा प्रस्तावक एक्सेप्टेंस वा रिजेक्शनक कोनो टा सूचना पटना वा दिल्ली स्थित राज्य सरकार के आफिस केँ नहि देल गेल अछि। विभागक मानब अछि जे अखन धरि केँद्र सरकार सं कोनो तरहक चिट्ठी नहि भेटला पर हम सभ इ मानि चलि रहल छी जे बिहारक झांकी दिल्लीमे गणतंत्र दिवसक राजकीय समारोह मे नहि शामिल होएत।

Saturday, December 21, 2013

26 दिसंबर धरि मौसम रहत शुष्क

समस्तीपुर : अगिला 26 दिसंबर धरि अकाशमे मेघ लागल रहबाक अनुमान अछि। राजेंद्र कृषि विश्वविद्यालय, पूसाक मौसम विज्ञान विभागक नोडल पदाधिकारी डॉ आइबी पांडेयक मानी तऽ मौसम शुष्क रहत। 4 सं 11 km केर रफ्तार सं पूरबा हवा चलबाक संभावना अछि। न्यूनतम तापमान 8 सं 11 आ अधिकतम तापमान 19 सं 21 डिग्री सेल्सियसक बीच रहबाक अनुमान अछि। रात आ भोरमे कुहेस लागत।

Friday, December 20, 2013

बरौनी आ कांटी लेल चाही आब बेसी कोयला

पटना : राज्य सरकार बरौनी आ कांटी थर्मल पावर लेल बेसी कोयलाक मांग केलक अछि। ऊर्जा मंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव एहि संबंधमे केंद्रीय कोयला मंत्री श्रीप्रकाश जायसवाल आ योजना आयोगसं गप्प केलन्हि। मंत्रीक कहब छल जे पहिले बरौनी आ कांटी केँ मिला कऽ अधिकतम 100 मेगावाट बिजलीक उत्पादन भऽ रहल छल। दूनु यूनिटसं बेसी बिजली उत्पादन करबाक लेल एकरा आधुनिक कएल गेल। काज पूरा होएबाक बाद एतय 440 मेगावाट बिजलीक उत्पादन होएत। एहि लेल बेसी कोयलाक जरूरत होएत। कांटी केर एक यूनिटसं 110 मेगावाट बिजलीक उत्पादन शुरू भऽ गेल अछि। एतय जल्दिये दोसरो यूनिट शुरू होएत। अगिल तीन मासमे बरौनी यूनिट केर मरम्मतक काज सेहो पूरा भऽ जाएत आ 220 मेगावाट बिजलीक उत्पादन होमय लागत। ऐनामे आब बेसी कोयलेक जरूरत होएत। केंद्र सरकार केँ लगातार एकरा लऽ चिट्ठी पठाएल जा रहल अछि, ताकि सभ यूनिटकेँ शुरू होएबा पर कोयलाक समस्या नहि हो, यूनिट बंद होएबाक संकट नहि हो।

Friday, December 6, 2013

नहि रहला संस्कृतक प्रख्यात विद्वान आद्याचरण झा

शेखपुरा/पटना : बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संस्कृत भाषाक प्रख्यात विद्वान संगे कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय, दरभंगाक पूर्व कुलपति डां० आद्याचरण झाक निधन पर शोक व्यक्त केलन्हि। नीतीश शुक्रकेँ अप्पन शोक संदेशमे कहलनि जे स्व० झा संस्कृतक प्रख्यात साहित्यकार छलथि आ जीवन पर्यन्त ओ संस्कृत भाषामे लीन रहला। नीतीश कहलनि जे हुनक निधनसं संस्कृत साहित्य केँ अपूरणीय क्षति भेल अछि। बताबी जे संस्कृत भाषा आ व्याकरणक सुप्रसिद्ध विद्वान पंडित आद्याचरण झाक निधन शेखपुरा स्थित हुनक घर पर भऽ गेल। ओ 94 बरखक छलथि आ पछिला किछु माससं हुनक तबीयत खराब चलि रहल छल। बरख 1991 मे राष्ट्रपति ज्ञानी जैल सिंह द्वारा हिनका सम्मान पत्र देल गेल छल। झा राजस्थान संस्कृत अकादमीक अवैतनिक सदस्य सेहो छलथि।

Sunday, December 1, 2013

सीतामढ़ी मंडल जेलमे भेटल 7 टा मोबाईल फोन

सीतामढ़ी : जिलाक सीतामढ़ी मंडल जेलसं रविदिन भोर छापेमारीमे 7 टा मोबाईल फोन संग किछु आन आपत्तिजनक समान पाएल गेल। पुलिस सूत्र बतौलनि जे सूचना भेटल छल जे किछु अपराधी मोबाइल फोनसं आपराधिक घटनासं जुड़ल अछि। एहि आधार पर सदर अनुमंडलाधिकारी महेन्द्र कुमार आ पुलिस उपाधीक्षक संतोष कुमारक नेतृत्वमे जेलक सभ वार्डमे तलाशी लेल गेल। सूत्रक मानी तऽ एहि अभियानमे 7 गोट मोबाईल फोन, 8 टा चार्जर, 3 टा ईयरफोन आदि पाएल गेल अछि। एहि मामला केँ लऽ डुमरा थानामे एकटा मामला दर्ज कएल गेल अछि। जेलक भीतर मोबाईल फोन कोन पहुंचल, एहि पर जांच कएल जा रहल अछि।

Monday, November 25, 2013

विश्व बैंक शिक्षा विभाग केँ देत 2250 करोड़

पटना : विश्व बैंक शिक्षा विभागक लेल अप्पन आर्थिक मदद बढ़ा देलक अछि। इ राशि आब 1600 करोड़क बदले 2250 करोड़ होएत। एकर खर्चा राज्यक स्कूलक शिक्षककेँ प्रशिक्षण देबाक लेल आधारभूत संरचना बनाबय पर कएल जाएत। विभागसं भेटल जनतबे विश्व बैंक इ पाइ चालू वित्तीय बरख 2013सं लऽ 2014 के बीच देत। एहि राशिमे राज्य सरकार केँ अपना दिससं 30 प्रतिशत पाइ लगाबय पड़त। विभागक आकलन अछि जे छात्रक संख्याक हिसाबे राज्यमे स्कूलक लेल 10 लाख शिक्षकक जरूरत होएत। हुनक क्षमता बढ़ेबा लेल सभ तरहक प्रशिक्षण संस्थामे लगातार सुधार करय पड़त। एहि राशिसं 60 प्राइमरी टीचर्स ट्रेनिंग कालेज, 6 बीएड कॉलेज (जाहिमे चारिटा कार्यरत), डायट, सीआरसी आदि केँ विकिसत कएल जाएत।

Sunday, November 17, 2013

चेतना समिति पटनामे जगा रहल अछि चेतना

पटना: चेतना समिति द्वारा अभियंता सेवा संघक प्रांगणमे चलि रहल 60म त्रिदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक दोसर दिन शनिकेँ मिथिलाक संस्कृति आ एकर परंपरामे लोक डूबल रहला। पूर्ण परिसर लोक संस्कृतिक छटा बिखेरैत लागल। मिथिला पेंटिंग, सिक्की कला, लोक चित्रकला आदिक प्रदर्शनीसं वातावरण मिथिलाक रंगमे रंगल देखाएल। प्रो महेंद्र नारायण कर्ण मैथिली लोक साहित्य आ लोक संस्कृति विषय पर व्याख्यान देलनि। ओ कहलनि जे मिथिला संस्कृति भारतक विरासत अछि, एहिमे मानव विकासक इतिहास नुकाएल अछि। एकरा जनबाक लेल संस्कृति केँ जनबाक जरूरत अछि मुदा बाजारीकरणक वर्चस्व युवा केँ संस्कृतिसं दूर कऽ रहल अछि। एकरा लुप्त होएबासं बचाबय पड़त। साहित्यकार अशोक कहलनि जे लोक साहित्यमे वंचित समुदायक उत्थानक गप्प कहल गेल अछि। सल्हेश आ दीना भद्रीक गाथाकेँ दबल पात्रक नायक बनेबाक काज मिथिला लोक साहित्यक देन अछि। नार्गाजुनक कविता देलक दिशा : भागलपुरक डॉ केष्कर चौधरी कहलनि जे मैथिली कवि नार्गाजुनक कविता ‘अन्न नै छै, वस्त्र नै छै ,कैंचा नै छै, कौड़ी नै छै, गरीबक नेना कोना, पढ़तक रे, उठत कवि तों दहक ललकारा गिरी शिखर पर पथिक दल चढ़तैक रे आ बूढ़ वर कविताक मादे महिलाक वेदना गरीबक उत्थानमे दिशा देलनि। प्रो हेतुकर झा कहलनि जे मखान, माछ, तिलकोर, चूड़ा-दही सन स्वादिष्ट भोजनक थारी मिथिलाक पहचान अछि। मौका पर संयोजक डॉ रमानंद झा रमण, पंकज कुमार, सचिव डॉ अरुणा चौधरी, उमेश मिश्र लगाइत ढ़ेरो मैथिली प्रेमी उपस्थित छलथि।

मनाएल गेल विद्यापति स्मृति पर्व

वैशाली : वैशाली जिलाक जनदाहा प्रखंडक थानपुर गाममे बीतल काल्हि अंर्तराष्ट्रीय मैथिली परिषद द्वारा विद्यापति स्मृति पर्व मनाओल गेल। जय जय भैरविसं कार्यक्रमक शुरुआत भेल, जेकरा बाद स्वागत भाषण सतीश चंद्र मिश्रा केलनि। कार्यक्रमक अध्य्क्षता मनोज कुमार यादव केलनि। मुख्य अतिथिक रुपे परिषदक प्रमुख धनाकर ठाकुर कहलनि जे मिथिला राज्यमे वैशालीक स्थिति महत्वपूर्ण रहत। एतय पवन कुमार केँ अंर्तराष्ट्रीय मैथिली परिषद वैशालीक जिला संयोजक बनाएल गेल।

Friday, November 15, 2013

बिहारसं चुनाव लड़थि नरेँद्र मोदी : सुशील कुमार मोदी

पटना : भाजपाक बिहार इकाई, भाजपाक पीएम पदक उम्मीदवार नरेन्द्र मोदी केँ बिहारक कोनो संसदीय सीटसं अगामी लोकसभा चुनाव लड़बाक प्रस्ताव पठेलक अछि।
बिहारक पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी बुधदिन पटनामे पत्रकारगणसं गप्प करैत कहला जे हम सभ मोदी केँ बिहारक कोनो भी संसदीय सीटसं अगला लोकसभा चुनाव लड़बाक प्रस्ताव पठौलियन। ओ कहलनि जे बिहारक कोनो भी निवर्तमान सांसद हुनका लेल अप्पन सीट छोड़बा लेल तैयार छथि संग ओ इहो कहला जे कि एहि प्रस्ताव पर अंतिम फैसला भाजपाक संसदीय बोर्ड करत मुदा बिहारक कार्यकर्ता आ नेताक भावनाकेँ प्रस्तावक मादे केन्द्रीय नेतृत्व केँ अवगत करा देल गेल अछि। ओ कहलनि जे प्रस्तावमे बिहारक सभटा सीटक विषयमे विस्तारसं बताएल गेल अछि।

Thursday, October 17, 2013

जदयू सांसद आ विधायक पार्टी बदलबाक तैयारीमे

झंझारपुर(मधुबनी) : लोकसभा चुनाव लग अबितै पाला बदलबाक तैयारीमे जुटल जदयू केर 3 टा सांसद आ एकटा विधायक पार्टी नेतृत्व पर आंतरिक लोकतंत्र केँ खत्म करबाक आरोप लगाबैत कतेको मुद्दा पर बजनाय शुरू कऽ देलन्हि। जदयूक झंझारपुरसं सांसद मंगनी लाल मंडल आइ आरोप लगौलनि जे पार्टीमे आंतरिक लोकतंत्र नहि रहि गेल अछि आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार तानाशाह सन व्यवहार कऽ रहल छथि। ओ संकेत देलनि जे एहि बेर ओ राष्ट्रीय जनता दलसं टिकट भेटला पर झंझारपुर लोकसभा क्षेत्रसं चुनाव लड़ता। जदयूसं असंतुष्ठ चलि रहल मंडल राजद केर अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव केँ गरीबक सर्वमान्य नेता बतौलनि जे हुनका जेल जेबासं राजद केर जनाधार कम नहि भेल अछि बल्कि बढ़ल अछि। ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ राजशक्तिक नेता आ लालू केँ जनशक्तिक नेता बतौलनि।

Thursday, May 30, 2013

मिथिलाक सर्वाँगीण विकास लेल होइ एकजुट

दरभंगा : विद्यापति सेवा संस्थानक कार्यकारी अध्यक्ष संग मैथिलीक लेखक बुचरु पासवान प्रखण्ड क्षेत्रक अवाम गाममे बैसार कऽ मिथिलाक सर्वाँगीण विकासमे सहयोग देबा आ आह्रानमे आगू ऐबा लेल अपील केलनि। ओ क्षेत्रक लाइफ लाइन झंझारपुर रेल संग सड़क पुलक जर्जर हालति देखि खेद प्रकट करैत जल्द नव पुल बनेबाक मांग जल संसाधन, पथ निर्माण आ पुल निगम केँ अधिकारीसं केलनि। ओ अविलंब कारवाई नहि भेला पर आंदोलनक चेतौनी सेहो देलनि। ओ ठेँगहामे मुख्यमंत्री द्वारा कमला पर पुल बनेबाक प्रशंसा तऽ झंझारपुर रेल संग सड़क पुल कमला बलानक जर्जरता पर ध्यान आकृष्ट कराबय लेल विधान परिषदक सदस्य प्रो. विनोद कुमार सिँह केँ प्रति आभार जतौलनि। बताबी जे एहि पुलक जर्जर हालत आ नव पुल निर्माण लेल ओ पूर्वमे सेहो धरना-प्रर्दशन कएने छथि।

Friday, May 17, 2013

वाराणसीसं बिहार केँ जोड़त स्काई फिशर, अगिला चरणमे रक्सौल आ दरभंगाक नंबर

भागलपुर : अमेरिकी नॉन शेड्यूल एयरलाइन स्काई फिशर कहलक अछि जे ओ उत्तर प्रदेशमे वाराणसी आ बिहारक तीन शहरक बीच नव उड़ान शुरू करत।
कंपनी कहलक अछि जे ओ नॉन शेड्यूल रहैत प्रतिदिन वाराणसी, पटना, गया आ भागलपुरक बीच दू उड़ान चलाओत। इ सेवा छोट 12 सीट वला विमानसं देल जाएत।
स्काई फिशरक महाप्रबंधक विशाल कश्यप बतौलनि जे अगिला चरणमे ओ अप्पन उड़ान मानचित्र पर वाराणसी, रांची, दरभंगा, रक्सौल आ काठमाण्डू केँ जोड़त।
वाराणसीसं पटना, गया, भागलपुरक भाड़ा 3500 सं 4000 रुपयाक बीच रहत।
यात्रीक सुविधा लेल विमानमे कार्गो आ मेडिकल एयर एम्बुलेंसक सेवा देल जाएत।
एहि रूट पर अखन धरि कोनो विमान सेवा उपलब्ध नहि अछि।

Saturday, May 4, 2013

15 मईसं शुरू होएत भागलपुरसं हवाई सेवा

भागलपुर : क्षेत्रक लोक लेल एकटा सुखद समाद इ अछि जे आगामी 15 मई सँ भागलपुर एयरमैप पर आबि जाएत। निजी विमानन कंपनी स्काईफिशर एयरवेज लिमिटेड, भागलपुरसं हवाई सेवा शुरू करबाक घोषणा केलक अछि। भागलपुरसं खुजलाक बाद विमान पटना, गया होइत वाराणसी धरि जाएत। फेर एहि मार्गसं वापस आएत। प्रतिदिन एक सेवा उपलब्ध होएत। इ जनतब स्काईफिशर एयरवेज लिमिटेडक मैनेजिंग डायरेक्टर ऋषिकेश मिश्रा देलनि।
ओ बतौलनि जे पटना धरिक भाड़ा 2500-3000 रुपया आ वाराणसी धरिक भाड़ा लगभगि 6000 हजार रुपया रहत। स्काईफिशर एयरवेज एहि संबंधमे जिलाधिकारी केँ सूचित केलक अछि। डीएम केँ लिखल पत्रमे प्रबंध निदेशक कहलनि जे, सिंगल इंजन वला इ एयरक्राफ्ट 12 सीटक अछि। एकर निर्माण सेसना एयरक्रांफ्ट कंपनी केलक अछि। प्रबंध निदेशक डीएमसं लैंडिंग आ पार्किंग चार्ज संग सुरक्षा, फायर ब्रिगेड आ एंबुलेंस पर होमय वला प्रशासनिक खर्चाक जानकारी मंगलनि। प्रबंध निदेशक कहलनि जे, चार्टर ऑपरेशन, मेडिकल इमरजेंसी सर्विस आ कार्गो सर्विसक अंर्तगत सेहो सेवा देबाक प्रस्ताव अछि।
प्रबंध निदेशकक अनुसारे भागलपुरसं परिचालन शुरू करबामे हुनका कोनो टा परेशानी नहि अछि। राज्य सरकारक एकटा समितिसं हवाई सेवाक संबंधमे एप्रूवल भेटल अछि। सेवा शुरू करबाक संबंधमे मुख्यमंत्री सचिवालय प्रतिदिन काज पर नजर राखि रहल अछि। सरकार दिससं जिला प्रशासन केँ निर्देश सेहो देल गेल अछिजे यथाशीघ्र सभटा सुविधा उपलब्ध कराओल जाए। राज्य सरकारक प्रधान सचिव संग नगर विमानन विभागक प्रभारी प्रधान सचिव सेहो डीएमसं कतेको बेर संपर्क केलन्हि। सूत्रक मानी तऽ, विकास आयुक्त फूल सिंह स्वयं एहि मामला केँ देखि रहल छथि।

Thursday, May 2, 2013

मुजफ्फरपुरक कांटीमे बनत बिजलीघर

मुजफ्फरपुर : केंद्र सरकार मिथिलाक मुजफ्फरपुरमे 500 मेगावॉट क्षमताक बिजलीघरक निर्माणक इजाजत दऽ देलक अछि। इ बिजलीघर सेहो जिलाक कांटी क्षेत्रमे स्थापित कएल जाएत। राज्य सरकार एहि बिजलीक निर्माण सरकारी क्षेत्रक बिजली कंपनी एनटीपीसी केर संग मिलि कऽकरबाक योजना बनौलक अछि।
राज्यक ऊर्जा विभागक अधिकारी बतौलनि जे, 'नव बिजलीघरक संबंधमे केंद्रसरकारसं हरियर झंडी भेट गेल अछि। एकरा लेल आन मंत्रालसँ इजाजत तऽ पहिलहिँ भेँट गेल छल मुदा नागरिक उड्डïयन मंत्रालय एहि बिजलीघरक चिमनीक ऊंचाई कऽ लऽ आपत्ति जतौने छल मुदा आब एहि तरहक आपत्तिक समाधान भऽ गेल अछि आ केंद्र सरकार एहि संबंधमे अप्पन मंजूरी दऽ देलक अछि। आब बिजली घरक काज जल्दिये शुरू होएत। एहि बिजलीघरक लेल राज्य सरकार 1990 मे केंद्र सरकार केँ प्रस्ताव पठौनेँ छल मुदा नागरिक उड्डïयन मंत्रालय लगमे रहल हवाई पट्टीकेँ ध्यानमे राखैत चिमनीक ऊंचाई कम करबा लेल राज्य सरकारपर दबाव दऽ रहल छल। राज्य सरकार एकरा लेल तैयार नहि छल, एहि कारणे इ परियोजना लटकल छल।
सूत्रक मानी तऽ एहि बिजलीघरक निर्माण राज्य सरकार एनटीपीसीक संग मिलि कऽ योजना बनौने अछि। एहि बारेमे राज्य सरकार सार्वजनिक क्षेत्रक बिजली उत्पादन कंपनीक संग जल्दिये एकटा संधि पर हस्ताक्षर करत।
एहिसं पहिले सेहो राज्य सरकार आ नागर उड्डयन मंत्रालयक बीच राज्य सरकारक पहिलेसं स्थापित कांटी बिजलीघरक विस्तार लेल विवाद भऽ चुकल अछि।
बिहार राज्य सरकार 2007 मे एतय 250-250 मेगावॉटक दू गोट नव इकाई लगेबाक ऐलान कएने छल। मंत्रालयक विरोधक कारणे 2008 मे राज्य सरकार प्रस्तावित इकाइक चिमनीक लंबाई केँ घटेबाक निर्णय लेने छल, जाहि कारणे एकर क्षमता घटि कऽ 195-195 मेगावॉट रहि गेल। राज्य सरकार केँ अगिला 5 बरखमे एहि ईकाइ केँ शूरु होएबाक उमीद अछि, जेकरा लेल ओ एनटीपीसीक मददि लऽ रहल अछि।
राज्य सरकार अखन बिजलीक मामलेमे पूर्णयता केंद्रीय कोटा पर आश्रित अछि। केंद्रीय कोटेसँ राज्य सरकार केँ लगभगि 2,000 मेगावॉट बिजली भेटैतअछि, जे ओकर जरूरतसँ 1,000 मेगावॉट कम अछि।

मिथिलाक अभ्यारण्यमे बाघिन देलक तीन शावक केँ जन्म

पश्चिमी चंपारण : मिथिलाक एकमात्र बाघ अभयारण्यमे एकटा बाघिन तीन टा शावकक जन्म देलक अछि। एहि क्षेत्रमे डेढ़ बरख पहिले सेहो एकटा बाघिन शावक केँ जन्म देने छल। इ जनतब एकटा अधिकारी बीतल बुधदिन देलनि।
पश्चिमी चंपारण जिलामे स्थित वाल्मीकि बाघ अभयारण्यक निदेशक संग वन संरक्षक संतोष तिवारी कहलनि जे 'वाल्मीकि अभयारण्यक मुरदापुर वन क्षेत्रमे एकटा बाघिन तीन शावक केँ जन्म देलक अछि। इ हमरा सभ लेल एकटा सकारात्मक विकास अछि।
ओ बतौलनि जे अभयारण्यक अधिकारी शावक केँ जीवन सुनिश्चित करबाक लेल कैमरासं निगरानी रखता। एहि क्षेत्रमे 2011 मे एकटा अन्य बाघिन तीन गोट शावक केँ जन्म देने छल, मुदा ओहिमेसं एकटा जन्म लेलाक तुरंत बाद मरि गेल छल।
अभयारण्यमे 20 गोट बाघिन अछि। तिवारी तीन शावक केँ जन्मक श्रेय अनुकूल परिस्थिति केँ देलनि। ओ बतौलनि जे अभयारण्यक चारागाह पछिला कतेको बरखसं बाघ केँ आकर्षित करैत रहल अछि। इ अभयारण्य बिहारक राजधानी पटनासं 200 किलोमीटर दूर अछि। (साभार : आज तक)

Tuesday, April 30, 2013

दरभंगासँ दैनिक होएत पवन एक्सप्रेस

दरभंगा : बंबइया यात्री लेल खुशखबरी अछि, जल्दिये हुनका सभकेँ आरक्षित टिकटक समस्या खत्म भऽ जाएत। सातू दिन दरभंगा-मुंबई(लोकमान्य तिलक टर्मिनल) लेल ट्रेन भेटत। समस्तीपुर रेलमंडल एहि काजमे लागल अछि आ उमीद अछि जे जुलाई सँ इ ट्रेन दैनिक भऽ जाएत।

बताबी जे अखन दरभंगा सँ मुंबई लेल पवन एक्सप्रेसक परिचालन सप्ताहमे मात्र तीन दिन मंगल, गुरु आ शनि केँ होइत अछि। बाकी चारि दिन इ ट्रेन मुजफ्फरपुरसँ चलैत अछि। एहि ट्रेनमे सभ सीजन पिक होइत अछि। मुंबई लेल एकटा आओर ट्रेन कर्मभूमि एक्सप्रेसक हालत एहन रहैत अछि जे क्षमतासँ चारि गुणा बेसी यात्रीक बोझ उठाबैत अछि। कर्मभूमि प्रति बरख लगभग 70 करोड़ आमद दैत अछि जे दरभंगा जंक्शनक सबसँ बेसी राजस्व देनिहाइर ट्रेन अछि। पवन एक्सप्रेसक दैनिक परिचालनक संबंधमे समस्तीपुरक सीनियर डीसीएम संग जनसंपर्क पदाधिकारी एमएआई हुमायूं एकर पुष्टि करैत कहला जे महाप्रबंधक केँ निर्देश पर एहि पर काज चलि रहली। बरख 13 केर रेल बजटमे मिथिलावासीक मांग छल जे एकटा नव ट्रेन मुंबई लेल भेटय वा पवन केँ दैनिक कएल जाए, से आब पूर्ण होइत बुझाइत अछि!